पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन राजधानी मे जवाहर लाल नेहरू पथ (बेली रोड) पर ‘अंतरराष्ट्रीय बिहार म्यूजियम’ क शिलान्यास केलथि। एहि अवसर पर ओ एहि संग्रहालयक उद्घाटन क तिथि सेहो घोषित केलथि। ओ कहला जे 22 मार्च, 2015 कए इ संग्रहालय लोकार्पित होएत। ओ कहला जे बिहार दिवस क मौका पर बिहार क लोक कए इ एकटा सनेस होएत। मुख्यमंत्री कहला जे कई साल स हम एकटा सपना संजोने रही जे एकटा उत्कृष्ट कोटि क संग्रहालय हो, जे बिहार क गौरवशाली आ ऐतिहासिक विरासत कए प्रदर्शित आ संरक्षित राखि सकी। आइ इ सपना क साकार हेबाक मार्ग प्रशस्त भ गेल। बिहार संग्रहालय अंतरराष्ट्रीय मानक क अनुरुप भव्य आ सुंदर होएत, जे सामाजिक आ सांस्कृतिक क केन्द्र बनत।
ओ पटना संग्रहालय क प्रशंसा करैत कहला जे एकर ख्याति देश-दुनिया मे पसरल अछि। जाहि ठाम जेतबा ऐतिहासिक चीज राखल गेल अछि, ओहि मे स बहुत चीज क ‘डिसप्ले’ नहि भ पाबि रहल अछि। ओकरा लग समुचित स्थान नहि अछि। एहन बेशकीमती वस्तु कए प्रदर्शित करबाक तरीका आधुनिक नहि अछि। कोन चीज कहिया क अछि आओर ओकर की ऐतिहासिक महत्व अछि ओकरा ठीक ढंग स प्रदर्शित नहि कैल जा सकल अछि। एकरा देखैत हमरा एकटा नव संग्रहालय क जरूरत महसूस भेल। तखन अंतरराष्ट्रीय स्तर क संग्रहालय क निर्णय लेल गेल। पटना संग्रहालय कए सेहो सुंदर ढंग स रखरखाव कैल जाएत। ओहि मे सबटा ऐतिहासिक चीज अत्याधुनिक तरीका स राखल जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे किछु मामला मे बिहार क इतिहास मानव सभ्यता क इतिहास अछि। एहि सब चीज क संबंध मे आजुक क युवा पीढ़ी कए जानकारी देब जरूरी अछि। ओ कहला जे नवका संग्रहालय लेल जगह क चयन ओ स्वयं किेलथि अछि। अत्याधुनिक तकनीकी पर केन्द्रित म्यूजियम क छत क ऊपर ‘वेदरिंग स्टील’ होएत, जे रंग बदलैत रहत। एकर अपन वित्तीय प्रबंधन होएत जे प्रोफेशनल ढंग स काज करत। एहि ठाम जे आउत ओ सब वाह-वाह कहत। भवन निर्माण मंत्री दामोदर रावत आओर उद्योग एवं आपदा प्रबंधन मंत्री रेणु कुशवाहा सेहो कहलथि जे बिहार संग्रहालय अपने-आप मे अदभुत होएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa