नई दिल्ली । नव पल्लव नामक गैर सरकारी संस्था द्वारा वंचित श्रेणी क छात्र लेल ‘अयाची छात्रवृति योजना’ क घोषणा कैल गेल अछि। जेकरा लेल कार्यक्रम 29 दिसंबर कए गांधी शांति प्रतिष्ठान मे आयोजित कैल जा रहल अछि। एहि कार्यक्रम क इ’समाद आनलाइन पार्टनर अछि। कार्यक्रम मे दिल्ली एनसीआर क सरकारी स्कूल स करीब एक हजार प्रतिभागी भाग लेतथि। जाहि मे स दूटा विजेता छात्र कए साल भरि तक संस्था द्वारा प्रति माह 500 टका क छात्रवृति देल जाएत।
आयोजन सचिव कृष्ण कुमार झा कहला जे प्रतियोगिता दू चरण मे आयोजित कैल जा रहल अछि। पहिल श्रेणी मे दिल्ली एनसीआर क सरकारी विद्यालय मे अध्ययनरत कक्षा 9 आ 10 क छात्र कए निबंध लेखन प्रतियोगिता मे भाग लेबाक अछि आ ओकर बाद देल गेल विषय पर व्याख्यान देबाक अछि। एहिना कक्षा 11 आ 12 क छात्र लेल दोसर श्रेणी मे निबंध आ व्याख्यान प्रतियोगिता क आयोजन कैल गेल अछि। छात्र कए अपन लिखल निबंध कए डाक, स्पीड पोस्ट या कूरियर द्वारा 26 दिसंबर क सांझ छह बजे तक नव पल्लव क कार्यालय मे पठेबाक अछि। कार्यालय क पता एच-142, प्रथम तल, सेक्टर 12, नोएडा अछि। जेकरा बाद 29 दिसंबर नई दिल्ली दीनदयाल उपाध्याय मार्ग स्थित गांधी शांति प्रतिष्ठान मे पुरस्कार क घोषणा कैल जाएत। नव पल्लव संस्था क स्थापना वर्ष 2011 मे भेल छल। एहि संस्था मे प्रोफेशनल क्षेत्र स जुडल लोक जुडल छथि जे लोक कए रोजगार परक प्रशिक्षण देबा मे सहायता करैत छथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर