• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

अदानी ग्रुप बिहार मे स्थापित करत बिजलीघर

May 27, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । बिजली किल्लत स जूझ रहल बिहार क लेल नीक समाद अछि। अदानी पावर लिमिटेड राज्‍य मे बिजली क क्षेत्र मे सात हजार करोड़ क निवेश करत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क मौजूदगी मे कंपनी अपन परियोजना क ब्योरा प्रस्तुत केलक। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे होइवाला हर निवेश क ओ स्वागत करैत छथि। ओ कहला जे अदानी पावर लिमिटेड बिजली क्षेत्र मे निवेश क इच्छा जतेलक अछि। एकर अध्ययन करि आगूक कार्रवाई कैल जाएत। मुख्य सचिव आगू‍क कार्रवाई क लेल कंपनी स गप करैत रहताह।
ओ कहला जे बिहार मे निवेश क असीम संभावना अछि। बिजली क अलावा फूड प्रोसेसिंग क क्षेत्र मे उद्योग स्थापित कैल जा सकैत अछि। बिहार क लीची आ लंगड़ा आम काफी प्रसिद्ध अछि। एकरा स्टोरेज करबाक आवश्यकता अछि। एकर लाभ किसान कए भेटत। हुनकर आर्थिक स्थिति मे सुधार होएत। एखन लीची क मौसम अछि, एहि लेल अगर अदानी ग्रुप मुजफ्फरपुर आ चंपारण क लीची क अध्ययन करि ओकर संरक्षण क उपाय करए, अपन सुझाव दिए आ कार्रवाई करए त हमरा नीक लागत।
एहि अवसर पर कंपनी क अध्यक्ष गौतम अदानी कहला जे बिहार मे निवेश क वातावरण तैयार भेल अछि। एहि स उत्साहित भ कंपनी कोल माइंस आ ऊर्जा क्षेत्र मे निवेश करबाक निर्णय लेलक अछि। 660 मेगावाट क दूटा यूनिट क स्थापना करबा अछि। उरमा पहाड़ी टोला मे कोल माइंस क विकास करबाक अछि। सात हजार करोड़ क एहि परियोजना स लगभग पांच हजार लोक कए रोजगार भेटत। एक लाख 25 हजार करोड़ क कारोबार करवाला इ कंपनी बिहार मे माइनिंग आ बिजली उत्पादन क क्षेत्र मे निवेश करबा लेल तैयार अछि। एहि मौका पर कंपनी दिस स पावर प्वाइंट प्रस्तुत सेहो भेल जाहि मे कंपनी क सबटा परियोजना कए विस्तार स बताउल गेल।
ज्ञात हुए जे 1988 मे स्थापित एहि ग्रुप क संस्थापक आ चेयरमैन गौतम अदानी छथि। एकर मुख्यालय अहमदाबाद मे अछि। फिलहाल एहि ग्रुप क 50 स बेसी कंपनी अछि। इ ग्रुप आधारभूत संरचना, बिजली उत्पादन, अंतरराष्ट्रीय व्यापार, बंदरगाह, विशेष आर्थिक क्षेत्र (सेज), माइनिंग, तेल आ गैस, कृषि आधापरत व्यवसाय, परयल एस्टेट आदि क्षेत्र मे कार्यरत अछि। अदानी पावर लिमिटेड गुजरात क कच्‍छ जिलाक मुंद्रा मे 4620 मेगावाट क कोयला आधापरत बिजलीघर लगा रहल अछि, जे देश मे सबस पैघ बिजली परियोजना अछि। एहि मे 1980 मेगावाट क पांचटा यूनिट अछि। इ दिसंबर, 2010 मे चालू होएत।

Tags: bihar governmentअदानी पावर लिमिटेड
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

संसदक कार्यकाल खत्‍म, नहि बनि सकल नेपाल क संविधान

Esamaad Epaper Website

दरभंगाक क सफाई क जिम्‍मा आब निजी कंपनी क हाथ मे

टीईटी लेल आवेदन पत्र क बिक्री पर रोक

Comments 1

  1. RAJ KUMAR PANDEY says:
    8 years ago

    elt iti

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

by संपादक
December 22, 2017
0

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

by संपादक
September 4, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि