• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एकटा पुल स जुडि गेल बहुत रास संबंध

May 19, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

ममता शंकर/ नीलू कुमारी
सहरसा/दरभंगा ।
बिरौलवाली भैजीक आइ आंखि नोरायल अछि। इ नोर खुशीक अछि। आब कमला क धार हुनका नैहर जेबा मे बाधा नहि बनत। 16 घंटाक दूरी आब एक घंटा 16 मिनट भ जएत। सामा हो बा भरदुतिया भौजी चट द नैइहर चल जेतीह आ पट द सासुर घुरि अउतथि। अपन खुशी कए आइ ओ नुका नहि पाबि रहल छथि। कखनो नचारी त कखनो महेशवाणी गाबि रहल छथि। भौजी क आजुक रूप ओहि विद्यापतिक जेना भ गेल अछि जेकर दुहारि पर कहियो महादेव उगना बनि आयल छलाह। महादेवक एकटा नाम नीतिश सेहो अछि जे आइ भौजी क दुहारि पर सेवा यात्रा क क्रम मे नीतीश आयल छथि। ओ दरभंगा जिला क ठेंगहा मे कमला नदी पर पुल क शिलान्यास केलथि अछि। जहिया भौजी क विवाह भेल छल तहिया कमला पर तिरहुत सरकार क बनाउल लोहा क पुल छल। 1987 क बाढि मे ओ बहि गेल। तहिया स बस नाव क सहारे लोक नदी पार क मधेपुर अबैत-जाइत अछि। सड़क मार्ग स मधेपुर क दूरी पुल क टूटला क बाद 40 किमी भ गेल। पुल बनि जाए त इ दूरी छह किमी भ जाएत। पुल बनला स दरभंगा, मधुबनी, सुपौल आ सहरसा क दूरी कम भ जाएत।
एहि ठाम कमला पर पुल क मांग पुरान अछि । मांग पूरा नहि भेला स लोक नाउम्मीमद भ गेल छल। अचानक शिलान्यास क गप आयल त पूरा इलाका गवाह बनबा लेल पहुंच गेल। नदी पर भ रहल एहि जुटान मे भौजी नहि जा सकलीह। ओना सभा मे हुनकर गामक सब गेल छल। अल्पसंख्यक टोलक सेहो लोक गेल छल।
सभा मे पहुंचल महिला कए संबोधित करैत मुख्यनमंत्री कहला जे मिथिला मे पलायन क पीड़ा असहनीय अछि। एक समय छल जखन एहि इलाका क नौजवान विवाह क बाद मुंहबज्जि (सुहागराति) दिन रेलगाड़ी क टिकट देखैत छलाह। आब स्थिति मे सुधार भेल अछि, मुदा इ सुधार उल्ले खनीय नहि अछि। हम विशेष राज्य क मांग केकरा लेल क रहल छी, अहीं सब लेल, ताकि अहां सबहक इ विरह पीडा खत्मा भ सकए। बिहार क लोक रोजगार लेल बाहर नहि जाइथि। फेर पहिने जेकां आन ठामक लोक काज करबा लेल मिथिला आबथि। नीतीश भीड़ स हाथ उठवाकए इ संकल्प लेलथि जे बेटा हो बा बेटी, ओकरा स्कूल जरूर पठायब। एहि शपथ काल सभाक अंतिम छोर पर ठार निलोफर सेहो अपन दूनू हाथ उठेने रहल। तीनटा बेटी क माइ निलोफर सेहो आइ बुझि रहल अछि जे इ दुनिया ज्ञान क दुनिया छी।
विधानसभा मे विपक्ष क नेता अब्दुल बारी सिद्दीकी क विधानसभा क्षेत्र मे कमला नदी पर पुल क शिलान्यास करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे ओ विकास क नाम पर राजनीति नहि करैत छथि। हुनका लेल राज्य क जनता हुनकर परिवार अछि। राज्य क सबटा बच्चाक हुनकर बच्चां जेकां अछि, जेकर भविष्या लेल ओ चिंतित रहैत छथि। सभास्थ ल पर साइकिल स पहुंचल आरती आ सपना संग पूरा समाज थोपडी बजा मुख्यिमंत्री क भावना कए सम्माहन देबा मे पाछु नहि रहल।
जाहि ठाम नीतीश इ कहि रहल छलाह ओ ठेंगहा सिद्दीकी क विस क्षेत्र अलीनगर क हिस्सा अछि आ राजद विधायक ललित कुमार यादव क गाम तारडीह क बगल मे अछि।
अल्पससंख्यहक क बीच इ गप चर्च मे रहल जे क्षेत्र क विधायक अब्दुलबारी सिद्दीकी जखन पथ निर्माण मंत्री छलाह तखनो ओ इ पुल नहि बना सकलाह । 30 करोड़ टका क लागत स इ पुल दो साल बाद तैयार भ जाएत। मुख्यमंत्री पथ निर्माण विभाग क प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत स सभा मे इ शपथ लेलथि जे विधानसभा चुनाव लेल आदर्श आचार संहिता लागू भेला स पूर्व ओ एहि पुल क उद्घाटन करताह। मुख्यमंत्री कहला जे कमला पर आओर पुल बनेबा क जरूरत अछि। मिथिला क विकास लेल एकरा पुल आ सडक जोडब जरूरी अछि। ओ कहला जे खंड खंड मे बंटल मिथिला क लोक क दुख स ओ परिचित छथि। राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद क बिना नाम लेने ओ कहला जे जनता क खुशी मे हमर खुशी है, जनता अगर खुश अछि त हम खुश होएब। जनता क दुख हमर दुख छी। किछु लोक अपन खुशी लेल जीबैत अछि, बहुत आगू सोचलक त अपन कुल-खानदान क खुशी क इंतजाम करैत अछि। हमर परिवार त पूरा बिहार अछि। हम काज करैत छी राज्य क जनता लेल।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

उद्योग लगेबा लेल 'आओ बिहार' योजना शुरू

Esamaad Epaper Website

शुरू भेल 33टा जिला मे एरियल सर्वे

Esamaad Epaper Website

बाट पर उतरबा लेल तैयार अछि मेड इन बिहार साइकिल

Comments 1

  1. Prakash Kumar Jha says:
    11 years ago

    Bahut neek samaad, Nischit rup sa Mithila ke aur pul ke avasyakta achhi, umeed kayal jebak chahi je sarkar dhyan det.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि