• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आउ मिल कए बनाबी बिहार

October 21, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

nitish_2010
पटना। पटना में आयोजित समागम मे बिहार क नेता एक मंच स बिहारक तरक्की क नारा बुलंद कलथि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार कए 2015 तक विकसित राज्य बनेबा क भरोसा देलथि त आरजेडी सुप्रीमो लालू प्रसाद बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा देबाक मांग केलथि। काफी दिनक बाद बिहार मे एकटा एहन समागम भेल जाहि मे विकास कए ल कए तड़प साफ नजरि आयल। एहि कार्यक्रम मे तमाम दलक नेता आ अलग-अलग क्षेत्र क हस्ती बिहार क विकास क भूमिका पर चर्चा करबाक मकसद स शामिल भेलाह। सब गोटे राज्य क विकास क लेल राजनीति बिसरी कए साझा अभियान चलेबा पर सहमति बनौलथि। इ आम राय बनल जे बिहार क विकास क लेल सबकए मिलकए लड़बाक अछि। हालांकि शिवानंद तिवारी सन किछु दलबदलु नेता एहि मुद्दा पर आरोप-प्रत्यारोप क पुरान राग अलापबा से नहि चुकलथि, मुदा आन कोनो नेता क बोली मे इ गप सामने नहि आयल। कुल मिलाकए राजनीति मे धुर विरोध आ अलग-अलग विचारधारा क बावजूद एहि मंच पर राजनीति नदारद रहल। सब इ सेहो मानलथि जे कि केंद्र सरकार बिहार क संग लगातार भेदभाव कैल जा रहल अछि। समागम मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद, फिल्म अभिनेता आ सांसद शत्रुघ्न सिन्हा, कांग्रेस प्रवक्ता डॉ शकील अहमद, सांसद शिवानंद तिवारी, भाकपा माले क महासचिव दीपांकर भट्टाचार्य, प्रसिद्ध गांधीवादी चिन्तक रजी अहमद, पूर्व विदेश सचिव मुचकुंद दुबे आ डीजीपी आनंद शंकर अपन राय रखलथि।
कार्यक्रम क मुख्य वक्ता मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे न्याय क संग विकास हुनकर लक्ष्य अछि। मुख्यमंत्री कहला जे विकास मे राज्य क सब लोक भूमिका हेबाक चाही। ओ 2015 तक बिहार कए विकसित राज्य बना देबाक दावा केलथि। ओ कहलथि बदलाव भ रहल अछि। पहिने पटना मे कतहु-कतहु लड़की साइकिल स स्कूल जाइत छल। आइ गाम-गाम मे लड़की साइकिल स स्कूल जा रहल अछि। इ पैघ बदलाव अछि।
एहि मौका पर लालू प्रसाद सेहो गंभीरता स अपन राय रखलथि। ओ बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा देबाक मांग केलथि। हुनकर मानी त 2020 तक बिहार क दशा बदलबा लेल जरूरी अछि जे बिहार क संग भ रहल भेदभाव बंद हुए। राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद इ कहिकए सबकए हैरत मे डालि देलथि जे केंद्र क कोनो सरकार बिहार क संग न्याय नहि केलक। ओ अपन दिस स इ पेशकश सेहो केलाह जे अगर राज्य क विकास क लेल कोनो गैर-राजनीतिक फोरम बनैत अछि त ओ पूरा ताकत स संग देबा लेल तैयार छथि।
कांग्रेस प्रवक्ता डॉ शकील अहमद कहला जे जिम्मेदार लोक अपन स्वार्थ छोड़थि आ सबहक भलाई मे अपन भलाई देखथि त राज्य क विकास संभव अछि। भाजपा सांसद शत्रुघ्न सिन्हा कहला जे सत्ता क मुख्य धर्म मानवता क विकास करब अछि। ओ एहि लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क कामकाज क तारीफ केलाह। मुदा एहि बातक चिंता सेहो जाहिर केलथि जे विकास क योजना समय पर पूरा नहि भ रहल अछि। ओ रेलमंत्रीक रूप मे लालूक सेहो प्रसंशा केलथि आ कहलथि जे लालू एकटा नीक रेलमंत्री भेलाह।
भाकपा माले क महासचिव दीपांकर भट्टाचार्य कहला जे राज्य सरकार मे भूमि सुधार लागू करबाक इच्छाशक्ति नहि अछि। ओ कहलथि जे आइ बिहार स्थित बैंक मे 24 हजार करोड़ टका जमा अछि, आखिर किया ने ओहि राशि कए बिहार मे निवेश करेबाक कोशिश भ रहल अछि। प्रसिद्ध गांधीवादी रजी अहमद कहला जे गैर बराबरी पर आधारित विकास स समाज कए कोनो लाभ नहि होयत।
पूर्व विदेश सचिव मुचकुंद दुबे कहला जे राज्य मे नक्सली समस्या क निदान जरूरी अछि। दुबे कहला जे ओ समान स्कूल आयोग क सिफारिश सौंप देने छलाह, मुदा पता नहि ओहि रिपोर्ट पर की कार्रवाई भेल।

Tags: Biharnewspatnaपटनाबिहार

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

ब्रांडेड तरकारीक पहिल चेन बिहार मे

अस्ताचलगामी सूर्य कए अर्घ आइ

हिरोशिमा तक पहुंचत बिहार क शांति संदेश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि