• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

अलीनगर मे साकार भ रहल अछि विकासक सपना

September 13, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

अलीनगर (दरभंगा)। दरभंगा जिलाक अलीनगर बिहार क राजनीति मे खास स्‍थान रखैत अछि। मुदा आई-काल्हि अलीनगर क पहचान एहि कारण स नहि भ रहल अछि जे इ बिहार मे नेता प्रतिपक्ष क विधानसभा क्षेत्र अछि, बल्कि अलीनगर आई अपन किसान क परिश्रम आ समर्पण लेल चर्च मे बनल अछि। अलीनगरक चारिटा गामक किसान एकटा भगिरथ प्रयास मे दिन राति एक केने छथि। अपन सूखल खेत तक पाइन ल जेबा लेल एहि ठामक किसान नदीक धार मोडबा मे लागल छथि। प्रकृतिक प्रकोप आ सरकारी उपेक्षा क कारण एहि क्षेत्र क अधिकतर खेत मे लागल फसल पटवन क अभाव मे झूलसी गेल अछि। किसानक आरोप अछि जे स्‍थानीय विधायक कहबा लेल बिहार मे नेता प्रतिपक्ष जरूर छथि मुदा किसान क एहि समस्‍या कए निराकरण करबा लेल कहियो प्रयासरत नहि रहलाह। मिर्जापुर, बघेला मनहर आ ननकार गामक किछु पैघ किसान त पंपिंग सेट स रोपनी क लेलथि मुदा फसल बचेबा लेल हुनको मुश्किल भ रहल अछि। सूखाइत फसल देखबाक बावजूद क्षेत्र मे सरकारी तंत्र क विकलांगता दूर नहि भ पाबि रहल छल। किसानक आंखिक सामने हुनकर मेहनत आ भविष्‍य झुलसि रहल छल। खेती पर आश्रित किसान क बैचेनी बढैत गेल। किसान कए कोनो उपाय नहि देखा रहल छल। मिर्जापुर बघेरा चौर मे मनहार आ ननकार क किसान क सेहो करीब छह सौ एकड मे लागल फसल सूखा गेल। तखन स्‍थानीय किसान सब मिल कए अपन स्‍तर पर निकारण करबाक फैसला लेलथि। चारू गामक किसान बैसार क तय केलथि जे अगर बघेला घाटकलग नदी कए धार गाम दिस मोडि देल जाए त खेत तक पाइन पहुंचाउल जा सकैत अछि। बैसार मे तय भेल जे संपन्‍न किसान गाडी आ जमीन देताह आ गरीब किसान श्रमदान करताह। बैसारक अगिला दिस स जमीन पर काज शुरू क देल गेल। गाडी स माइट खसायब शुरू भेल। किसान सपरिवार श्रमदान क बांध तैयार करबा मे लागि गेलाह। खेत मे पटवन क व्‍यवस्‍था क सपना साकार हेबाक दुहारि पर पहुंच चुकल अछि। जाति आ धर्म क भेद स कोसो दूर इ चारू गामक लोक खेत मे पाइन पहुंचेबा लेल एक भ चुकल छथि। बांधक काज मे लागल कोन किसान कोन जाति आ कोन धर्मक अछि इ कोनो माने नहि रखैत अछि। चंद्रमोहन मिश्र कोदारी स माटी काटी टोकरी भरि रहल छथि आ निसारूल ओ टोकरी कए उठा ल जा रहल छथि। भरोसी यादव क टोकरी मे माइट तिरपित राम द रहल अछि। सरकारी उपेक्षा क दर्द जरूर अछि मुदा अपन मेहनत पर सब किसान कए भरोस अछि। सबहक एक सुर मे कहब अछि जे सरकार, मंत्री, विधायक सब किछु करत इ सोचब छोडि चुकल छी। प्रकृति जखन हमरा सब पर खिसिया गेल अछि त हुनका स कोनो शिकायत किया करि। आब त बस इ बांध क निर्माण कोना आ कहिया पूरा होएत तेकर गप करू। हम सब हर हाल मे एहि बांध कए जल्‍द स जल्‍द पूरा करबा मे लागल छी। बांध लगभग पूरा हेबाक क्रम मे अछि। अलीपुर क एहि चारि गामक किसानक जिद आ परिश्रम देखि आसपासक गाम क किसान ऐहो दंग छथि। मुदा आश्‍चर्य जे श्रमदान करबा लेल सेहो स्‍थानीय विधायक एखन धरि हाथ नहि बढेलाह अछि। एहन मे नेता या सरकारी तंत्र कए कोसबा स नीक लागल जे दू टोकरी माइट बांध पर फेंक देल जाए।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा-3 : जल प्रबंधन मे बिहार क हाथ बांधि रखने अछि केंद्र

Esamaad Epaper Website

चीनी आ कागज उद्योग मे निवेश करत वेदांता

Esamaad Epaper Website

इ राजनीति बिहार क हित मे अछि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

चंदा करि पुलिस चौकी बना देलक गामक लोक

by संपादक
February 22, 2010
0
Esamaad Epaper Website

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि