• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

आखिर भेटल बरौनी कए कोल लिंक

July 25, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्ली। केंद्र सरकार आखिरकार बिहार सरकारक बहुत पुरान मांग कए पूरा क देलक। भेट रहल जानकारी के अनुसार केंद्र सरकार बिहारक बरौनी ताप संयंत्र क विकास लेल कोल लिंक द देलक अछि। केंद्र सरकार कोल इंडिया कए कहलक अछि जे जाधरि बिहार अपन आवंटित कोल ब्‍लाक स कोयलाक उत्‍पादन नहि करैत अछि ता धरि ओ टैपरिंग लिंकेज क तहत बिहार कए कोयला दैत रहए। बिहार कए आवंटित उरमा पहाड़ीटोला मे अगिला साल कोयला क उत्पादन शुरू हेबाक आसार अछि। हालांकि सही रूप मे उत्पादन तीन साल बाद भ सकत।
केंद्र क एहि फैसला स बिहार बिजली क क्षेत्र मे एकटा पैघ बाधा कए पार क लेलक अछि। ओना एहि संयंत्र लेल बिहार कए कोल ब्‍लॉक आवंटित अछि, मुदा राज्‍य सरकार कोल ब्‍लॉक स कोयलाक उत्‍पादन मे देरी कए देखैत कोल लिंकेज क मांग करैत रहल अछि। उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि जे केंद्र क एहि फैसलाक बाद बरौनी स बिहार कए रोशन करबाक सपना पूरा भ सकत। ओना किछु लोक एकरा राष्ट्रपति चुनाव मे कांग्रेस प्रत्याशी प्रणब मुखर्जी कए देल गेल समर्थन क असर बता रहल अछि। अगर इ सच अछि त राज्‍यहित लेल पहिल बेर बिहारक कोनो सरकार केंद्र स एहन सौदाबाजी केलक अछि। ओना एहि प्रकारक सौदाबाजी दक्षिण भारत मे होइत रहल अछि। उत्‍तर भारत लेल इ नव परंपरा कहल जा सकैत अछि। एकटा दैनिक मे छपल समाचारक अनुसार कोयला मंत्री श्रीप्रकाश जायसवाल कोल इंडिया कए निर्देश देलथि अछि जे ओ बरौनी बिजलीघर क विस्तार क्षमता लेल पर्याप्त मात्रा मे कोयला उपलब्ध कराबै। बरौनी मे 250-250 मेगावाट क दूटा नवका इकाइ लगाउल जा रहल अछि। जायसवाल कोल इंडिया कए फिलहाल ‘टैपरिंग लिंकेज’ क जरिए कोयला देबा लेल कहलथि अछि। टैपरिंग लिंकेज ओ व्यवस्था थिक जाहि मे संबंधित परियोजना कए तत्काल कोयला क आपूर्ति कोल इंडिया मौजूदा कोनो खान स करैत अछि। आगू चलि कए बरौनी ताप बिजलीघर कए झारखंड स्थिति उरमा पहाड़ीटोला कोयला ब्लॉक स कोयला देल जाएत। ओना उरमा पहाड़ीटोला कोल ब्लॉक बिहार आ झारखंड क विभिन्न बिजली परियोजना लेल वर्ष 2007 मे आवंटित कैल गेल छल, मुदा एहि ठाम स एहन धरि उत्‍पादन नहि शुरू भ सकल अछि।
जायसवाल दैनिक कए कहला अछि जे बिहार कए उरमा पहाड़ीटोला कोयला ब्लॉक स 25.7 करोड़ टन कोयला भेटत। राज्य सरकार एहि ब्लाक स सब साल 70 लाख टन कोयला निकाली सकैत अछि। जखनकि बरौनी कए सालाना 23 लाख टन कोयला क आवश्‍यकता अछि। एहन मे बिहार झारखंड क संग मिलि कए एहि कोयला ब्लॉक कए विकसित करत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

सपना भेल साकार, छपरा रेल चक्‍का कारखाना मे उत्‍पादन शुरू

Esamaad Epaper Website

बिजली क्षेत्र मे बिहार कए भेटल ‘महासनेस’

Esamaad Epaper Website

बिहार कए चाही एकटा आओर एम्‍स : कीर्ति

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि