• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नीतीशक जिद, मोदीक निर्णय आ संजयक प्रयास क परिणाम थीक दरभंगा एम्स

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क शुरू स मानब छल जे पीएमसीएच क बाद सबस पुरान मेडिकल कॉलेज डीएमसीएच दरभंगा अछि. एहि लेल दोसर एम्स सेहो दरभंगा मे बनत. हुनकर कहब छल जे दरभंगा मेडिकल कॉलेज स उत्तीर्ण अनगिनत डॉक्टर दुनिया क कोन-कोन मे अछि. ओ AIIMS सन स्थानीय स्तर क संस्थागत सुविधा क विस्तारीकरण मे बहुत उपयोगी सिद्ध हेताह.

September 16, 2020
in समाचार
A A

ज्योति श्रीवास्तव

  • 1878 मे बंगाल क दोसर सबस पैघ अस्पताल दरभंगा मे खुजल
  • 1925 मे बिहार क दोसर सबस पैघ मेडिकल स्कूल दरभंगा मे खुजल
  • 1946 मे बिहार क दोसर सबस पैघ मेडिकल कॉलेज दरभंगा मे खुजल
  • 2020 मे बिहार क दोसर सबस पैघ एम्स सेहो दरभंगा मे खुजल

15 जनवरी 2017 क दिन छल. दभंगा जिला क घनश्यामपुर प्रखंड क जयदेवपट्टी गाम मे आयोजित  दही-चूड़ा कार्यक्रम मे जेडीयू क वरिष्ठ नेता आ वर्तमान समय मे जल संसाधन मंत्री संजय झा दरभंगा मे बिहार लेल प्रस्तावित दोसर एम्स दियेबाक संकल्प लेलथि. एकर घोषणा तत्कालीन वित्त मंत्री स्वर्गीय अरुण जेटली 2015 क अपन बजट भाषण क दौरान केने छलाह.  संजय झा क अटल संकल्प आ मिथिला क प्रति प्रेम क अंदाजा एहि स लगा सकैत छी जे वो नहि त दरभंगाक सांसद छलाह आ नहि कोनो क्षेत्र स विधायक या विधान पाषर्द. एकर बावजूद ओ अरुण जेटली आ नीतीश कुमार क विश्वस्थ हेबाक बल पर एकर बीड़ा अपन कंधा पर उठेलाह.

 

बिहार मे एनडीए क वापसी संग दरभंगा मे AIIMS

जखन संजय झा दरभंगा मे एम्स अनबाक घोषणा क रहल छलाह, ठीक ओहि समय बिहार मे सत्ता परिवर्तन क बुनियाद राखल जा चुकल छल. फेर स भारत क प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ नीतीश कुमार बिहार कए प्रगति क पथ पर ल जेबा लेल संग-संग चलबा लेल तैयार भ गेल छलाह. राजनीतिक गलियारा मे एहि गपक चर्चा सेहो छल जे एहि भगीरथ प्रयास मे मिथिला क विकास लेल आतुर रहनिहार संजय झा क सेहो अहम योगदान रहल.

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

 

अगस्त 2017 मे जेटली स केलिथ AIIMS क मांग

13 अगस्त 2017 कए संजय झा भारत क वित्त और रक्षा मंत्री अरुण जेटली स हुनकर आवास पर भेंट केलिथ. दरभंगाक तत्कालीन सांसद स जेटलीक मतभेद क बावजूद संजय झा जेटली लग दरभंगाक पक्ष रखैत रहलाह. हमर दरभंगा कहैत रहलाह. दरभंगा मे AIIMS क स्थापना अस ‘उड़ान’ योजना क तहत एयरपोर्ट पर परिचालन क शुरुआत पर जेटली से मांग करैत रहलाह. एहन मे कहल जा सकैत अछि जे दरभंगा कीर्ति जे हो मुदा जेटली आ नीतीश सन नेता संजयक आंखि स दरभंगा देखैत छथि.

 

मिथिला क लेल ऐतिहासिक सौगात

एहि पूरा मामला पर खुद संजय झा कहैत छथि जे इ मिथिला लेल ऐतिहासिक सनेस छी. एकरा लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क विशेष आभार. झा कहैत छथि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क शुरू स मानब छल जे पीएमसीएच क बाद सबस पुरान मेडिकल कॉलेज डीएमसीएच दरभंगा अछि. एहि लेल दोसर एम्स सेहो दरभंगा मे बनत. हुनकर कहब छल जे दरभंगा मेडिकल कॉलेज स उत्तीर्ण अनगिनत डॉक्टर दुनिया क कोन-कोन मे अछि. ओ AIIMS सन स्थानीय स्तर क संस्थागत सुविधा क विस्तारीकरण मे बहुत उपयोगी सिद्ध हेताह.

 

नौकरशाहक सेहो रहल अहम भूमिका

झा साहेब सेहो कहैत छथि जे एहि पूरा प्रकरण मे नौकरशाह भूमिका अहम रहल. पीएमओ द्वारा बजाउल गेल बैसार मे बिहार सरकार क मुख्य सचिव दोसर एम्स दरभंगा मे बनेबाक राज्य सरकार क भावना स केंद्र एक अवगत करेलाह. एकरा लेल दरभंगा स्थित डीएमसीएच कए अपग्रेड क एम्स बनेबाक प्रस्ताव सेहो देलथि. फेर माननीय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो 2 मार्च 2019 कए पटना मे आयोजित स्वास्थ्य मंत्रालय क एक कार्यक्रम मे तत्कालीन केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डा कए डीएमसीएच कए अपग्रेड क एम्स बनेबाक सलाह देलथि. माननीय मुख्यमंत्री हाल मे सेहो वर्तमान स्वास्थ्य मंत्री डॉ हर्षवर्धन स गप केलथि आ दरभंगा मे एम्स पर स्थिति साफ केलथि जे बनत त दरभंगा मे बनत.

 

नीतीश क जिद स भेटल संस्था  

मुख्यमंत्री क जिद हम सब केंद्रीय यूनिवर्सिटी मामला मे सेहो देखने छी. केंद्र स एकटाक बदला मे दूटा केंद्रीय यूनिवर्सिटी लेलथि, मुदा मोतीहारी मे जे यूनिवर्सिटी खोलबाक संकल्प लेलथि और पूरा केलथि. एहिना एक बेर जखन नीतीश कुमार इ तय क लेलथि त हुनक जिद क आगू ककरो नहि चलल. ओ लगातार प्रयास करैत रहलाह आ हुनकर जिद कए देखैत दरभंगा मे एम्स कए मंजूरी देबाक प्रक्रिया तेज भेल. एकटा केंद्रीय टीम दरभंगा पहुंचल, मुदा ओ डीएमसीएच कए अपग्रेड क एम्स बनेबाक संदर्भ मे किछु मुद्दा रखलक. जाहि मे 25 एकड़ जमीन रेलवे लाइन क दोसर कात रहबाक, अस्पताल परिसर क बीच स सड़क हेबाक आ जल निकासी क प्रयाप्त व्यवस्था नहि हेबाक मुद्दा शामिल छल. मुख्यमंत्री तत्काल संबंधित विभाग क अधिकारी कए दरभंगा एम्स क निर्माण मे आबि रहल एहि सबटा बाधा कए दूर करबाक निर्देश देलिथ.

 

मिथिलाक कायाकल्प हेबाक उम्मीद जगल

संजय झा कहैत छथि जे एम्स कए केंद्रीय मंत्रिमंडल स मंजूरी भेट गेल. दरभंगा एयरपोर्ट क निर्माण सेहो पूरा हेबाक स्थिति मे अछि. इ दूटा परियोजना पूरा मिथिला कए कायाकल्प क देत. मिथिला क केंद्र दरभंगा मे एयरपोर्ट क बाद एम्स क निर्माण स केवल दरभंगा शहर या जिला, प्रमंडल नहि, बल्कि समस्त मिथिला क चौतरफा विकास होएत, कायाकल्प भ जायत पूरा मिथिलाक. चहुमुखी विकास क सपना साकार भ जायत. मिथिला क लोक कए आब बेहतर इलाज लेल दिल्ली जेबाक जरुरत नहि रहत, देश दुनियाक डॉक्टर दरभंगा औताह. एहि स दरभंगा आ मिथिलाक पुरान गौरव लौटत. एहि ठामक लोक एक रोजगार भेटत आ टका सेहो बचत. कई तरह क परिवर्तन होएत. 10-20 सालक बाद जे दरभंगा देखा रहल अछि ओकर कल्पना मात्र स अहलादित छी.

Tags: AIIMSaiims darbhangadarbhanganitish kumarSanjay Jha

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
खत्म भेल 86 साल क इंतजार, PM Modi केलथि Kosi Rail Mega Bridge क शुभारंभ

खत्म भेल 86 साल क इंतजार, PM Modi केलथि Kosi Rail Mega Bridge क शुभारंभ

breaking news : 57 सालक इंतजार आ 11 सालक मेहनत भेल सफल, स्पाइसजेट शुरू केलक दरभंगा एयरपोर्ट लेल बुकिंग

breaking news : 57 सालक इंतजार आ 11 सालक मेहनत भेल सफल, स्पाइसजेट शुरू केलक दरभंगा एयरपोर्ट लेल बुकिंग

उगना बनल नीतीश क भगिरथ काज, 62 साल बाद पश्चिमी कोसी नहर होएत पूरा, पुनर्स्थापन कार्यक केलथि शुभारंभ

उगना बनल नीतीश क भगिरथ काज, 62 साल बाद पश्चिमी कोसी नहर होएत पूरा, पुनर्स्थापन कार्यक केलथि शुभारंभ

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि