पटना । बिहार मे राजनेताक आपसी झगडा मे क्रिकेट बरबाद भ रहल अछि। एक कए बाद एक खिलाडी राज्य स बाहर जा रहल अछि। ताजा मामला राष्ट्रीय स्तर पर कईटा टूर्नामेंट मे विकेट क झड़ी लगा देनिहार उदीयमान बायां हाथक तेज गेंदबाज प्रतीक कुमार क अछि। प्रतीकक कहब अछि जे पिछले वर्ष हुनका बंगाल क दिस स लीग खेलबाक मौका भेटल छल, मुदा अपन राज्य स लगाव क कारण ओ आफर ठुकरा देलथि। आइ अपन निर्णय पर अफसोस करैत प्रतीक कहैत छथि- हम क्रिकेट संघ स विनती करैत छी जे ओ आपसी मतभेद बिसरी कए मान्यता लेल एक मंच पर आबि प्रयास करथि। प्रतीक कहला जे एखनो किछु नहि बिगड़ल अछि। क्रिकेट क कर्ताधर्ता चाहथि त राज्य मे भद्रजन क एहि खेल कए फेर स टै्रक पर आनल जा सकैत अछि। अगर एहन नहि भेल त हम कि कोनो खिलाडी बिहार मे नहि रहत। अपन सामने कईटा क्रिकेटर क कॅरियर कए चौपट होइत देख चुकल छी। हमरा संग सेहो एहन हुए, एहि स पूर्व हम राज्य कए छोड़ि देब। प्रतीक फिलहाल राजधानी मे आयोजित महाराणा प्रताप क्रिकेट टूर्नामेंट मे अपन टीम जेवियर इंटरनेशनल कए अंतिम 16 मे पहुंचा चुकल छथि। 14 वर्ष क उम्र मे 110 किमी क रफ्तार स गेंद फेंक रहल प्रतीक एकर श्रेय अपन अभिभावक आ कोच कए दैत छथि। क्रिकेट क प्रति रुझान कए देख पिता प्रतीक कए सीएबी मे दाखिला दियौलथि, जेकर बाद ओ पहिल टूर्नामेंट खेलबा लेल बंगाल गेलथि, जतए दस विकेट लकए दमदार उपस्थिति दर्ज करेबाक संग हि बंगाल क दिस स लीग खेलबाक प्रस्ताव प्राप्त केलथि, जेकरा ओ ठुकरा देलथि।