• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

अहां स इ उम्मीद नहि छल सिद्दीकी जी

April 5, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

17टा राजद सदस्य चलल छल सरकार खसेबा लेल
पटना । लोकतंत्र मे सरकार कए निरंकुश बा तानाशाह हेबाक डर तखन बढि जाइत अछि जखन विपक्ष मूर्ख आ लापरवाह भ जाइत अछि। 4 अप्रैल कए विधानसभा मे जे किछु भेल ओ देखि बस एतबे कहल जा सकैत अछि जे लालू त नहि सुधरता मुदा अहां स इ उम्मीद नहि छल सिद्दीकी जी। नेता प्रतिपक्ष बनलाक बाद सिद्दीकी स उम्मीद बनल छल जे ओ एकटा संभ्रांत आ शिक्षित विपक्ष क भूमिका मे रहताह, मुदा अगर लोक-लाज, मर्यादा, मान्य परंपरा कए एहिना कात लगा देल जाएत त संसदीय लोकतंत्र मे किछु संभव अछि। अब्दुलबारी सिद्दीकी सन गंभीर आ शिक्षित नेता प्रतिपक्ष कए रहैत अविश्वास प्रस्ताव सन गंभीर मसला कए एना मजाक बना देल जाएत, सहसा विश्वास नहि भ रहल अछि।
एसी-डीसी बिल पर हंगामा त बुझबा मे आयल आ ओहि मसला पर सदन स बाहर जाएब सेहो गलत नहि कहल जा सकैत अछि। मुदा शून्यकाल क दौरान जे भेल ओ नेता प्रतिपक्ष क मंजूरी क बिना त नहि भ सकैत अछि। विपक्षक मांग पर पत्रकार दीर्घा मे बैसल पत्रकार हैरान छलाह आ आसन (विधानसभा अध्यक्ष) आश्चर्यचकित। अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी सदन मे बैसल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स पूछलथि -‘विपक्ष एसी-डीसी बिल मसला पर अविश्वास प्रस्ताव अनबाक अनुमति चाहैत अछि।’ मुख्यमंत्री विपक्ष क एहि मूर्खता पर बिना कोनो समय बर्बाद केने कहलो-‘विपक्ष, अविश्वास प्रस्ताव अनबा लेल तैयार अछि त हमरा सब कए कोनो आपत्ति नहि, इ विपक्ष क अधिकार अछि। प्रोसीड कैल जाए।’
विपक्ष क किछु सदस्य सेहो एहि मसला पर हैरान छलाह जे सदन मे इ की भ रहल अछि। गैर राजद सदस्य सोचैत रहलाह जे आखिर इ प्रस्ताव किया आनल जा रहल अछि, ताहि पर स आखिर सरकार एतबा जल्दी राजद क प्रस्ताव पर कोना सहमत भ गेल? एहि ऊहापोह मे अध्यक्ष कहला-‘चलू , लाउ प्रस्ताव।’ किछु काल लेल राजद क सदस्य इ तक तय नहि क पाबि रहल छलाह जे आखिर अविश्वास प्रस्ताव मूव के करते? नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दिकी सदन मे मौजूद नहि छलाह। देरी भेला पर संसदीय कार्य मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव ढार भेलाह आ कहला कहा- ‘मूव किया नहि भ रहल अछि प्रस्ताव? प्रस्ताव आनब तखन त वोटिंग क समय फिक्स होएत।’
आखिरकार राजद क दुर्गा प्रसाद सिंह अविश्वास प्रस्ताव क सूचना कए औपचारिक रूप स पढ़लथि। कहला- कायर्संचालन नियमावली क नियम 109 क अंतर्गत हम अविश्वास प्रस्ताव क सूचना दैत छी।’
दुर्गा बाबू क सूचना जहिना खत्म भेल विधानसभा अध्यक्ष कहला-‘जे अविश्वास प्रस्ताव क पक्ष मे छी ओ ढार भ जाउ।’ किछु सदस्य अकबका गेलाह, पूछलाह -‘ढार भ जाउ?’ आसन ‘हां’ मे माथ हिला देलक। राजद विधायक अपन सीट पर ढार भ गेलाह। कांग्रेस आ निर्दर्लीय विधायक अपन सीट पर बैसल रहलाह। एकर बाद अध्यक्ष अधिकारी कए ढार विधायक कए गिनती करबा लेल कहला। तुरंत एलान भेल-‘संख्या केवल 17 अछि। एतबा कम संख्या मे त अविश्वास प्रस्ताव पर वोटिंग नहि भ सकैत अछि। एहि लेल कम स कम 23 क संख्या चाही।’ एकर बाद सत्ता पक्ष जेतबा राजद क विधायक कए बेइज्जत केलक ओ बेइज्जती ओहि जनता लेल सेहो छल जे हिनका सब कए चुनाव मे जीता कए विधानसभा पहुंचा दैत अछि। राजद क राघवेंद्र प्रताप सिंह क इ कहब एकदम कुंठाग्रस्त लोकक बयान अछि जे ‘संविधान क ज्ञान हुनको छैन आ अगर राजद सदस्य कए किछु ज्ञान नहि अछि त हुनका सब कए सदन स आउट करा देल जाए।’ मुख्यमंत्री आ उपमुख्यमंत्री त इशारे स ‘ना’ मे हाथ हिला देलथि, लेकिन राघवेंद्र बाबू क सवाल क उत्तर त असल मे नेता प्रतिपक्ष कए देबाक अछि जे हुनकर अनुमतिक बिना एतबा पैघ प्रस्ताव सदन मे पेश कोना भेल। निश्चित रूप स सिद्दीकी एकरा लेल जिम्मेदार छथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

पूर्णिया मे रद्द होएत 2000 एकड़ जमीन क निबंधन

Esamaad Epaper Website

बिहार स नहि जा रहल अछि जगन्नाथ-लालू राज

Esamaad Epaper Website

पटना मे बनत मिथिला पेंटिंग क सबस पैघ संग्रहालय

Comments 1

  1. Santoshi Kumar says:
    10 years ago

    Dhanybad. Ehan rochak aa parihaspurn ghatnak jankari prakasit karak lel. Ghatna ta 4th Aprilak chhi muda bujha rahal achhi jena pratipaksh ohi din “April Fool” mana rahal ho.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि