• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

आखिर कहिया खत्म होएत भागलपुर क दुर्दिन

April 15, 2013
in विचार, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

विकास रथ कए पंचर क रहल अछि सांसद आ विधायक क बीचक छतीस क आंकड़ा

प्रीतिलता मल्लिक
कोनो शहर लेल इ सबस कष्टकारी होइत अछि जखन ओ अपन दूटा नेताक झगड़ा क कारण स विकास क दौड़ पाछु रहि जाइत अछि। उपलब्ध अवसर स वंचित भ जाइत अछि। भागलपुर मे जेना भाजपा नेता क आपसी कलह सामने आबि रहल अछि ओकर असर 2014 क लोकसभा चुनाव पर कतेक पड़त इ त बाद मे पता चलत मुदा भागलपुर क विकास लेल इ घातक अछि।
भागलपुर क दुर्दिन कहल जाए जे एहि ठाम क विकास लेल दूटा सांसद काज क रहल छथि मुदा चौबे सन नेता अपन स्वार्थक पूर्ति लेल विकास मे बाधक बनि रहल छथि।  भागलपुरक इतिहास पर गौर कैल जाए त कांग्रेस क सांसद रहल भागवत झा आजाद आ शहरी क्षेत्र क विधायक रहल कांग्रेस क प्रो शिवचंद्र झा क आपसी झगड़ा क शिकार भागलपुर बनैत रहल। एकटा समय छल जखन बिहार क मुख्यमंत्री क कुर्सी भागवत झा आजाद कए भेटल छल आ विधानसभा क स्पीकर छलाह प्रो झा। ओ समय भागलपुर क विकास क स्वर्णिम काल बनि सकैत छल। मुदा आपसी द्वंद भागलपुर क विकास पर ग्रहण लगा देलक। ओ ग्रहण एखन धरि लागल अछि। सरकार बदलि गेल, दल बदलि गेल, नाम बदलि गेल, मुदा सांसद आ विधायक क बीच विवाद क इतिहास नहि बदलल।
आइ सांसद निशिकांत दूबे आ शाहनवाज हुसैन क भागलपुर क विधायक आ राज्य क स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे स छतीस क आंकड़ा अछि। बिहार मे घोषणामंत्री क नाम स प्रख्यात चौबे भागलपुरक विकास लेल सांसद दिस स कैल जा रहल कोनो प्रयास कए रोकबा लेल जान लगा दैत छथि। दूनू गुट क कार्यकर्ता क सेहो एक दोसर कए विरोध करबा मे ऊर्जा खर्च भ रहल अछि। भाजपा क स्थानीय सांसद सैयद शाहनवाज हुसैन कहब अछि जे जनता सब चीज जनैत अछि। झगड़ा क स्तर इ अछि जे हुसैन अगर एयरपोर्ट खोलबा लेल प्रयास करैत छथि त चौबे ओकर विरोध मे उतरि जाइत छथि। होली सन मौका पर संसद हुसैन संग चौबे मंचासीन नहि भेला। आइ बिहार मे शायद भागलपुर असगर संसदीय क्षेत्र अछि जाहि ठाम विकास करबा आ रोकबा लेल भाजपा क सांसद आ भाजपा क विधायक मंत्री खुलेआम शब्द वाण एक दोसर पर दागबा लेल आतुर रहैत छथि। एहन झगड़ा क राजनीति स भागलपुर क विकास जेना हेबाक चाहैत छल तेना नहि भ सकल। जखन कि बिहार मे भाजपा क सरकार अछि आ एकटा नहि बल्कि दूटा सांसद भागलपुर लेल काज क रहल अछि। आधुनिक हवाई अड्डा, कोनो पैघ उद्योग बा कारखाना किछु भागलपुर मे नहि भ सकल किया त एहि लेल प्रयास घोषणामंत्री क विरोधी क रहल छलाह। जखनकि बिहार क घोषणामंत्री अपन क्षेत्र मे कोनो योजना कए घोषणा स आगू नहि ल जा सकलाह। भागलपुर मे हृदय रोग, मस्तिष्क घात या दोसर गंभीर रोग क इलाज क बेहतर सुविधा नहि दिया सकलाह। अगर दूनू नेता अपन अपन काज करितथि त भागलपुर बिहार क विकसित शहर भ गेल रहिते। इ सोचब जे 2014 लोकसभा चुनाव मे जनता कांग्रेस क खिलाफ रहत आ भाजपा एकमात्र विकल्प रहत भाजपा लेल घातक होएत। एक दिस इ आपसी कलह कार्यकता मे जहर घोलि रहल अछि त दोसर दिस मतदाता सेहो परेशान छथि। मतदाता क कहब अछि जे निशिकांत दुबे त झारखंड चल गेलाह, कहीं शाहनवाज कए भागलपुर स भगेबाक मुहिम मे चौबे सफल भ गेलाह त भागलपुर लेल इ पैघ क्षति होएत।
कहल जाए त चौबे तपल तपायल नेता छथि। भागलपुर मे हुनकर एकटा अलग पहचान अछि। ओ पांच बेर लगातार भागलपुर शहरी क्षेत्र स विधानसभा क चुनाव जीत रहल छथि आ नीतीश सरकार मे मंत्री छथि। जखन कि शाहनवाज दरभंगा प्रमंडलक क छथि आ भागलपुर स सांसद छथि जखन कि निशिकांत दूबे मूल रूप स भागलपुरक छथि मुदा लोकसभा चुनाव झारखंड क गोड्डा सीट स जीतल छथि। सूत्र क कहब अछि जे भागलपुर क पूर्व सांसद भागवत झा आजाद क पुत्र आ दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद भागलपुर स चुनाव लड़बाक मन बना रहल छल्लाह, मुदा चौबे क कार्यशैली आ भागलपुर मे हस्तक्षेप देखि एक बेर फेर स दरभंगा क्षेत्र मे सक्रिय हेबाक फैसला केलथि अछि। ओना लोकसभा चुनाव मे टिकट बंटबाक जिम्मा जाहि समिति लग अछि शाहनवाज ओकर सदस्य छथि ताहि लेल भागलपुर स हुनकर पत्ता काटब चौबे लेल एतबा आसान त नहि होएत, मुदा एतबा जरूर जे इ झगड़ा स भागलपुर क विकास बाधित होइत रहत।
देखल जाए त हुसैन कए जहिया भागलपुर स टिकट देल गेल तखने स चौबे हुनक विरोध क रहल छथि। चौबे आ हुसैन क संबंध शुरू स सामान्य नहि रहल। चौबे आ शाहनवाज कोनो मंच पर एक संग बहुत कम देखाइत छथि। ओना त हुसैन आ चौबे क झगड़ा भागलपुर एयरपोर्ट मामला क बाद मुखर भ गेल। केंद्रीय मंत्री बनलाक बाद हुसैन क सपना छल जे पटना क बाद भागलपुर स वायुसेवा शुरू हुए, एहि लेल ओ भागलपुर क एयरपोर्ट कए विकसित करबा लेल योजना तैयार केलथि। हुसैन क एहि प्रयास स भागलपुर क विकास कए आसमान भेट सकैत छल, निवेशक सीधा भागलपुर आबि सकैत छल। मुदा चौबे एकर विरोध क देलथि आ योजना आइ धरि कागज पर अछि। ओना चौबे जीक नवका निशाना निशिकांत छथि। एहि साल रेल बजट मे पीरपैंती-जसीडिह रेल लाइन पास भेल। एकर श्रेय सांसद क हैसियत स ओ ल रहल छथि। मुदा चौबे एहि लेल हुनका श्रेय देबा लेल तैयार नहि छथि। चौबे क दावा अछि जे पीरपैंती-जसीडिह रेल लाइन वाजपेयी क प्रधानमंत्रित्व काल मे मंजूर भ चुकल अछि। चौबे क एहि दावा कए निशिकांत दूबे झूठ क पुलिंदा कहलथि। दुबे कहला जे एहि परियोजना क सर्वे 2011-2012 मे भेल आ 2013-2014 बजट मे शामिल कैल अछि। एकरा लेल झारखंड सरकार स 700 करोड़ दिया कए योजना कए जल्द पूरा करेबाक कोशिश कैल अछि। दरअसल चौबे जी अपने त किछु करैत नहि छथि आ अनकर काज कए सेहो स्वीकार करबा मे हुनका दिक्कत होइत अछि। सवाल अछि एक दोसर कए पाछु करबाक चक्कर मे आखिर कहिया तक भागलपुर पाछु होइत रहत। सवाल भागलपुरक अछि कोनो सांसद या विधायक क व्यक्तिगत स्वार्थ क नहि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार क विकास रोकनिहार मोदी प्रेमी!

जलजमाव पर भेल दरभंगा मे एतिहासिक बैसार

Esamaad Epaper Website

जर्जर हवाई अड्डा क सौंदर्यीकरण मे जुटल बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

by संपादक
December 22, 2017
0

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

by संपादक
September 4, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि