• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अनहार नहि रहत आब बिहार : शिंदे

April 22, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

2012 तक सब घर मे पहुंचत बिजली

पटना। बिजली क कमी स जूझि रहल बिहार के लोक लेल उम्मीदक ईजोत देखा रहल अछि। केंद्रीय ऊर्जा मंत्री सुशील कुमार शिंदे क मानि त 2012 तक बिहार अनहार नहि रहत आ सब घर मे लालटेन क स्थान पर बल्ब लागि जाएत। एनटीपीसी मे एकटा यूनिट क उद्घाटन करबा लेल बाढ़ आयल शिंदे कहला जे 2012 तक बाढ़ मे एनटीपीसी परियोजना स बिजली उत्पादन शुरू भ जाएत, एहि स बिहार कए 500 मेगावॉट बिजली भेटत। बाढ़ एनटीपीसी क बाद शिंदे गया-डोभी मार्ग पर बार गाम क लग मे 765, 400, 220 युनिट क विद्युत उपकेंद्रक आधारशिला रखलथि। जेकर निर्माण क जिम्मेदारी पावर ग्रिड कॉरपोरेशन ऑफ इंडिया कए देल गेल अछि। केंद्रीय ऊर्जा मंत्री कहला जे 2011 मे शुरू भेला पर इ यूनिट उत्तर-पश्चिम क्षेत्र क लेल प्रवेश द्वार बनि कए उभरत। एहि केन्द्र स बिहार क संग-संग झारखंड, पश्चिम बंगाल आ उड़ीसा मे विद्युत आपूर्ति नियमित भ सकत। ओ कहला जे बिहार मे बिजली क खपत बढ़ी रहल अछि, एहन में राज्य सरकार कए उत्पादन बढ़बा लेल तत्काल डेग उइेबाक चाही, कमजोर पड़ल ट्रांसमिशन लाइन कए सेहो ठीक करब जरूरी अछि। बिजली निर्माण राज्य शुरू करत त भारत सरकार ओकर हर सहायता करबा लेल तैयार अछि। 28 अप्रैल कए दिल्ली मे शिंदे बिजली क समस्या कए दूर करबा लेल बिहार स प्रतिनिधिमंडल कए बजौलथि अछि, जाहि मे ऊर्जा राज्य मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह अपन अधिकारीक संग भाग लेताह।
एकर संगहि शिंदे कहला जे सूबा क धार्मिक आ ऐतिहासिक महत्ववाला स्थल पर अंडरग्राउंड केबल द्वारा बिजली क सप्लाई कैल जाएत। ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह क आग्रह पर शिंदे कहला जे बिहार आब अनहार नहि रहत। जतए स होएत बिहार कए आपूर्ति करब। बशर्ते राज्य सरकार सेहो बिजली उत्पादन करबा मे केन्द्र क सहयोग करए। ओ कहला जे बिहार मे बिजली क कम प्रोजेक्ट लगाउल गेल अछि। जे लगाउल गेल अछि ओहि मे सबटा केन्द्र सरकार क अछि। 8वीं, 9वीं आ 10वीं पंचवर्षीय योजना मे 56 हजार मेगावाट बिजली क निर्माण भेल। जे कम अछि। 11वीं पंचवर्षीय योजना मे 78 हजार मेगावाट बिजली तैयार करबाक लक्ष्य अछि। एहि लेल राज्य क सहयोग जरूरी अछि। एहि स पूर्व शिंदे वजीरगंज मे राष्ट्रीय समविकास योजना स निर्मित 132/33 केवी क विद्युत उपकेन्द्र क उद्घाटन केलथि।

Tags: gaya

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

महावीर मंदिर मे आब भेटत क्षीरम

बंद करू सड़क कए ऊंच करब : कोर्ट

सौ फीसदी कए पार करि गेल आठटा विभाग

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि