भागलपुर : 15 मई कए भागलपुर एयरमैप पर आबि जाएत। निजी विमानन कंपनी स्काईफिशर एयरवेज लिमिटेड भागलपुर स हवाई सेवा शुरू करबाक घोषणा क देलक अछि । भागलपुर स विमान पटना, गया होइत वाराणसी तक जाएत। फेर एहिना लौटत । प्रतिदिन इ सेवा उपलब्ध होएत। स्काईफिशर एयरवेज एहि संबंध मे जिलाधिकारी कए सूचित क देलक अछि। डीएम कए लिखल गेल पत्रमे स्काईफिशर एयरवेज लिमिटेड क मैनेजिंग डायरेक्टर ऋषिकेश मिश्रा कहलथि अछि जे सिंगल इंजन वाला इ एयरक्राफ्ट 12 सीट क अछि । एकर निर्माण सेसना एयरक्रांफ्ट कंपनी केलक अछि । प्रबंध निदेशक डीएम स लैंडिंग आ पार्किंग चार्ज सहित सुरक्षा, फायर ब्रिगेड आ एंबुलेंस पर भेल प्रशासनिक व्यय क जानकारी मंगलवार अछि । प्रबंध निदेशक कहला अछि जे चार्टर ऑपरेशन, मेडिकल इमरजेंसी सर्विस आ कार्गो सर्विस क तहत सेहो इ सेवा देबाक प्रस्ताव अछि। ओ कहला अछि जे पटना तक क किराया ढाई आ वाराणसी तक क किराया लगभग छह हजार टका होएतद। ज्ञात हुए जे स्थानीय सांसद शाहनवाज हुसैन भागलपुर स विमान सेवा शुरू करबा लेल बहुत साल स प्रयासरत छलाह। मुदा आब इ संभव भ पाबि रहल अछि। राज्य सरकार क एकटा समिति स हवाई सेवा क संबंध मे एप्रूवल भेट गेल अछि । सेवा शुरू करबा लेल मुख्यमंत्री सचिवालय प्रतिदिन क कार्रवाई क मॉनीटरिंग क रहल अछि। राज्य सरकार क प्रधान सचिव सह नगर विमानन विभाग क प्रभारी प्रधान सचिव सेहो डीएम स कई बेर दूरभाष पर गप केलथि अछि। डीएम कार्यालयक सूत्र क कहब अछि जे विकास आयुक्त फूल सिंह सेहो व्यक्तिगत स्तर पर मामलाक निगरानी क रहल छथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa