• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

खंडूरी केर अनायास पदच्युत करब प्रतिरक्षाक कमीकेँ झाँपब अछि? 

September 29, 2018
in विचार, समाचार
16
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
सतीश के सिंह
नयी दिल्‍ली । देश भरिमे भरि दिन देशभक्ति पर उपदेश हांकैत रहैत अछि। एक गोट कीर्तनिया मंडली अछि जे दिनभरि फौज हेतु नोर चुअबैत रहैत अछि। लेकिन जखन एकटा पूर्व फौजी आऔर संसद सदस्य अपनहि सरकारसँ फ़ौजक उपेक्षा, जे हथियार चाहि से नहि भेट रहल और पुरनका हथियार सभक हालत नीक नहि अछि, से उजागर कएलक त’ हुनका संगहि की होयत अछि से पढू?
एहन देशप्रेमी केर बाहर कS देल जाएत अछि।  ई खबरि एकदम मटिया देल गेल कि पछिला हप्ता संसद केर डिफेंस स्टैंडिंग कमेटीक अध्यक्ष जनरल बीसी खंडूरी केर अचानक बाहर कS देल गेल आओर हुनकर स्थान पर कलराज मिश्रकें बैसा देल गेल।
संसद केर इतिहासमे एहन साइते कहिओ भेल हएत कि अध्यक्ष केर टर्म पूर होम सँ पहिने अहि तरहे हटाओल गेल हो। नियमतः हुनकर टर्म लोकसभाक संगहि समाप्त होयत अछि। किछु लोकक कुतर्क छलनि जे बढ़ैत उमेर एकर कारण छल। ओ 84 बरिसक अछि आऔर कलराज मिश्र 77 बरिसक।
बीसी खंडूरी के’ छथि?
बीसी खंडूरी उत्तराखंड केर पूर्व मुख्यमंत्री अछि।  वाजपेयी जी अपन सरकारमे मंत्री बनाकS गोल्डन क्वाड्रिलैट्रल हाइवे बनेबाक जिम्मा देने छलनि। ओ अपन पूरा जोश आ जुनून सँग सड़क निर्माण काज कएलनि।खंडूरी जीक छवि एकटा मजगूत आऔर ईमानदार व्यक्तिक अछि, तेँ साइत ओ एखन राजनीतिक खाँचामे थोड़ेक अनफिट कहल जा सकैत अछि। कारण हुनकर पहचान बला कहैत अछि कि ओ अपन नियम, निष्ठा आ उसूल सँ कोनो तरहक समझौता नहि करय बला निडर व्यक्तित्व छथि।
बीसी खंडूरी केर अपराध की छलनि?
ओ मार्चमे स्टैंडिंग कमेटी केर रिपोर्ट संसद मे रखलाह। रिपोर्टमे कहलनि कि सेना केर 68% हथियार पुरान अछि, विंटेज कैटेगरी केर अछि,  24% कंटेम्परेरी आ केवल 8%  मात्र आधुनिक अछि। बजट प्रोविजन सेहो बहुत कम अछि आऔर आधुनिकीकरण पर अहि बरिस देल गेल 22,000 करोड़ केवल अछि, जखन कि ई राशि पुरनका  कमिटेड प्रोजेक्ट लेल सेहो कम अछि, 29,000 करोड़ त’ केवल पुरनके प्रोजेक्ट्स लेल चाहि।
कमेटी एकटा आओर बात कहलक कि सेना प्रमुख सब सुझाव देलक अछि कि बजट केर कम से कम 22-25% नवका जरूरत सब लेल चाहि, जखन कि बजटमे राशि भेटल अछि केवल 14%.
ई एहन कोनो विषय नहि जे पहिनहि सँ किनको ज्ञात हेतनि, मुदा खंडूरी जीक  रिपोर्ट केर उद्देश्य छलनि कि रक्षा मंत्रालय केर नौकरशाह सभकेँ झकझोरल जाए आऔर फौज केर नव चुनौति सभक सामना करबा लेल सक्षम बनाओल जाए।
कहल गेल छल कि हथियार बेचय बला कंपनीकें भारतमे निवेश करय पड़तै, आत्मनिर्भर बनत, रोजगार भेटत। एखन हम राफेल सौदाक हाल देखि रहल छी जे कएको तरहक प्रश्न ठाड़ कS रहल अछि।
आब ई जानिकS एकटा आओर झटका लागत कि डिफेंसमे FDI मे ढील देलाक बाद देशमे FDI केर 34 प्रस्ताव आएल छल। अप्रूवल आऔर पेंडिंग जोडीकS कुल निवेश आएल 90 करोड़ रुपए। 2014-17 केर बीच कुल FDI निवेशक महज 1.17 करोड़ रुपया आएल अछि। खंडूरी जी होय किंवा फौजक असली हालक बात- ई खबरि एतेक छोट अछि, जे खबर आलतू फालतू केर हल्ला-गुल्लामे दबि कS शांत भ’ जाएत अछि।
नगाड़ा बजाबय बला लोक सेना सभक राजनीतिक उपयोग करैत अछि। बड़का जनरल पॉलिटिकल बयान दैत अछि। इंस्टंट ग्रैटिफिकेशन हेतु सेना सँ मुंबईमे मामूली रेल पुल बनाओल जाएत अछि। ओ सोचैत अछि कि देशप्रेमक नाराक कूल एड पीबिकS फौजी फिदा अछि, त’ हुनका आगाह कS देबाक चाहि कि फौज के’ लोक आऔर देशक गाम-जवारमे ओकर परिवारक लोक वर्तमान व्यवस्था सँ त्रस्त अछि, चिंतित अछि, सीमा पर हमर जवान लड़ि रहल अछि, ई डायलॉग चाबुक जकाँ चलबय बला कें साइत बुझल नहि छनि।
–
साभार- क्‍वींट। अनुवाद रामबाबू
Tags: darbhangaIndiamaithilimithilarafel
Share16TweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post

कर्जामे डूबल आईएल एंड एफएस पर केंद्र सरकार कएलक कब्जा

इंटरनेशनल क्राफ्ट्स अवॉर्ड्स लेल एंट्री शुरू, 30 अक्‍टूबर धरि करू आवेदन

2024 धरि बनि जायत दरभंगा एयरपोर्ट क अपन टर्मिनल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

एखनो अछि मिथिलाक छाती पर गरल सुगौली कील क टीस

by संपादक
March 5, 2017
1

Read more

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि