• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

मनुषक संपूर्ण भोजन अछि साग-भात

March 15, 2018
in विचार, समाचार
87
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

अन्यहवाबाज़ियाँ

दरभंगा जक्‍शन बनत मिथिलाक सिग्‍नेचर स्‍टेशन, लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस सन लुक देबा मे जुटल रेलवे

दरभंगा जक्‍शन बनत मिथिलाक सिग्‍नेचर स्‍टेशन, लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस सन लुक देबा मे जुटल रेलवे

December 11, 2019
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
“घबराउ नहि, सपना क पीछा करू”

“घबराउ नहि, सपना क पीछा करू”

December 3, 2019
शपथ स आगू बढल मैथिली

शपथ स आगू बढल मैथिली

November 19, 2019
आधुनिक काल मे साहित्यकार लोकनि मडूआ जेकां साग कए सेहो अपना सब दिस गरीबी स जोडि देलथि मुदा साग जीवन लेल केतबा जरुरी अछि एहि पर हम सब कम विचार केलहुं । एकर पौष्टिकता पर कोनो जानकारी नहि रखलहुं । निश्चित रूप स साग सब लेल उपलब्ध एकटा वस्तु  अछि । राजा स रंक तक अपन भोजनक शुरुआत साग स करैत रहल अछि। भोज भात मे सेहो साग आ सन्ना पात पर सबस पहिने परसल जाइत अछि। साग क सामाजिक, एतिहासिक आ वैज्ञानिक तीनू पक्ष एहि आलेख मे गजानन मिश्र एक संग रखबाक प्रयास केलथि अछि। प्रस्तुत अछि गजानन मिश्र क इ शोधपरक आलेख। – समदिया 
मिथिला मे ई फकड़ा अछि- साग भात पांच हाथ । एकर निहितार्थ बहुत गंभीर छैक । ई तिरहुत के अकूत प्राकृतिक उपादान एवं एतुक्का पर्यावरण के उच्च आर्थिक तथा सामाजिक उत्पादकता के द्योतक थिक । साग जे हरियर पादपीय पदार्थ तथा भात यानि चावल । मनुष्यक स्वास्थ्य बास्ते जे प्राकृतिक रासायनिक तत्व और यौगिक पदार्थ अनिवार्य एवं प्रधान अछि, से थिक- कैल्शियम, मैग्नीशियम, पोटासियम, सोडियम, फोस्फोरस, आयरन, आयोडीन, फ्लोराईड, जिंक, सेलेनियम एवं विटामिन्स,खनिज और फाइबर । साग और भात एहन किछु पदार्थ अछि जाहि मे उपरोक्त सभ उपलब्ध अछि ।
तिरहुत मे दर्जनों एहन हरियर साग/पात उपयोग मे रहल अछि । अनेकों छानल/तरल रूप मे सेहो खेबाक परिपाटी रहल अछि । एहि साग/पात के उपलब्धता सहज और प्रचुर रहल छल । एकर खेती अतिशय सहज । अनेक त’ अपनेआप उपजैत छैक । ई एकटा common property छल । निम्नांकित साग जानकारी मे अबैत अछि – गेन्हारी, ठढ़ीया, बथुआ, सरिसो, रैंची, गद्पुरैन, पटुआ, खेसारी, मेथी, नोनी, केराव, चना, पालक, लौफ, करमी, सरंची, अरुआ, सुसनी, ललका, कोचला, गुलफा, पोई, मुली, मुनगा आदि । जाहि हरियर पात अथवा फुल के उपयोग बचका/तरुआ/ चक्का के रूप मे होईत अछि तकर जानकारी निम्नवत अछि- कदीमा, कद्दू, मुनगा, अगस्त, थलकमल, पिरार, कुम्हर, कचनार, गुलैंच, सनई, चकोर, तिल्कोड़, कुतरुम, पुरैन, बेली, कन्ना, सग्गा प्याज, पत्थरचुड, अरकोंच, मुली, मखान-डनटी आदि । साग ह्रदयरोग, कैंसर, डायबिटीज, हड्डी, आंखी मे विशेष रूप मे लाभदायक अछि । ई शरीर के प्रतिरोधक क्षमता बढबैत अछि ।
जहाँ तक भात के प्रसंग अछि, धान मे भूसा,ओकर भीतर वला ललाओन bran तथा सभ सँ अन्दर वला स्टार्च थिक ।भूसा मे फाइबर और लवण बहुत छैक । bran मे त’ उपरोक्त सभ रासायनिक तत्व एवं योगिक पदार्थ भरल अछि । चावल के उसिनबाक क्रम मे भूसा के तत्व चावल मे आबि जाईत छैक । तैं उसना चावल अरबा चवल सँ बेशी नीक अछि । सभ सँ ख़राब polished चावल थिक जाहि मे मात्र स्टार्च रहैत छैक; bran और भूसा वला कोनो गुणवत्ता एहि मे नहि अछि ।  जाहि brown rice के दुनिया दीवाना अछि, से वस्तुतः उसना चावल थिक ।
धान क खेती बहुत सहज छल । बाढ़ी- डुबल खेत मे मात्र धान के बीज छींट देला सँ सेहो धान उत्पादन भ जाईत छलैक । साठ दिन वला साठी धान, भदई मे गम्हरी धान, अगहनी धान और नदी के कात मे बोड़ो धान- ई चार प्रकार छल ।  चंपारण, तिरहुत और पुरनिया मे अगहनी धान के 120 प्रकार,भदई धान के 32 प्रकार तथा चौर वला लतराहा धान के 5 प्रकार छल । धान के abundant production के उल्लेख गज़ेतियेर्स मे भरल अछि ।फ्रांसिस बुकानन,  hunter,AB Macdonnel,Finnucanes आदि के रिपोर्ट तथा Village नोट्स धान के abundant production के साक्षी अछि । साग-भात के पौष्टिकता,एकर nutrition गुणवत्ता, एकर सहज और प्रचुर उपलब्धता निहितार्थ थिक ‘साग भात पांच हाथ’।
Tags: BhaatGajanan MishraMaduaSaag
Share87TweetPin

Related Posts

दरभंगा जक्‍शन बनत मिथिलाक सिग्‍नेचर स्‍टेशन, लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस सन लुक देबा मे जुटल रेलवे

दरभंगा जक्‍शन बनत मिथिलाक सिग्‍नेचर स्‍टेशन, लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस सन लुक देबा मे जुटल रेलवे

December 11, 2019
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
“घबराउ नहि, सपना क पीछा करू”

“घबराउ नहि, सपना क पीछा करू”

December 3, 2019
शपथ स आगू बढल मैथिली

शपथ स आगू बढल मैथिली

November 19, 2019
जल्द शुरू होए डीडी मिथि‍ला न्यूज चैनल, दरभंगा मे खुजय सेंसर बोर्डक क्षेत्रीय कार्यालय : मैथि‍ली फिल्म अकादमी

जल्द शुरू होए डीडी मिथि‍ला न्यूज चैनल, दरभंगा मे खुजय सेंसर बोर्डक क्षेत्रीय कार्यालय : मैथि‍ली फिल्म अकादमी

November 15, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
Next Post

रक्सौल स काठमांडू तक बिछाउल जायत रेल लाइन

मोदी 10 कए करताह मधेपुरा मे बनल पहिल इंजनक लोकार्पण

बिहार मे बनत ब्रिटेनिया बिस्कुट आ प्रिंस पाइप

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

दरभंगा जक्‍शन बनत मिथिलाक सिग्‍नेचर स्‍टेशन, लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस सन लुक देबा मे जुटल रेलवे

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

“घबराउ नहि, सपना क पीछा करू”

शपथ स आगू बढल मैथिली

कहानी : रमानाथ मिश्रक ‘हमर की दोष’

जल्द शुरू होए डीडी मिथि‍ला न्यूज चैनल, दरभंगा मे खुजय सेंसर बोर्डक क्षेत्रीय कार्यालय : मैथि‍ली फिल्म अकादमी

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

कहानी : रमानाथ मिश्र क ‘हेमा दीदी’

कविता : तारानंद वियोगी क जेना सरिपहुं मैथिले छलहुं

बेसी पढ़ल गेल

कविता : कुमुद रंजन क आब आओर कतेक प्रतीक्षा?

by संपादक
November 11, 2019
0
कविता : कुमुद रंजन क आब आओर कतेक प्रतीक्षा?

आब आओर कतेक प्रतीक्षा? कोमल कुसुम सन कोपल, भई कठोर वट विशाल! आब और कतेक प्रतीक्षा? पंछी पखेरू जो उड़े...

Read more

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

by संपादक
February 23, 2019
0

Read more

कविता : ईशनाथ झा क हिडिम्बा

by संपादक
November 11, 2019
0
कविता : ईशनाथ झा क हिडिम्बा

यौ महापराक्रमी पांडव गदाधारी भीम ! सखी -समुदाय पूछैए जे हम इंद्रप्रस्थक राजप्रासाद मे कियै नै रहै छी, कियै बौआइत...

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com