• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

एहन कार्रवाई स सुशासन क उम्‍मीद कोना करू नीतीश बाबू

October 14, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


आइ जनतंत्र क हारि भ गेल। बिहार क आम जनता जाति, धर्म आ मजहब स उपर उठि कए नीतीश कुमार कए वोट देने छल, मुदा नीतीश कुमार जनता क भावना क सेहो सम्मान नहि क पाबि रहल छथि। खगड़िया, नवादा, गया आओर आब मधुवनी। गौरतलब अछि जे सब ठाम जे किछु भेल ओहि पर सरकार आ सरकारी मशीनरी क ओहने रुख रहल जेहन कहियो लालू प्रसाद क राज मे छल। मधुबनी मे भेल पुलिसिया गोलीबारी आ हिंसा लेल मधुबनी जिला क अदूरदर्शी पुलिस-प्रशासन क पक्षपातपूर्ण रवैया ज़िम्मेदार रहल। मधुबनी क प्रशासन जेकरा जनता क लेल काज करबाक छल ओ एकटा वरिष्ठ शिक्षा पदाधिकारी क लेल काज करैत रहल..। निष्पक्ष कार्रवाई करबाक स्‍थान पर पुलिस खुद एकटा पार्टी बनि गेल। प्रशासन दिस स न्‍यायपूर्ण कार्रवाई नहि होइत देख आम लोक क तामस उग्र होइत गेल। कोनो प्रकारक हिंसा क समर्थन नहि कैल जा सकैत अछि। मुदा जखन हिंसा कए पुलिस अपन व्यवहार स आमन्त्रित करि रहल छल, तखन एकरा कोना रोकल जा सकैत छल। मधुबनी मे नवपदस्थापित एसपी रंजीत कुमार मिश्रा बुधियारी देखेलथि अछि आ मृतक प्रशांत क शव कए हुनकर परिजन कए सौंप देलथि। प्रशांत क अंतिम संस्‍कार मे शामिल भ प्रशासनक भागीदारी सेहो निभा देलथि। अगर एहने सूझबूझ आ समझ पूर्व पुलिस अधीक्षक सौरव कुमार देखा देने रहितथि त मधुबनी मे एतबा जान-माल क नुकसान नहि होइ देखितहुं। प्रशांत क परिवार कए अपन बच्‍चा क शव लेबा लेल धरना पर नहि बैसल देखितहुं।
इ पूरा मामला नीतीश क ओहि सुशासन आ न्‍याय संग विकास क मूल नाराक विपरीत रहल। नीतीश अपन हर चुनावी भाषण आ ओकर बाद क भाषण सब मे दोहरा रहल छथि जे ओ सब कए संग लकए बिहार क विकास करताह, ओ समाज कए तोड़बा मे नहि बल्कि जोड़बा मे विश्वास रखैत छथि,मुदा मधुबनी मे जे भेल ओ ठीक एकर उलट अछि।
नीतीश सरकार अपना स पूर्व लालू सरकार क भांति पूरा मामला कए निपटेबाक कोशिश केलक अछि। एहि लेल किछु बेसी सबूत देबाक काज नहि अछि। पुलिस प्रशासन क अन्‍यायपूर्ण रवैया स जखन मधुबनी मे आगि लागल छल तखन मुख्यमंत्री सचिवालय दिस स सूचना देल गेल जे मधुबनी क हालात पर सीएम आवास मे उच्चस्तरीय बैसार चलि रहल अछि। पहिल बेर एहन बैसार मे उपमुख्यमंत्री कए सेहो बजाउल गेल। राति 9 बजते मीडिया कए कहल गेल जे मधुबनी क डीएम आ एसपी पर कार्रवाई करैत हुनकर स्‍थानांतरण क देल गेल। मीडिया एहि खानापूर्ति क विरोध क स्‍थान पर दरभंगा क आईजी कए घेरबाक काज केलक। देर राति सरकार हुनको हटेबाक सूचना द देलक। समाचरा पत्र सरकारक एहि कारवाई क खबर स पटल अछि। सरकार क कार्रवाई विरोध कतहु स नहि भेल। सरकार पूर्वक भांति केवल डीएम आ एसपी कए हटाकए अपन जिम्‍मेदारी निभा लेबाक औपचारिता देखेलक। न्‍यायिक जांच या सीबीआइ जांच क महत्‍व आब सब जनैत अछि। पूर्व स अलग अपन प्रशासनक ढोल पिटनिहार मुख्‍समंत्री नीतीश कुमार मधुबनी कए आगि मे झोकनिहार जिलाक डीएम आ एसपी कए सजा देबाक संगहि आरोपी शिक्षा अधिकारी कए बर्खास्त करबाक कार्रवाई स भागि गेलथि। मधुबनी क घटना लेल एहि तीनू गोटा कए गिरफ्तारी हेबाक चाहैत छल, मुदा नीतीश सरकार एक प्रकार स हिनका सब कए पुरस्‍कृत क देलक अछि।
मधुबनी कए जरेबाक जमीन तैयार करनिहार एसपी सौरभ कुमार कए बिहार क सबस कमाउ जिला किशनगंज क एसपी बना देल गेल अछि आ किशनगंज क एसपी रंजीत मिश्रा कए मधुवनी क एसपी बना देल गेल अछि। इ कार्रवाई पूर्व क सरकार क कार्रवाई स कनिको भिन्‍न नहि अछि। दोसर कार्रवाई आईजी संग भेल व्‍यवहार अछि। आईजी कए सजा देखा बिहार पुलिस विभाग आधुनिकीकरण क एडीजी बना देल गेल। सच्चाई इ अछि जे हिनकर प्रमोशन दू मास पूर्व भ चुकल छल आ केवल पोस्टिंग करब बचल छल। एहन मे सरकार हिनकर पोस्टिंग एहन समय मे केलक जे लोक मे संदेश जा सकए जे हुनका सजा देल गेल आ इ कार्रवाई मीडिया क माध्यम स कराउल गेल अछि। ओना हिनकर गिनती राज्य क किछु नीक पुलिस अधिकारी मे होइत रहल अछि, मुदा पुलिस मुख्यालय क चाटुकार नहि रहबाक सजा ओ भोगैत रहलाह अछि।
सरकार क एहि खेल क बिहार क भविष्य पर की असर पड़त इ त भविष्‍य कहत, मुदा नीतीश कुमार क एहि राजनैतिक शैली स लोकतंत्र क जरुर नुकसान भ रहल अछि आ पता नहि बिहार क की होएत। एहि पूरा मामला कए सुलझेबा मे राज्य क पुलिस मुखिया अभयानंद क विफलता सेहो खुलि कए सामने आयल अछि। उम्‍मीद अछि हुनका लोक एकटा शिक्षक क रूप मे नहि बल्कि एकटा नीक पुलिस मुखिया आ प्रशासक क रूप मे सेहो देखत। आशा अछि जे भोर नव आशा क किरण लकए आउत, अमन क प्रतीक मधुबनी मे फेर स शांति लौटत.. आगू फेर एहन घटना नहि भ सकए तकरा लेल सबटा जिम्मेवार लोकसब पर सख्त कार्रवाई होएत..
साभार : इनपुट – भवेश नंदन आ संतोष सिंह क वाल स, फोटो- प्रकाश मित्रवत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

अपन 'ओरिजनल काम' देखा देलक मैलोरंग

प्रशांत अपन प्रमिका संग बरामद

Esamaad Epaper Website

सब रूप मे कल्‍याणी छथि दुर्गा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि