• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

आजुक दिन अस्त भेल अछि मिथिलाक एकटा ध्रुवतारा

June 19, 2013
in फीचर, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

rajkamlस्व. राजकमल (मणीन्द्र नारायण चौधरी) (१९२९-१९६७), महिषी, सहरसा। आई स्व. राजकमल चौधरीक ४४’म स्मृति दिवस अछि….हुनका स्मृति मे गौतम राजऋषि जी आ गजेंद्र ठाकुर जी हुनका अपन अपन तरहें ‍हार्दिक श्रद्धांजलि अर्पित केलथि अछि। इसमाद परिवार एहि महान लेखलक प्रति श्रद्धांजलिक रूप मे एहि दुनु गोटेक श्रद्धांजलि कए एहि ठाम साभार द रहल अछि। – समदिया

गौतम राजऋषि जी कहैत छथि राजकमल जी आय जीवित रहतथि ते चौरासी वर्ष क रहतथि अड़तीस क उम्र कुनू उम्र होइत अछि दुनिया छोडि क जाए लेल? जों ज़िंदा रहतथि त एहि बचल पचास साल मे कोन बिजली खसेतथि अपन कविता आ कहानि स, उफ़्फ़ कल्पनातीत अछि इ | होश संभालाक क बाद आओर पढ़ल-लिखल कए समझ-बुझ भेला क बाद से जे एकटा नाम अपन रचना से नस मे किछु सनसनी जगेबाक क काज केलक अछि ओ राजकमल छथि आओर हमर सौभाग्य अछि की हुनकर शहर मे जन्म लेबाक हमरा अवसर भेटल | बहुत बाद मे जानलों कि ओ ते हमर जन्म लेबा से आठ साल पहिने गुजरि गेल छलथि आओर बेटा क कामना हमर माँ क लए गेल छल महिषी उग्रतारा क शरण मे, जिनका अपन कविता मे राजकमल बड़ स्नेह से नीलकाय उग्रतारा कहि कए बजाबैत छलाह | हिंदी मे मछली मरी हुई, औडिट रिपोर्ट , शहर था-शहर नहीं था, बंद कमरे मे कब्रगाह, शव यात्रा के बाद देह शुद्धि,अग्निस्नान ,बीस रानियों का बायस्कोप आदिक अतिरिक्त मैथिली मे ललका पाग, आदिकथा,आन्दोलन,पाथर फूल,एकटा चंपा कली एकटा विषधर,साँझक गाछ आदि हिनक प्रमुख कृति अछि। १९,जून,१९६७ कें साहित्य गगनक एही जाज्वल्यमान नक्षत्रक अस्त पटनाक राजेन्द्र सर्जिकल वार्ड मे भ’ गेल। हुनके याद करैत हुनकर एकटा कविता क पांति।

द्रौपदीसँ विरक्ति

आन्हर घरक अन्धकारमे
आब साँप नहि मारब
तोड़ि देब बरू तेल पियाओल लाठी।
थाकल देहक अन्ध-कूपमे
आब झाँप नहि मारब
कतबो ग्राह ग्रसित कएने हो मातल हाथी।
आन्हर घरक अन्धकारमे
अहाँ साँप कटबाउ
अपने देहक पंकिल जंगल पहाड़मे
एसकरि बीन बजाउ।

कथा-कोसी/ अपराजिता/ कृष्ण भक्तक कथा – स्व.राजकमल चौधरी-

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

चौधरी जीक रचनाक संबंध मे जानकारी दैत गजेंद्र ठाकुर लिखैत रचना:- आदि कथा, आन्दोलन, पाथर फूल (उपन्यास), स्वरगंधा (कविता संग्रह), ललका पाग (कथा संग्रह), कथा पराग (कथा संग्रह सम्पादन)। हिन्दीमे अनेक उपन्यास, कविताक रचना, चौरङ्गी (बङला उपन्यासक हिन्दी रूपान्तर) अत्यन्त प्रसिद्ध। मिथिलांचलक मध्य वर्गक आर्थिक एवं सामाजिक संघर्षमे बाधक सभ तरहक संस्कार पर प्रहार करब हिनक वैशिष्ट्य रहलन्हि अछि। कथा, कविता, उपन्यास सभ विधामे ई नवीन विचार धाराक छाप छोड़ि गेल छथि।

अपराजिता
हमर अभिन्न मित्र नागदत्त अपन घरवाली केँ अपराजिता कहैछ। किएक, से कि सोचलो उत्तर एखन धरि बूझऽ मे आयल अछि?
हम धरि हुनका अन्नपूर्णा भौजी कहैत छियनि। जर्दा लेल बड्ड छिछिआयल रही आ ओ खास अवसर पर संकट-मोचन रहथि। ओहुना हमरा मैथिल-बाला सभ मे अन्नपूर्णाक रूप अधिक भेटैत अछि।
मुदा अपराजिता?
धुः! पत्नीक प्रति ई भाव तँ एक विदेशी भाव थिक। भारतीय सँ एकरा कोनो साम्य छैक? मिसियो भरि ने। भारतीया तँ बेचारी लाज, बन्धन, आवरण, नियम ओ उपनियम सँ तेना कऽ जकड़लि रहैछ जे ओ सर्वदा पराजित बनलि रहैछ।
एही सभ मे दहाइत-भसिआइत रही। खिड़की सँ बाहर मिथिलाक श्यामल, सोहागिन, सुहासिन धरती। ट्रेनक खिड़की सँ बाहर देखैत रही।
दिवानाथ धरि मूड़ी निहुड़ौने “गारंटी ऑफ पीस” मे ओझरायल छल। मुक्ती बाबू ट्रेनक हड़ड़-हड़ड़ मे ताल दैत विद्यापतिक पाँती गबैत रहथि, “सखि हे, हमर दुखक नहि ओर”।
नागदत्त अपना लगक मोसाफिर संगेँ जोर-जोर सँ बजैत रहय, “नइँ महाराज…आन देश मे ई हाल नइँ छैक…अही ठाँ रूस मे देखिऔक गऽ। विज्ञानक जोर सँ मनुक्ख नदीक धार केँ अपन इच्छानुसार मोड़ि देलक अछि”।
इन्टरक एहि डिब्बा मे आनो-आन यात्री सभ अपन-अपन गप्प सभ मे तल्लीन रहथि। एकटा बूढ़ दरोगा साहेब अपन सहगामी केँ कोनो रोमांचकारी डकैतीक खिस्सा कहैत रहथिन। एकटा सेठ अपन अधवयसू मुनीम केँ सोना-चानीक तेजी-मन्दीक कारण बुझा रहल छलाह, लगहि मे हुनक पत्नी घोघ तनने बैसलि! ट्रेन समस्तीपुर सँ फूजल। कैप्सटनक डिब्बासँ अन्तिम सिकरेट बहार कऽ दिवानाथ सुनगाबऽ चाहैत रहय…सलाइयो रहैक लगहि मे …मुदा ओ तँ रहय अपन “गारंटी ऑफ पीस” मे ओझरायल। हमरा हँसी लागल। हम हँसऽ लगलहुँ। मुक्तीबाबू दोसर गीत गाबऽ लगलाह, “मानिनि आब उचित नहि मान”!
हठात् खिड़कीसँ हुलकि दिवानाथ चिचिआयल, “देख, मणि…देख…अपराजिताक ताण्डव”! सभ गोटा हुलकी मारऽ लागल। सभक आँखि विस्मय-विस्फारित!
“गारंटी ऑफ पीस” खतम छल…विद्यापतिक गीत खतम छल। रूसक कथा खतम छल। डकैतीक कथा थम्हि गेल…सोना-चानीक तेजी-मन्दी सेहो बन्द भऽ गेल रहय। सिकरेटक लगातार धुँआ रहि गेल आ रहि गेल अपराजिता!
सरिपहुँ… बागमती, कमला, बलान, गंडक आ खास कऽ कऽ कोसी तँ अपराजिता अछि ने! ककरो सामर्थ नहि जे एकरा पराजित कऽ सकय। सरकार आओत…चलि जायत..मिनिस्टरी बनत आ टूटत, मुदा ई कोसी…ई बागमती…ई कमला आ बलान…अपन एही प्रलयंकारी गति मे गाम केँ भसिअबैत, हरिअर-हरिअर खेत केँ उज्जर करैत, माल-जालकेँ नाश करैत, घर-द्वारक सत्यानाश करैत बहैत रहत आ बहैत रहत।
वेद मे नदी केँ मनुक्खक सेविका कहलकैक अछि…मनुक्खक पत्नी कहलकैक अछि…
मुदा,
बहुओ भऽ कऽ कोसी आ बागमती अपराजिता अछि…
अन्नपूर्णा कहाँ?
रेलवी-सड़कक दुहू कात कोसक कोस पसरल अबाध जल-प्रवाह! दुहू क्षितिज केँ छुबैत जलक धार!!
“लगैत अछि, हम सभ ट्रेनपर नहि, मने जहाजपर बैसल होइ। जेना चारू कात विशाल, विकराल, विराट समुद्र हो जे हमर अस्तित्व पर्यन्तकेँ डुबा देलक अछि!”, बाजल दिवानाथ। मुक्ती टिपलक, ’मणि भाइ, कते गामक तँ कोनो थाहो-पता ने लगैत छैक जे एतऽ कहिओ कोनो गामो रहैक। जतऽ ईंटाक पोख्ररापाटन हवेली रहैक ततऽ की छैक? महाविशाल मोइन आ कुण्ड! जतऽ खेत आ खरिहान रहैक ओहि ठाँ गण्डकी नंगटे नचैए…खरिहानक नाच नहि, श्मसानक नाच!”
हाथक “ब्लिज” केँ तह दैत एकटा सज्जन बजलाह, “आ बाबू…सरकार तँ पटना आ दिल्लीक सचिवालय मे बिजलीक पंखा आ स्प्रिंगदार सोफाक बीच सूतल अछि। मिथिला वा भोजपुर भसिआइए गेल तँ ओकरा की? कोसी सर्वनाशे करइए तँ ओकरा की? ओ तँ इण्डियाक “फारेन-पालिसी” सोचैत अछि। भीतर सँ भारत खुक्ख भऽ रहल अछि…कोकनि रहल अछि, मुदा ओ यू.एन.ओ.क कुर्सी बचाबक फिकिर मे अपस्याँत अछि”। दरोगाजी कनिएँ उकड़ू भऽ बैसि गेलाह आ कान पाथि हमरा लोकनिक गप्प सुनऽ लगलाह। सेठजी अपन धर्मपत्नी दिस व्यग्र भावेँ ताकि बजलाह, “रधिया की माँ…जरा इलायची तो देना…सर चकरा रहा है”।
दाँत कीचि दिवानाथ गुम्हड़ल- गारंटी ऑफ पीस!! हम सोचलहुँ, हमर देश मे जे “गारंटी ऑफ पीस” दऽ सकैछ से तँ लालकिलाक मुरेड़ा पर खजबा टोपी, करिया अचकन…चुननदार पैजामा पहिरने तिनरंगा छत्ता तनने आराम सँ पड़ल अछि! आ भगवान सँ स्वर्ग मे छथि तँ अबस्से दुनियाँ मे सभ वस्तु ठीक छैक।
यद्यपि देशक ई हालत किएक, से सभ जनैत अछि- हमहूँ..अहूँ…नेता आ जनतो! तइयो ई देश अपन दरिद्रा केँ सोनाक पानि चढ़ाओल डिब्बी मे बन्द कऽ कऽ विदेशक प्रदर्शनीक “शो-केस” मे सजबैत अछि। रीढ़क अपन हाड़ तोड़ि ताजक रूप मे उपस्थित करैत अछि। फाटल-चीटल केथड़ी जोड़ि आ सजा, भटरंग कऽ प्रति पन्द्रह अगस्त कऽ शाही महल सभ पर धर्मचक्र-सज्जित तिरंगा फहरबैत अछि।
गाड़ी ठाढ़ भऽ गेलैक।
पुल रहैक कोनो मने। फेर चुट्टीक चालि मे घुसकनियाँ काटऽ लागल। सभ मोसाफिर खिड़की आ फाटक पर मुड़िआरी देने बाहर हुलकी मारऽ लागल-
गण्डक, बागमती, कमला आ कोसीक भयानक रूप। समुद्रक ज्वारि जकाँ विकराल ढेहु उठैत। लगैक मने सौंसे ट्रेनकेँ गीड़ि जायत! लहरिक संगहि-संग कौखन कोनो पुरना नूआक फाटल पाढ़ियुक्त भाग…कौखन काठक सनुकचाक कोनो थौआ भेल भाग…कौखन जानवरक हाड़! घरक ठाठ बहल जा रहल छल…खाट आ चौकी भसिआयल जा रहल छल…इज्जति आ प्रतिष्ठा मिथिलाक नोर मे दहायल जा रहल छल। जीवन भसिआयल जा रहल छल। सीसो-सखुआ-आमक कलमबाग आ बँसबिट्टी डूबि गेल छल।
ऊपर रहैक केवल पीतवसना नागकन्या गण्डकी अपन अति विषाक्त फुफकार छोड़ैत।
मुक्तापुर आबि गेल।
स्टेशनक चारू कात पानिएँ पानि। स्टेशन पर असंख्य गरीब किसान-बोनिहार लहालोट होइत। ककरो एक मुट्ठी अन्न नहि…पाँच हाथ वस्त्र नहि…टाँग पसारि कऽ सूतक स्थान नहि। प्लाटफारम पर आकाशक ठाठ तर असंख्य किसान-परिवार! धीया-पूता भूखेँ चिकरैत…माय ओकरा घोघ तर मुँह नुकओने कनैत। एकटा कोनो कांग्रेसी सज्जन स्टेशन-मास्टर केँ जोर-जोर सँ कहैत रहथिन, “अरे, महाराज…एहि मे सरकारक कोन कसूर? भगवानक लीला छनि। सरकार की जानऽ गेलैक जे एहन विशाल बाढ़ि आबि रहल छैक। ताहू पर रिलीफ कमेटी बनि रहल छैक। अगिला हप्ता मिनिस्टर लोकनिक “टूर प्रोग्राम” छनि। आ अलाबे एकर मुख्यमन्त्री दरभंगा, मुजफ्फरपुर आ सहरसाक कलक्टर केँ तार देबे कयलथिन अछि जे ओ जते चाहथि रिलीफक हेतु खर्च करथि। से नहि आब की करौक?”
आ सरिपहुँ सरकार खर्च करैत रहैक से हम देखलिऐक! एकटा गृहस्थ बाजल, चारिम दिन अन्न भेटल छल…मूड़ पीछू दू सेर…ओकर पहिने तँ मात्र जले टा आधार होइक। आ दू सेर चाउर कक्खन धरि? स्त्रीगणकेँ पहिरक कोनो नूआ-फट्टा नइँ। मलेरियाग्रस्त लोक केँ लहालोट पुरिबा आ जाड़ सँ बचबऽक खातिर कम्बल नहि। रेलवे कर्मचारी हाता सँ एकटा ठहुरिओ नइँ काटऽ देनिहार। पूछक तँ बड़ इच्छा छल… मुदा गाड़ी फुजि गेलैक।
“ब्लिज” वला सज्जन बजलाह, “बाबू एखन की देखलिऐक अछि, आगाँ ने चलू…किसनपुर…हायाघाट….मोहम्मदपुर…जोगियार..कमतौल दिस आर प्रलय मचल छैक। एहन कोनो परिवार नहि छैक जकर कोनो समाङ कि कोनो बच्चा कि कोनो माल नहि दहा-भसिआ गेल होइक”।
हायाघाट स्टेशन! सूर्यास्तक समकाल।
डुबैत सूर्यक लालिमा प्रतीचीक जल केँ रक्त सन बनओने। लिधुराह पानि..खुनिञा धार!! मुक्ती बाबू सिकरेट ताकऽ चललाह। दिवानाथ प्लाटफारम पर अपने घर मे शरणार्थी बनल गृहविहीन सँ गप्प कऽ रहल छल। गाड़ीक इंजन मिझा गेल रहैक। लेहरियासराय सँ तार अओतैक तखन ने फुजतैक गाड़ी! हमहूँ उतरलहुँ। देखलिऐक, सौंसे प्लाटफारम पर चुट्टी ससरऽक दौर पर्यन्त नइँ। अँगनइ मे बाँसक पातर सट्टा गाड़ि-गाड़ि ओहि पर पातर पुरान नूआ कि धोती टाँगि कऽ तम्बू सन बनल। एहन-एहन सैकड़ो तम्बू एक पतिआनी सँ ठाढ़। स्त्रीगण सभ लोटे-लोटे स्टेशनक इनार सँ पानि अनैत रहथि आ धीया-पूता टुक-टुक ट्रेन दिस तकैत रहय। पानिक कछेड़ मे एकटा बुढ़िया बाढ़ि मे डूबल बेटाक शोक मे बताहि भेलि चिकरैत रहय। पानिक कछेड़ मे एकटा बुढ़िया बाढ़ि मे डूबल बेटाक शोक मे बताहि भेलि चिकरैत रहय। ओझरायल केश मुँह पर…नूआ-फट्टाक होस नहि…गाबि-गाबि कानय, हे गण्डक मैया…हे कमला मैया। कतऽ गेलइ हम्मर सुगवा, कतऽ गेलइ हमर लाल!
आ ओम्हर दिवानाथ बूढ़ा दरोगा साहेब केँ बुझा रहल छलनि…मनुक्ख जे चाहय से कऽ सकैत अछि। एही ठाँ चीन केँ देखिऔक…ओकर “ह्वांगहो” कोसिओ सँ भयानक रहैक। मुदा लाल क्रान्तिक दू बरखक बाद ओकरा सघन बान्ह सँ जकड़ि देलकैक, आइ ओ ह्वांगहो चीनक वरदान छैक, अभिशाप नहि। आ दिवानाथक आँखिमे लाल चिनगीक तीक्ष्ण प्रकाश आ ज्वाला। भेल जे अमृतपुत्रक एहि ज्वालामे कोसी भस्म भऽ जयतीह। मुदा एक जोड़ा आँखिक चिनगी सँ नहि। लक्ष-लक्ष जोड़ा आँखिक अंगोर सँ। हमरा एकर चतुर्दिक एहन रक्तिम दाहक चिनगीक जाल बूनऽ पड़त।
मुक्तीबाबू अधजरुआ सिकरेट हमरा दिस बढ़ा बजलाह, “मणिबाबू, प्लाटफारमक ओइ भाग तकिऔ तँ कने…कोना छागर-पाठी जकाँ लोक सभ अछि, मालगाड़ी मे कोंचल। हुँ! कोंढ़ उनटि जाइत अछि”।
ट्रेन पार कऽ ओइ पार गेलहुँ। एकटा पूर्ण मालगाड़ी रहैक ठाढ़। डिब्बा मे पुरुष, मौगी, धीआ-पूता, माल-जाल सभ भरल छल। डिब्बे मे चूल्हि सुनगि रहल छल। हाँड़ी सभ चढ़ाओल जा रहल छल। कोसी आ गण्डकी मैया केँ प्रार्थनाक “कोरस” सुनाओल जा रहल छलनि। हाहाकार आ रुदनक स्वर गूँजि रहल छल।
मालगाड़ीक डिब्बा सँ एकटा विद्यार्थी बहरायल…कोर मे चारि-पाँच बरखक कनटिरबी केँ रखने। ओ छौँड़ी बड़ी-बड़ी जोर सँ हिचकैत रहैक। नागदत्त पुछलकैक, “अहा-हा…किऐक औ…की भेलैक अछि…किऐक कनैत अछि”?
ओ नेनिया केँ ठोकैत बाजल, “एकर माय, बाबू साहेब, डूबि गेलैक एही बाढ़ि मे। कनतैक ने तँ…”? सभ गोटा निस्तब्ध भऽ गेल।
युवक बाजल, “विद्यार्थी छी अहाँ लोकनि…तेँ मन होइछ अहाँ लोकनि सँ गप्प करी। हम सभ एही स्टेशन सँ तीन मील पर रामपुर गामक बासी छी। आब तँ ओ बस्तिए नइँ रहलैक…। सौंसे गाम भसिया कऽ लऽ गेलैक…ई राक्षसी गण्डकी”।
मारिते रास लोक जमा भऽ गेल, ओकर गप्प सुनऽ लेल। दरोगा साहेब बजलाह, “की सौंसे गाम”?
“हँ औ। हठात राति मे आबि गेलैक बाढ़ि। छन-छन पानि बढ़ैत…कोनो तरहेँ स्त्रीगण लोकनि केँ नाह पर लदलहुँ…माल-जाल हँकओलहुँ…वस्तु-जात, अत्यन्त आवश्यक वस्तु सभ कनहा पर लदलहुँ, पड़यलहुँ, स्टेशनक दिस। कतहु भरि डाँड़…कतहु कच्छाछोप, कतहु चपोदण्ड। हेलैत-डुबैत एतऽ पहुँचलहुँ। कतेक नेना-भुटका डूबल। माल-जालक तँ कथे कोन। भसिआयल ठाठ पर हमरा लोकनि स्त्रीगण सभ केँ बैसा कऽ अनलहुँ एतऽ धरि। अयला पर पता लागल जे एहि कनटिरबीक माय डूबि गेलैक। ई हमर भतीजी थिक। मुदा आब की”? कने काल चुप भऽ गेल ओ। युवकक आँखि पनिआ गेलैक। फेर बाजल,”स्टेशन आबि देखल, ई पहिनहि सँ भरल छल। लगीचक पन्द्रह बीस गामक लोक सभ सँ भरल छल। एहि इलाका मे एकटा ई स्टेशन मात्र छैक ऊँच स्थान। खाली इएह मालगाड़ी रहैक ठाढ़। सभ गोटा एही मे शरण लेल। सम्पूर्ण डिब्बा खाली छल, सभ मे हम सभ भरि गेलहुँ।
दोसर दिन प्लेटफॉर्म पर सेहो पानि आबि गेलैक, तखन लोक सभ बोरा जकाँ एक दोसर पर गेंटल रही। युवक सभ ऊपर छत पर चढ़ि गेलाह, स्त्रीगण आ बूढ़, नेना सभ डिब्बे मे रहलाह।
स्टेशन मास्टर हमरा सभ केँ डेरओलनि, मालगाड़ी खाली कर दो।
अहीं लोकनि कहू से कोना होइतैक? हम सभ कतऽ जाइतहुँ? हमरा सभक संग मे पाइ-कौड़ी नहि छल, घर नहि छल, पहिरऽ लेल वस्त्र नहि छल”। एतेक कहि युवक फेर रुकि गेल। नहुँए सँ बाजल, “हमरा जऽर अछि। जाड़ भऽ रहल अछि, यदि अपने सभक मे एकटा बीड़ी हो तँ दिअऽ“।
मुक्तीबाबू ओकरा सिकरेट देलथिन आ दिवानाथ सलाइ। युवक बाजल, “ओ, ई तँ कैप्सटन अछि”। फेर बड़े तन्मय भऽ सिकरेटक कश खींचऽ लागल। (एलेक्शनक अवसर पर कैथोलिक पादरी सभ सम्पूर्ण तिरू-कोचीन मे मङनी मे सिकरेट आ चाहक पैकेट बँटने छलाह। पैकेट सभ पर लिखल छल, काँग्रेस को वोट दो।) नागदत्त पुछलथिन, “फेर की भेल”?
“फेर की हेतैक”? युवक गाड़ीक कम्पाट सँ ओंगठि कऽ बाजल, “फेर पुलिस आबि-आबि कऽ हमरा सभकेँ तंग करऽ लागल। जकरा संग पाइ-कौड़ी छलैक से पाइ-कौड़ी दऽ कऽ पुलिसक ठोकर सँ बचल रहल। रातिखन कऽ युवती सभ गाड़ीक डिब्बा सँ बिलाय लागलि। मुदा हम सभ मालगाड़ीक डिब्बा केँ छोड़लहुँ नहि। छोड़ि कऽ हम सभ कतऽ जैतहुँ? दोसरे दिन समस्तीपुर सँ एकटा बड़का इंजिन आयल।
स्टेशन मास्टर बाजल, “तुम लोग गाड़ी खाली कर दो, वरना इंजिन तुम लोगों को लेकर समस्तीपुर चला जाएगा। वहाँ तुम लोगों को जेल हो जायगा, सरकारी गाड़ी पर कब्जा जमाने के जुर्म मे”।
बूढ़ सभ कहलथिन जे नीके होयत, लऽ चलऽ। कम सँ कम भोजनो तँ भेटत जहल मे। मुदा स्त्रीगण कानऽ लगलीह। नेना सभ चीत्कार मारऽ लागल। मैथिल स्त्रीगण जे कहियो गामक बाहर पयर नहि रखलनि तनिका हम जेल कोना जाय दितहुँ। आ तखन हम सभ नारा लगओलहुँ, “मालगाड़ी नहीं जायगा, नहीं जायगा”।
पुलिसक लाठीक मदति सँ ड्राइवर मालगाड़ी मे इंजिन लगओलक। आ एम्हर हम सभ इंजिनक आगाँ आबि कऽ ठाढ़ भऽ गेलहुँ, “मालगाड़ी नहीं खुलेगा, नहीं खुलेगा”। पुरुष लोकनि छाती तानि कऽ ठाढ़ भऽ गेलाह। स्त्रीगण पड़ि रहलीह। नेना सभ बाँसक फट्ठी मे लाल वस्त्र बान्हि कऽ आगाँ मे ठाढ़ भऽ गेल।
बाँसक फट्ठी मे लाल चेन्ह!
गाड़ी रोकऽक चेन्ह।
अपन अधिकार लेबऽक चेन्ह।
युवकक गर्दनि तनि गेलनि, उत्साह सँ बाँहि फड़कऽ लगलनि, आँखि लाल भऽ गेलनि।
सेठजी अपन स्त्रीक कान मे कहलथिन, रधिया की माँ, सूटकेस पास ले आओ, कुछ हो जा सकता है”।
दरोगा साहेब गुनगुनयलाह, “ठीक कहइ छी”।
युवक कहब जारी रखलनि, “पुलिस तँ पहिने घबड़ा गेल, ड्राइवर इंजिन बन्द कऽ देलक। कतेक हजार लोकक रेड़ा पड़ऽ लागल। पुलिस “लाठी चार्ज” करऽ चाहलक, मुदा हम फरिछा कऽ कहि देलियनि, यदि एकोटा लाठी उठल तँ हम सभ एक-एकटा पुलिस केँ उठा-उठा कऽ गण्डक मे फेँकि देब। कहू तँ, पन्द्रह-बीस पुलिस के की चलितनि एहि क्रुद्ध जनसमुद्र मे?
आ, पुलिस सँ नाक रगड़ैत रहि गेल, मुदा मालगाड़ी नहि जा सकल। दोसर दिन भोरे नाव पर चाउरक बोरा गेंटने “स्टूडेंट्स-फेडरेशन” आ “नौजवान-संघ”क लोक सभ अयलाह आ ई हम सभ पहिल सहायता पओलहुँ।
आ आब तँ पानि कम भऽ रहल अछि। सरकारोक कुम्भकर्णी निन्न टूटि रहल छनि। ओहो दू-दू सेर चाउर बाँटि गेलाह अछि”। एतेक कहि युवक चुप्प भऽ गेलाह। वातावरण अशान्त छल, सभक मन युवकक दुःखपूर्ण कथा सुनि खिन्न छलैक। एतबे मे स्टेशनक एकटा कर्मचारी आबि कऽ बाजल-
“गाड़ी खुल रही है, डिब्बे मे बैठिए”।
अपन बिना मायक भतीजी केँ कोरा मे लऽ कऽ युवक प्लेटफॉर्म पर ठाढ़ रहल।
गाड़ी नहुँ-नहुँ चलऽ लागल, तखन ओ दिवानाथक बामा हाथ दबा कऽ बाजल, “मोन राखब बन्धु”! हठात् बूढ़ दरोगा साहेब अपन “सीट” पर सँ उठि अपन ऊनी चद्दरि युवकक कान्ह पर धऽ देलथिन आ फेर अवरुद्ध कंठ सँ कहलथिन, “अहाँ केँ तँ ज्वर अछि, ई चद्दरि लऽ लिअऽ। आ…”।
गाड़ी तेज भऽ गेल।
फेर तँ ओएह चारू कात अथाह अबाध समुद्र छल आ हिलकोरक घोर गर्जन।
कृष्ण भक्तक कथा
प्रश्न्मात्र एतबे जे रेशमी आब किसना बरेक परिवार मे रहय अथवा नहि ? कथा मात्र एतवे जे किसना बरैक गृहणी ई रेशमी एक्सरे “गामक नवका मिडिल स्कूलक हिंदी अध्यापक संगे सोनपुर मेला देख चलि गेल ।आ घुरल एक्सरे “ तीन मासक बाद —-
सारांश मात्र एतबे जे कोनो नव गप नहि ।ई सभ त आजुक प्रगतिशील जनजीवन क ऽ सोभा थिक “सरसता थिक “थिक गामक एकमात्र कृष्ण मंदिर कऽ एकमात्र पुजेगरी श्री गणेश बजलाह “रेशमी कोनो अपराध नहि केने छैथ ।ई त अपना देशक परंपरा थिक ।गौतम क पत्नी अहिल्या क कथा जानीते छी ।द्रौपदी त सरिपहु पाचो पांडव क ऽ पत्नी छलीह ।ब्रजक सब गोपी योगी राज कृष्णक संगे रास रचैत छलीह ।राधा रानी नित भगवानक मुरली सुनैत देरी”अपन पति के सुतले छोडि कुञ्ज भवन मे अभिसार करै बिदा भ जाय छलीह ।नहि! नहि रेशमी के कोनोटा अपराध नहि ।मुदा गणेश पंडीजी के तर्क सुने वाला ओही ठाम कियो नहि छल ।ते ओ मुदित मोने गाबय लगलाह ।सखी हे केशी मथन मुदारम !
सांझ खन भगवती के आरती कयलक उपरान्त मंदिरक केबाड़ भीतर सँ बंद कय कऽ पल्थी मारी मूर्ति के सोझा मे गणेश पुछलखिंह”।योगी राज रेशमी क विषय मे हम उचित निर्णय केलहुं कि नहि ? रति -अभिसार त कोनो पाप नहि “भगवन अहाँ क की विचार अछि ?।नृत्य मुद्रा मे राधिकाक दक्षिण भाग मे ठाढ़ मुरली बजबैत श्री कृष्ण मुस्कैत बजलाह “नहि भक्तवर अहाक निर्णय अनुचित भेल ।साक्षात् लक्ष्मी प्रतिरूप राधा रानी सँ अहाँ ओही पतिता स्त्रीक तुलना किएक केलहु ?गणेश अपन अपराध मानि राधाजी के दुनु पैर बाहि सँ छानि कने लगलाह ।भरि राति ओही अवस्था मे बितौलैंह ।भक्त तं सपनो मे धरम स्थले देखैत अछि से गणेश सपना देखैत छैथ— जे भोरे भोर गुजराती महिसक दुधक खोया भरल बट्टा सन रेशमी श्री कृष्ण के चढ़ेवाक् हेतु फूलक माला आ दू ढोली पान लयक एलीह अछि ।गणेश ताबत उठी गेल छलाह आ गमछी पहिरने शरीर मे कोनो जजमानक देल सुच्चा कडुक तेलक मालिश कऽ रहल छलाह ।हँसैत रेशमी बजलीह पुजेगरी जी हमर धरम बाची गेल ज बरैबा घर सँ निकली दिते त कोन गति होइत हमर ?।ओ सार मास्टर त चारि दिन रस लयक भागी गेल ।गणेश अन्वय करय लागल; राधा रानी क मुस्कान आ अहि बरै कुलवधुक मुस्कान मे की अन्तेर छैक ?अंतर एतबे जे रेशमी क मुस्कान बेसी पवित्र आ बेसी उन्मादक !ई कृष्ण मंदिर गणेशक पिताक स्थापना कयल थिक ओ पैघ महात्मा छलाह ।युगल जोडिक परम उपासक “गीत गोविन्द पढैत काल हुनका अंखि सँ अश्रु प्रवाह होबय लगैंह।पिता क देहांत के बाद गणेश अहि मंदिरक पुजेगरी भऽ गेलाह ।
दोसर दिन साँझ मे रेशमी पुनः आयल ।हाथ मे भंग क लोटा आ चारि खिली पान ।ओम्हर गणेश पुजेगरी के मोन उधिया लागल ।मोन भेलैंह जे भगवानक मूर्ति हटा रेशमी के कान्ह पर हाथ दय ओही ठाम अवस्थित भय जाय। गणेश भांग पीवि लेलैंह तऽ रेशमी बाजल “हमारा बरैबा बड पिटाई करैत अछि “अहाँ अपन भगवान् सँ कहियोंह जे कोनों रास्ता निकालैथ।राती मे गणेश ई निवेदन राधा रानी आ श्री क्रष्ण सँ केलखिंह जे रेशमी क कोनो रास्ता निकालि दियो ।
ओही राति रेशमी गाम सँ निपत्ता भऽ गेल “किसना बरै कनिते रही गेल ।मुदा ओ घूमी कऽ नहि आयल ।।आ दोसर दिन गणेश राधा कृष्णक मूर्ति धार मे भसा आयल ।हाथ जोड़ी क प्रणाम केल्कैंह जे -हे राधा -कृष्ण ! तोहर पूजा अहि लेल करैत छलहूँ जे -हमरो लग अहिना हमर राधा ठाढ़ी रहैथ ।मुदा ई लालसा पूरा नहि भेल ।तें तू अब जाह ।आब गणेश गाम मे पान आ बीडी क दूकान दोकान खोलने अछि “शायद अहि आशा मे कि रेशमी कहियो जरूर घुरी आयत ।

(वैदेही, अक्टूबर १९५४ सँ साभार)

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

रांची आइआइएम आउत बिहार

Esamaad Epaper Website

शिंदे २५ कए मिथिला मे

Esamaad Epaper Website

आखिर पंजाब स बिहार पहुंचल ‘हीरो’

Comments 2

  1. Santoshi Kumar says:
    10 years ago

    Mahan rachnadharmi ken Sradhanjali!

    Sundar aalekh prakashit aa Swargiya Rajkamaljik smriti taja karbak lel e-samad ken dhanyabad!

    Reply
  2. prakash kumar jha says:
    10 years ago

    Mithilak vibhuti sabh par beech-beech me ehene alekh sabhak avasyakta achhi. Dhanyabaad.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि