नई दिल्ली। आय हम सब द्रवित छी, मिथिला आ मैथिली संगीत कए एकटा अपूरणीय क्षति भेल। एकटा एहन क्षति जेकर रिक्त स्थान कए कियो नहि भरि सकत। अपन सबहक चिर-परिचित गायिका अंशुमाला आब हमरा सबहक बीच नहि रहलि। मैथिली संगीत क प्रति अंशुमाला क असीम अनुराग छलैन्ह आ प्राय: सब उत्कृष्ट मैथिली मंच पर हिनका अपन गायिकी स सुधि श्रोता कए सराबोर करैत छलीह। इ गप मणिमंजरी नाटक स पूर्व अंशुमाला लेल आयोजित श्रद्धांजलि सभा मे मैलोरंग क निर्देशक प्रकाश कहलथि। प्रकाश अंशुमाला क मैलोरंग संग जुड़ाव क चर्च करैत कहलथि जे काठक लोक क मंचन दिन हमरा अंशुमाला स भेंट भेल। ओ मैलोरंग स ततेक प्रभावित भेलथि जे मैलोरंग स जूड़ी गेलन्हि आ सदैव जुड़ल छलीह, कतेक नाटक मे पार्श्व स्वर क संग, एकटा नाटक मे अभिनय सेहो केने छलीह। हुनकर असमय अवसान हमरा सब कला प्रेमी क झंकझोरी क राखि देलक अछि। कला क क्षेत्र मे हुनकर योगदान चिर स्मरणीय रहत। प्रकाश एहि मौका पर उपस्थित दर्शक आ संस्था स अनुरोध केलथि जे ज्यों कियो संस्था वा व्यक्ति विशेष अंशुमाला क नाम स कोनो सम्मान क घोषणा करै चाहैत छथि त ओ एहि मंच स क सकैत छथि। अंशुमाला क नाम अनंत तक स्मरणीय हुए, हुनकर इ कामना अछि। एकर बाद दू टा सम्मान क घोषणा भेल। पहिल बी क्योर संस्था क कृष्ण कुमार झा अंशुमाला क नाम स साल मे १२ टा डाईलाइसिस क आॅपरेशन फ्री करबाक घोषणा केलथि। दोसर सीएमजे विश्वविद्यालय क संस्थापक सीएम झा हरेक साल 25 हजार रुपया सालाना अंशुमाला क नाम स देबाक घोषणा केलथि। एहि मौका पर ऋषि झा, कृष्ण कुमार झा, भुवन आदि अंशुमाला कए पुष्प अर्पित कए श्रद्धांजलि देलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa