पटना : गंगा एक्सप्रेस वे (लोक नायक पथ) क कार्य कए प्रारंभ करेलाक बाद मात्र तीन सप्ताह क भीतर दोसर अत्यंत महत्वपूर्ण परियोजना एम्स-दीघा एलिविटेड कॉरिडोर क कार्य क बिहार राज्य पथ विकास निगम लिमिटेड आ पथ निर्माण सचिव प्रत्यय अमृत बिहार खास क पटनाक जनता लेल अविश्वसनीय छवि बना लेलथि अछि। वाल्मी प्रांगण मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रिमोट कंट्रोल स शिलान्यास शिलापट्ट क अनावरण क एम्स-दीघा एलिवेटेड कॉरिडोर क कार्यप्रारंभ केलथि। ओ कहला जे अभियंत्रण, डिजाइन आ वाहन क संख्या मे वृद्धि क दृष्टिकोण स दर्शनीय होएत एम्स-दीघा एलिवेटेड कॉरिडोर। इ कॉरिडोर ढाई साल क निर्धारित अवधि मे पूरा गुणवत्ता क संग तैयार भ कए जनता कए समर्पित भ जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे इ कॉरिडोर हमर एकटा सपना छल, जेकरा पथ निर्माण सचिव प्रत्यय अमृत बुझलथि आ दिनराति एक क पूरा क देलथि अछि।
एहि अवसर पर पथ निर्माण सचिव प्रत्यय अमृत बिहार राज्य पथ विकास निगम क कार्य-कलाप क चर्चा केलथि आ कहलथि जे मात्र साढ़े चारि वर्ष क अवधि मे इ निगम रिकार्ड उपलब्धि प्राप्त केलक अछि। 11 अक्टूबर कए गंगा पथ क कार्य प्रारंभ कैल गेन आ फेर 1289 करोड़ टकाक लागत स एम्स-दीघा एलिवेटेड कॉरिडोर क निर्माण क कार्य प्रारंभ भ रहल अछि। इ कॉरिडोर बिहार राज्य क सबस लम्बा एलिवेटेड कॉरिडोर होएत। उच्च गति क कर मुक्त इ कॉरिडोर बिहार क कोनो नहर क ऊपर बनल पहिल एलिवेटेड कॉरिडोर होएत। इ कॉरिडोर 11.9 किलोमीटर लम्बा होएत आ चारि लेन क होएत। इ तीन सालक निर्धारित अवधि मे बनिकए पूरा भ जाएत। अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान पटना स एकर सीधा सम्पर्क होएत आ एकर उपयोग पटना क बाहरी रिंग रोड क पश्चिम अंश क रूप मे सेहो कैल जा सकत। एहि स पथ यात्री आ मालवाहक वाहन दूनू कए परिचालन मे सुविधा भेटत। एहि अवसर पर गैमेन इंडिया क अध्यक्ष सह मुख्य महाप्रबंधक अभिजीत राजन कहला जे गैमेन इंडिया क बिहार स 50 साल पुरान संबंध अछि। गैमन इंडिया महात्मा गांधी सेतु, सोन ब्रिज, शेरघाटी ब्रिज, कोसी ब्रिज जइसन महत्वपूर्ण परियोजना कए बनेबा मे सहयोग देने अछि। ओ आश्वासन देलथि जे गुणवत्ता क संग बिना कोनो समझौता केने ओ एहि एलिवेटेड कॉरिडोर क निर्माण कार्य कए निर्धारित अवधि स कम समय मे पूरा क लेताह। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री एलिवेटेड कॉरिडोर परियोजना क मोडल क अनावरण सेहो केलथि आ एहि मे किछु सुधार क आवश्यकता बतेलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Nik samad!