• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

इथनॉल बनेबा लेल आब दस फीसदी तक छोआ क होएत प्रयोग

December 4, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

कैबिनेट क बैठक में 27 टा मुद्दा पर मोहर
समर्पण करय बला नक्सली पर सरकार मेहरबान घर बनेबा लेल देत आब अढ़ाई लाख
हथियार जमा करला पर सेहो भेटत बेसी मुआवजा
वजीफा क लेल 75 फीसदी उपस्थिति क अनिवार्यता खत्म।

पटना : कैबिनेट सचिव क अहम फैसला मे मोटर वाहन मे र्इंधन क रूप मे प्रयोग होए बला इथनॉल क आपूर्ति क लेल इथनॉल निर्माण आ वितरण संबंधी नीति क निर्धारण आओर छोआ नियंत्रण नियमावली 1955 मे संशोधन कैल गेल अछि। एहि अनुसार निबंधन, उत्पाद वा मद्य निषेध विभाग इथनॉल बनेबा लेल पांच फीसदी छोआ क प्रयोग क इजाजत द सकैत अछि। ओतहीं छोआ क उपलब्धता बेसी भेला स एहन स्थिति मे पांच स दस फीसदी तक छोआ क प्रयोग क इजाजत इथनॉल निर्माण क लेल सेहो देल जा सकैत अछि।

सरकार अपन अहम फैसला मे समर्पण करनिहार नक्सली कए आवासीय सुविधा सहित हथियार लौटेबा क लेल नबका सिरा से नीति क निर्धारण कैल गेल अछि। केंद्र क निर्देश कए आलोक मे राज्य सरकार नीति निर्धारण कए नबका दर तय कए लेने अछि। कैबिनेट सशर्त वा शर्त रहित समर्पण करनिहार उच्चस्तरीय कमेटी क हार्डकोर नक्सली कए आवास क लेल ढाई लाख टका आ मध्यम स्तर क समर्पण करनिहार नक्सली कए डेढ़ लाख टका क सुविधा देबाक फैसला कैल गेल अछि। आवासीय सुविधा क राशि समर्पण करनिहार नक्सली क बैंक एकाउंट मे जमा कैल जाएत मुदा एकर उपयोग ओ तीन साल क बादे कए सकत। ओतहीं विभिन्न किस्म क हथियार लौटेबा पर सेहो नक्सली कए भिन्न-भिन्न दर पर राशि अदा कैल जाएत। बिहार पुलिस मे खिलाड़ी क नियुक्ति आ पारी स बाहर होए पर हुनकर प्रोन्नति क लेल बिहार पुलिस खेल-कूद नीति 2013 कए स्वीकृति द देल गेल अछि। एहि क तहत उत्कृष्ट प्रदर्शन करनिहार खिलाड़ी क नियुक्ति कएल जाएत। 40 पार भेला पर बेहतर प्रदर्शन करनिहार खिलाड़ी कए सेहो प्रोन्नति देल जाएत। खेल-कूद नीति क तहत 16टा खेल कए शामिल कैल गेल अछि। खेल मे उम्दा प्रदर्शन करनिहार खिलाड़ी क नियुक्ति क लेल 18 स 23 वर्षक उम्र निर्धारित कैल गेल अछि। कैबिनेट पहला स दसमा तक कए पिछड़ा-अति पिछड़ा वर्ग क छात्र-छात्रा क छात्रवृत्ति क लेल चालू वित्तीय वर्ष मे 75 फीसदी उपस्थिति क अनिवार्यता खत्म कए देने अछि। आब छात्र-छात्रा क उपस्थिति क अनिवार्यता शिक्षा विभाग तय करत। शिक्षा विभाग द्वारा तय उपस्थिति क फीसदी क आधार पर पिछड़-अति पिछड़ा वर्ग क छात्र-छात्रा कए छात्रवृत्ति भेटत। इ सुविधा सरकारी, सरकार द्वारा मान्यताप्राप्त, स्थापना प्रस्वीकृत पहला स दसमा तक कए विद्यालय मे पढ़निहार पिछड़ा-अति पिछड़ा वर्ग क छात्र-छात्राओं कए भेटत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे मंगल दिन कैबिनेट क बैठक मे कैकटा अहम फैसला लेल गेल। कैबिनेट सचिव ब्रजेश मेहरोत्रा संवाददाता क जानकारी दैत बतेलथि कि एहि स पहिने 23 नवम्बर 2001 टा मे समर्पण करय बला नक्सली क लेल नीति क निर्धारण कैल गेल अछि। आब केंद्र क सुझाव पर राज्य सरकार नबका सिरा स समर्पण करय बला हार्डकोर नक्सली क आवासीय आओर जमा करल गेल हथियार क लेल नबका नीति तय केने अछि। नबका नीति के अनुसार एलएमजी, जीपीजी, रायफल, राकेट लांचर लौटेला पर प्रति हथियार 35 हजार टका, एके 47, 56 लौटाने पर प्रति हथियार 25 हजार टका, पिस्टल, रिवाल्वर, कार्वाइन, स्टेनगन क सुपुदर्गी पर प्रति हथियार दस हजार टका, ग्रेनेड और हैंड ग्रेनेड लौटेबा पर प्रति पीस 500 टका, सेटेलाइट फोन लौटेबा पर दस हजार टका प्रति फोन, बीएचएफ, एचएफ लौटेबा पर प्रति 5000 टका, इलेक्टॉनिक डेटोनेटर पर प्रति डेटोनेटर 50 टका वा प्रति डेटोनेटर दस टका क अदायगी सरकार द्वारा कैल जाएत। श्री मेहरोत्रा क अनुसार नवम्बर 2001 मे निर्धारित नीति क तहत समर्पण करय बला नक्सली कए दस हजार टका देबाक प्रावधान छल जखनकि पुनर्वास समिति द्वारा फैसला आबय तक बतौर आवासीय सुविधा आत्मसमर्पण करय बला नक्सली कए प्रति माह तीन हजार टका देल जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

निगम क उदासीनता स धूल खा रहल एकटा नीक प्रस्ताव

Esamaad Epaper Website

नबका साल मे भेटत सिटी बस सेवा क सौगात

Esamaad Epaper Website

नालंदा में बनत अंतरराष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट स्टेडियम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि