• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आठ अक्टूबर कए खुलत सबस पैघ राज

October 5, 2009
in देश-दुनिया
A A

दोसरसमाचार

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020

samaad
टूटत अकबर क दस्तावेज पर जड़ल ताला
पटना। अकबरकालीन दस्तावेज पर जड़ल ताला आखिरकार टूटत। राज्य सरकार ताला तोड़बा लेल तैयार भ गेल अछि। मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग एकरा लेल टीम बनउलक अछि, जे आठ अक्टूबर कए दरभंगा क रामेश्वर सिंह क्षेत्रीय अभिलेखागार क तिजोरी खोलल जाइत। एहि अभिलेखागार क निर्माण दरभंगा क राजा रामेश्वर सिंह क स्मृति मे कैल गेल अछि। एहि ठाम रखल तिजोरी क चाबी सरकार स हरा गेल अछि आओर एकर दोसर चाबी नहीं बनि सकैत अछि। एहि तिजोरी मे ओ दस्तावेज अछि जेकर माध्यम माध्यम स अकबर रामनवमीं क दिन सन् 1499 मे राज पुरोहित क्षत्रपति ठाकुर क पुत्र पंडित महेश ठाकुर कए दरभंगा राज क बागडोर सौंपने छलाह। राज्य अभिलेखागार क निदेशक विजय कुमार जे सरकार द्वारा गठित टीम क सदस्य सेहो छथि, कहला जे तिजोरी मे अन्य बहुमूल्य पाण्डुलिपि सेहो भ सकैत अछि। सबटा दस्तावेज कए पटना आनल जाइत। गठित टीम मे दरभंगा क अनुमंडलपदाधिकारी क अलावा मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग क अधिकारी रवींद्रनाथ बैठा सेहो शामिल छथि। ज्ञात हुए जे एहि संदभ मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क इतिहास विभाग क प्रोफेसर रत्नेश्वर मिश्र आ अन्य इतिहासकार मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग क प्रधान सचिव गिरीश शंकर क ध्यान एहि कात समय-समय पर आकृष्ट करबैत रहला अछि। मिश्रक समाद अछि जे दरभंगा क क्षेत्रीय अभिलेखागार मे अकबर कालीन आ अन्य कई महत्वपूर्ण दस्तावेज उपलब्ध अछि, जे रखरखाव क अभाव मे नष्ट भ रहल अछि।
की छल दरभंगा राज
तुगलक साम्राज्य क पतन के बाद मुगल बादशाह अकबर इ महसूस केलथि जे मिथिला मे कोनो ब्राह्माण कए राजा बनाकए ओहि क्षेत्र मे शांति स्थापित कैल जा सकैत अछि आओर एहि स बेहतर राजस्व सेहो अर्जित कैल जा सकैत अछि। अकबर एहिना केलथि। दरभंगा राज 2410 वर्ग मील तक फइलल छल। इ उत्तर बिहार स ल कएपूर्वी बिहार क पूर्णिया तक फइलल छल। अशोक पेपर मिल, वाल फोर्ड, कोलकाता, तीनटा चीनी मिल क संगहि ‘द इंडियन नेशनÓ, ‘आर्यावर्त’, ‘मिथिला मिहिरÓ जइसन समाचार पत्र क प्रकाशन क लेल सेहो राज परिवार मन पड़ैत अछि। एकरा संगहि दरभंगा एविएशन क हवाई जहाज बिहार मे उड़ैय वाला पहिल निजी एयरलाइंस छल। 18 सर्किल मे 4495 गाम एहि राज क अंतर्गत छल, जेकर देखरेख 7500 कर्मचारी करैत छलाह।
अकाल व स्वतंत्रता आंदोलन
ओना त इ धारणा अछि जे राज परिवार क प्रतिबद्धता अंग्रेजी हुकूमत क प्रति छल। मुदा दरभंगा महाराज आजादी क आंदोलन मे आंदोलनकारी क खूब आर्थिक मदद गुपचुप करैत रहला। स्वयं महात्मा गांधी 21 मार्च, 1947 कए एकटा पत्र मे लिखने छथि जे दरभंगा महाराज हुनकर पुत्रक समान छथि। बंगाल क ऐतिहासिक दुर्भिक्ष मे महाराज लक्ष्मेश्वर सिंह तीन लाख टका क मदद ओतुका लोक लेल देने छलाह।
आजादी क बाद जखन सरकार जमींदारी प्रथा क उन्मूलन केलक त दरभंगा राज सेहो समाप्त भ गेल। दिल्ली, कोलकाता, रांची, मुंबई, मसूरी, वाराणसी, इलाहाबाद जइसन अनेक जगह पर ‘दरभंगा हाउसÓ आइयो राज परिवार क स्मृति क केंद्र अछि। ‘कोलकाता ओल्ड एंड न्यूÓ, ‘मिथिला ए यूनियन रिपब्लिकÓ,’ द जीनियोलाजिकल हिस्ट्री ऑफ इंडियाÓ,’द क्नाइट्स आफ इंग्लैंडÓ सन अनेक पुस्तक मे दरभंगा महाराज क ऐतिहासिक संदर्भ संकलित अछि।

Tags: darbhangaपटना

Related Posts

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020
ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

September 16, 2019

बिहार-नेपाल बस सेवा शुरु

September 10, 2018
Next Post
Esamaad Epaper Website

चारिटा आईएएस आ नौटा आईपीएस क तबादला

सैलानी स भरल क्रूज पांडव बिहार पहुंचल

Esamaad Epaper Website

जेट एयरवेज क बैंकाक गया उड़ान शुरू

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि