• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

आतंकी बता दरभंगा स फेर उठा लेल गेल युवक, नीतीश जतेलाह आपत्ति

May 8, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना/ दरभंगा। दरभंगा स कथित तौर पर इंडियन मुजाहिदीन क आतंकी बता एकटा युवक क गिरफ्तारी पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार तमसाह गेलथि अछि। नीतीश कए एहि संबंध मे जखन सूचना भेटल त ओ बिहार क डीजीपी कए तलब केलथि आ हुनका तत्‍काल कर्नाटक क डीजीपी स गप करबा लेल कहलथि। बिहार पुलिस एकरा लेल औपचारिक तौर पर विरोध दर्ज सेहो करेबाक तैयारी क रहल अछि। पूरा मामला कए अति गंभीर कहैत मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार बिहार पुलिस स एहि पर रिपोर्ट तलब केलथि अछि। नीतीश कहला जे एनसीटीसी क बैसार मे सेहो ओ इ मसला उठेने छलाह तखन अगर इ भेल त इ बिल्कुल भी न्यायसंगत नहि कहल जा सकैत अछि। बिहार सरकार स बिना पूछने दरभंगा स युवक क गिरफ्तारी अनुचित अछि। नीतीश कहला जे ओ गृह मंत्रालय कए सेहो एहि पर रिपोर्ट पठौताह। ज्ञात हुए जे बेंगलुरु पुलिस इंडियन मुजाहिदीन क दूटा आतंकी कए गिरफ्तार करबाक दावा क रहल अछि। बेंगलुरु पुलिस क अनुसार इंडियन मुजाहिद्दीन क ऑपरेटिव मोहम्मद कफील अख्तर 6 मई कए दरभंगा स, जखन कि लश्कर क ऑपरेटिव सयैद अब्दुल रहमान 7 मई कए कर्नाटक क चामराज स गिरफ्तार कैल गेल अछि। हिनका दूनू पर चिन्नास्वामी स्टेडियम मे 2009 मे भेल एकटा छोट सन धमाका करबाक आरोप अछि। बेंगलुरु पुलिस क अनुसार एहि मे कफील क भूमिका अहम रहल छल। पुलिस दूनू स पूछताछ क रहल अछि। बेंगलुरु पुलिस क ज्वाइंट सीपी बी. दयानंद क कहब अछि जे मोहम्मद कफील कए बेंगलुरु आनल जा रहल अछि।
दोसर दिस, दरभंगा क केवटी थाना क्षेत्र क बाढ़-समैला गाम मे लोक क आक्रोश देखल जा रहल अछि। आतंकी बता जेकरा कर्नाटक पुलिस उठा ल गेल ओ दरभंगा क एकटा स्कूल मे शिक्षक क रूप मे कार्यरत अछि। सादा वर्दी मे आयल कर्णाटक पुलिस क 12 सदस्यीय टीम 6 मई कए भोर कफील कए घर स उठा ल गेल। कफील क पिता अब्दुल सलाम क कहब अछि जे हुनकर बेटा कहियो बेंगलुरु नहि गेल अछि। कफील क माई नोरायल आंखि स बस एतबा कहैत अछि जे ओकर बेटा निर्दोष अछि। एक दिस एहि गिरफ़्तारी क बाद गाम मे खौफ क माहौल अछि त दोसर दिस आक्रोश सेहो बढल जा रहल अछि। एहि मामला मे सबस निकम्‍मा देखा रहल अछि दरभंगा क पुलिस। दरभंगा पुलिस क क्षेत्राधिकार स आन राज्‍यक पुलिस एकटा युवक कए गिरफ़्तार क ल कए चल गेल, मुदा ओकरा खबरि तक नहि लागल। दरभंगा पुलिस क एहि लापरवाही पर पुलिस मुख्‍यालय सेहो सख्‍त भेल अछि आ एसएसपी स मामला क पूरा रिपोर्ट तलब कैल गेल अछि। ओना एसएसपी क कहब अछि जे दरभंगा पुलिस कए एहि गिरफ़्तारी क जानकारी नहि देल गेल छल। सवाल उठैत अछि जे पिछला किछु मास मे विभिन्‍न राज्‍यक पुलिस अबैत अछि आ बिना कोनो नियम कानून कए दरभंगाक युवक कए उठा ल जाइत अछि आ दरभंगा पुलिस मुंह देखैत रहि जाइत अछि। एहि गिरफ़्तारी क बाद उम्‍मीद कैल जाए जे दरभंगा पुलिस अपन निकम्‍मापन कए छोडि अपन सीमा मे आन पुलिसक कार्रवाई रोकबा लेल सजग रहत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बाढ थर्मल स भेटत आधा बिजली

Esamaad Epaper Website

...तखन छोट परि जाएत रामलीला मैदान

Esamaad Epaper Website

सांसद क्षेत्र विकास योजना क बदलल गाइड लाइन

Comments 2

  1. VIVEK says:
    11 years ago

    SIR G BINA AIG KE DHUWA NAI UTAITH CHHAI AHAN KE AUR HAMRA KIYA NAI PAKARLAK.AA OKRE PAKAIR KE LE GEL. AA KONO APRADHI EE NAI KAHAIT AICH JE HUM APRADHI CHHI. EKATA BAT AUR JE AHAN LIKHLO HAN JE EKTA CHHOT CHIN BOMB BISHFOT SHRI MAAN CHHALAI T BOMB BISHFOT NA.INDIA PAKISTAN KE MATCH JITLA KE BAD KE PHATAKA NAI SHREE MAN APNE MEDIA ME CHHIYE KANI BHASA AA SABD PAR DYAN DIYO.

    Reply
  2. manish says:
    11 years ago

    Nitish ji ke ekta nik prayas atanki ke bihar tak failaba me.ona gyat bhela je aaro khatarnak atanki mithila me sharan lene chaith.aab hunka bachaba par jor debak chahi takhan vote bhetat ne.vikash ke jhunjhuna kate bajayeb

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि