• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

अशोक पेपर मिल मे आगि लगेबा लेल आखिर के जिम्‍मेदार

August 8, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

कमलेंद्र
नई दिल्‍ली।
दरभंगा जिलाक रामेश्‍वर नगर स्थित अशोक पेपर मिल मे मंगलदिन आगि लागि गेल। मिल प्रबंधन क दावा अछि जे एहि अगलगी मे करीब 20 टन कागज राख भ गेल। मिल प्रबंधन एहि घटना लेल मिल मजदूर कए जिम्‍मेदार ठहरा रहल अछि आ एहि संदर्भ मे अशोक पेपर मिलक गेट पर स्थित थाना मे एकटा प्राथमिकी सेहो दर्ज करा देल गेल अछि। मुदा स्‍थानीय लोक आ मिल मजदूरक आरोप मिल प्रबंधन क दावा क ठीक उलट अछि। हिनकर सबहक कहब अछि जे मिल प्रबंधन काफी दिन स मिलक पुरान मशीन बेचबाक फिराक मे अछि। एहि लेल मिल मालिक कोर्ट क दुहारि सेहो खटखटा चुकल छथि, मुदा कोर्ट स सेहो हुनका एहि लेल अनुमति नहि भेटल। मिल चलेबाक बढैत दबाव क बीच मिल प्रबंधन एहि घटना कए अंजाम देलक अछि। मजदूरक कहब अछि जे 20टन कागज जरैत रहल आ मिलक गेट पर स्थित थाना कए एकर पता तक नहि चलल इ विश्‍वास करबा योग्‍य गप नहि अछि। स्‍थानीय लोकक सेहो कहब अछि जे मिल मे प्रबंधन दिस स आगि लगाउल गेल अछि। सथानीय लोक बहुत दिन स मिलक पहरेदारी मे लागल दथि जे मिल स कोनो प्रकारक मशीन बाहर नहि जाए। एहन मे मिल प्रबंधन पिछला किछु दिन स भोर मे बालू क ट्रक मंगबा रहल छल, जाहि पर कागज मे लपेट कए किछु छोट-मोट मशीन बाहर पठाउल जा रहल छल। पिछला दस दिन स मजदूर आ ग्रामीण एहि पर नजरि टिकेने छल। जखन एहि गप क सत्‍यता सामने आयल त एकर विरोध शुरू भेल। विरोध कए बढैत देख मिल प्रबंधन आनन-फानन मे आगि लगा देलक। मजदूरक कहब अछि जे बहुत रास कागज त मिलक बाहर पठाउल जा चुकल अछि आब मिल प्रबंधन ओकरा जरबाक गप कहि अपन कुकर्म नुकेबाक प्रयास मे अछि। सबस पैघ गप इ अछि जे एहि पूरा मामला मे मिल क गेट पर स्थित पुलिस थाना क भूमिका संदिग्‍घ बनल अछि। दोसर दिस सरकार सेहो मार्च मे एहि मिल कए तीन मास मे चालू करबाक सदन मे धोषणा क चुकल अछि, जेकर अवधि पूरा भ गेल अछि। एहन मे सरकार आ मिल प्रबंधन दूनू कए मिल चालू नहि करबाक एकटा बहाना चाहैत छल। निश्चित रूप स इ घटना दूनू कए इ कहबा मे मदद करत जे मिल चालू करबाक इचछा छल मुदा ओ पूरा नहि भ सकल।

की चाहैत छथि गोधा

नवक्यू कैपिटल एंड फाइनांस लि. क चेयरमैन आओर अशोक पेपर मिल क मालिक धरमगोधा क कहब अछि जे अशोक पेपर मिल कए चलायब मुश्किल अछि। कोलकाता हाईकोर्ट क निर्देश पर अशोक पेपर मिल क निरीक्षण करबा लेल किछु मास पहिने दरभंगा आयल गोधाक मंशा मिलक मशीन कए बेचबाक अछि। एहि दौरान हुनकर संग हाईकोर्ट क प्रतिनिधि क रूप मे आयल अमित बंधोपाध्याय आओर मो. शकील सेहो मिल परिसर क गहन निरीक्षण केलथि। मिल क एक एकटा पार्ट पुर्जा कए जांचलाह, परखलाह आ परिसर क स्थिति पर सेहो नजरि देलाह। निरीक्षण क बाद पत्रकार सबहक प्रश्‍नक उत्‍तर दैत धरमगोधा कहला जे हम बहुत दिन स कोर्ट कए इ कहबा क कोशिश कए रहल छी जे इ मिल आब नहि चलि सकैत अछि, मुदा किछु लोक इ मानबा लेल तैयार नहि छथि, हमरा जे मिल भेटल ओ चलबा योग्‍य नहि छल, हम एहि ठाम नव मशीन लगेबा लेल कोर्ट क आदेश मांगी रहल छी। जाहि लेल कोर्टक प्रतिनिधि क संग एहि ठाम आयल छी। धरम क गप कए समर्थन दैत हाईकोर्ट क प्रतिनिधि कहला जे मिलक हालत सही मे खराब अछि। छोट आ पैघ दूनू मोटर क्षतिग्रस्त भ गेल अछि। कोनो मिल कए चालू करबा लेल एहि दूनू यंत्र क बहुत अधिक महत्व होइत अछि। एकर अलावा मिल स कईटा पार्ट पुर्जा सेहो गायब भ चुकल अछि।

की कहब अछि कर्मचारी सबहक

दोसर दिस मिल स जुडल एकटा पूर्व सदस्‍य कहला जे इ मिथिलाक संपत्तिक लूट भ रहल अछि। कर्मचारीक साफ कहब अछि जे बिना नवका मशीन अनने पुरान मशीन कए बेचबाक साजिश नाकाम कैल जाएत। हुनक कहब अछि जे अशोक पेपर मिल बिहारक आन मिल कए जेकां जहिया अध्रिहण भेल ठीक ठाक चलि रहल छल। सरकार पहिने एकरा अधिग्रहण केलक आ बाद मे घाटा देखा बंद कए देलक। हजार स बेसी परिवार सडक पर आबि गेल। मामला कोर्ट मे गेल त उम्‍मीद बनल। कोर्ट मिल कए निलाम केलक आ औने पौने दाम मे धरमगोधा एकरा कीन लेलक। जोरशोर स एकरा चालू करबाक नौटंकी भेल आ मिलक नाम पर धरमगोधा बैंक स कर्ज सेहो ल लेलक, मुदा मिल एक दू दिन चलि कए बंद भ गेल। इ गप 1997 ’98 क छी। एकर बाद धरमगोधाक नजरि मिलक मशीन पर अछि। ओ एकरा कबाडा साबित करबा मे लागल अछि। अगर कोर्ट मे इ साबित भ गेल जे मशीन कबाडा अछि त कई करोडक कबाडा बेच ओ एहि ठाम स भागि जाएत। एकटा अन्‍य पूर्व कर्मचारीक कहब छल जे स्‍थानीय नेता एहि मिल कए ल कए एतबा उदासीन छथि जे मिल कए सामान बेचबाक प्रयास भ रहल अछि आ ओ सुतल छथि। मिथिलाक इ दुर्भाग्‍य अछि जे पहिने मिल बिकायल आ आब ओकर सामान बेचबाक गप भ रहल अछि। जखन कि मिल खुलबाक कोनो उम्‍मीद करब बेवकूफी बुझबा मे अबैत अछि।

मार्च मे की कहने छल सरकार

मार्च मे बिहार सरकार क दावा छल जे अगिला तीन मास मे दरभंगा स्थित अशोक पेपर मिल खुलबाक प्रक्रिया शुरू भ जाएत। विधान परिषद मे उद्योग मंत्री रेणु कुशवाहा कहलथि जे अशोक पेपर मिल खुली रहल अछि आ आब एहि ठाम मात्र कागज नहि बनत बल्कि चीनी क उत्‍पादन सेहो होएत। ओ कहलथि जे अशोक पेपर मिल परिसर मे कागज संग संग चीनी उत्पादन करबाक सेहो योजना अछि। मिश्री लाल यादव क अशोक पेपर मिल कए चालू करबाक आ ओकर संपत्ति कए रक्षा करबा संबंधित ध्यानाकर्षण क जवाब दैत मंत्री कहलथि जे मिल चालू भ रहल अछि जे आ मिल चालू भेला पर राज्‍य मे रोजगार क नव अवसर पैदा होएत। ओ कहलथि जे मिल मे बिजली आपूर्ति चालू करबा लेल राशि जमा क देल गेल अछि। मिल कर्मी कए बकाया मद मे आंशिक भुगतान क व्यवस्था कैल गेल अछि आ मिल मे उत्पादन शुरू भेला पर बकाया भुगतान कैल जाएत।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

पुरातात्विक स्थल आ स्मारक क संरक्षण पर खर्च होएत 100 करोड़

Esamaad Epaper Website

गंगा एक्सप्रेस-वे कए मंत्रिपरिषद क मंजूरी

Esamaad Epaper Website

नीतीश केलथि दरभंगा आ पूर्णिया स हवाई सेवा शुरू करबाक अनुरोध

Comments 1

  1. kamalendra jha says:
    10 years ago

    aur aage ki jankari vedio ke sath kal sham tak bhejuga mam……

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

गांधीजी की छलाह ?

by संपादक
October 2, 2019
0
गांधीजी की छलाह ?

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि