• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

एनसीएसएम क निर्देशन मे होएत दरभंगा तारामंडलक निर्माण

May 11, 2013
in समाचार, समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

भागलपुर आ दरभंगा तारामंडल लेल केंद्र देलक 12 करोड क सहायता
दरभंगा समेत पांचटा शहर मे खुलत एकटा अतिरिक्‍त पालिटेकनिक कॉलेज
चारिटा पालिटेकनिक कॉलेज मे पढ़ाई एहि सत्र स
16टा जिला मे कॉलेज लेल भूमि उपलब्ध
प्रीतिलता मल्लिक
पटना। भागलपुर आ दरभंगा मे तारामंडल क निर्माण लेल केंद्र सरकार 12 करोड़ टका देबाक सहमति देलक अछि। एहि गपक जानकारी दैत विज्ञान एवं प्रवैधिकी मंत्री गौतम सिंह कहला अछि जे धन क कमी क कारण तारामंडलक निर्माणमे देरी नहि होएत। तारामंडल क निर्माण पर केंद्रीय सहायता क बाद जे कोनो खर्च होएत ओ राज्य सरकार वहन करत आ ओकरा लेल राशि आवंटन करत। ओ कहला जे फिलहाल परामर्शी नियुक्ति क प्रक्रिया चलि रहल अछि। बेसी उम्‍मीद अछि जे केंद्र सरकार क उपक्रम नेशनल काउंसिल आफ साइंस एंड म्यूजियम क मापदंड क तहत परामर्शी क चयन कैल जाएत। मंत्री कहला जे विशेषज्ञ क टीम क अलावा नेशनल काउंसिल आफ साइंस एंड म्यूजियम (एनसीएसएम) लग चंडीगढ़ आ कोलकाता मे तारामंडल क निर्माण क अनुभव सेहो अछि। एहि दृष्टि स तारामंडल क निर्माण एनसीएसएम क निर्देशन मे कैल जाएत।
मंत्री क अनुसार तकनीकी शिक्षा कए बढ़ावा मे आबि रहल बाधक तत्‍व कए दूर करबाक सरकार प्रयास तेज क देलक अछि। विज्ञान एवं प्रवैधिकी मंत्री कहला अछि जे सरकार दरभंगा, छपरा, गोपालगंज, बेगूसराय आ भागलपुर मे एक-एकटा अतिरिक्त पालिटेकनिक कॉलेज क स्थापना करबाक फैसला केलक अछि। संगहि सत्र 2013-14 स लखीसराय, नालंदा क अथावां, वैशाली आ रोहतास क डेहरी मे चारिटा पालिटेकनिक कॉलेज मे पढ़ाई शुरू भ जाएत। विज्ञान एवं प्रवैधिकी मंत्री कहला जे शैक्षणिक आ गैर शैक्षणिक कर्मचारी क पद कए स्वीकृति देल जा चुकल अछि । राज्य सरकार स्थायी शिक्षक क बहाली लेल बिहार लोक सेवा आयोग कए अधियाचना बहुत पहिने पठा चुकल अछि । मामला अदालत मे अछि ताहि लेल शिक्षकक नियुक्ति नहि भ पाबि रहल अछि, मुदा आब मामला सुलझा लेल गेल अछि। शीघ्र आयोग क अनुशंसा पर करीब 75टा शिक्षक क नियुक्ति कैल जाएत। ओ कहला जे राज्य क 27टा एहन जिला जाहि ठाम एखन पालिटेकनिक कॉलेज नहि अछि ओतहु हम सब कॉलेज खोलबाक प्रयास क रहल छी। सिंह क अनुसार पालिटेकनिक कॉलेज विहीन 27टा जिला मे स 16टा जिला मे कॉलेज लेल भूमि उपलब्ध अछि। गौरतलब अछि जे अन्य राज्‍यक क तुलना में बिहार में इंजीनियरिंग आ पालिटेकनिक कॉलेज क भारी कमी अछि। तकनीकी शिक्षा लेल बिहार क छात्रकए दोसर राज्‍य जायब मजबूरी बनि चुकल अछि । बिहारक छात्र आ अभिभावक क टका स दोसर राज्‍यक तकनीकी संस्थान सुदृढ़ भ रहल अछि । सरकार एहि लेल प्रत्येक प्रमंडल मे कम स कम एकटा इंजीनियरिंग कॉलेज आ प्रदेश क 38टा जिला मे एक-एकटा पालिटेकनिक संस्थान क स्थापना क प्रयास क रहल अछि । राज्य मे एखन सरकारी आ निजी क्षेत्र क मात्र 13टा इंजीनियरिंग कॉलेज अछि। सीतामढ़ी इंस्टीट्यूट आफ टेक्नोलॉजी सीतामढ़ी, बीपी मंडल इंजीनियरिंग कॉलेज मधेपुरा आ राष्टकवि रामधारी सिंह दिनकर इंजीनियरिंग कॉलेज बेगूसराय फिलहाल पाइप लाइन मे अछि ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

रैयाम क बाद आब लोहट मिल लूटबाक कोशिश

Esamaad Epaper Website

पीएडा मे देखा रहल अछि चहल-पहल

Esamaad Epaper Website

भागलपुर-हंसडीहा सडक भेल एनएच-114ए

Comments 1

  1. Santoshi Kumar says:
    10 years ago

    Samachar sukhad achhi. Mantri mahoday bhavisyak gap besi ka rahal chhathi. Ehi tarhak logik ken kani aor besi home task san jori jan 12th Five Year Plan ke samay me prastut kene rahitathi ta Technical Education ke lel Bihar ken je awasyakta chhal se bhetait. Muda ohi tham Bihar Gov. apan bat rakhaba san chuki gel athwa bat mana nahi sakal. Lihaja 12th Plan me Tec.Edu. me asanurup safalta bhetait hamara nahi bujha rahal achhi.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि