• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

एहन राजनीति स विकास कोना होएत

July 15, 2013
in संपादकीय, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

आजादीक बाद राजनीतिक चर्चा त बहुत भेल, मुदा राजनीतिक शिक्षा पर कोनो काज नहि भेल, एकर दुष्प्रभाव इ भेल जे आइ बहुत रास जनप्रतिनिधि सरकारी योजना स अभिज्ञ छथि आ हुनका एतबा तक जानकारी नहि अछि जे कोन काज कोन योजना आ कोन स्तर पर भ सकैत अछि। राजनीतिक शिक्षा क अभाव नगर निगम स ल कए संसद तक मे देखा रहल अछि। त्रिस्तरीय व्यवस्थाक पहिल स्तर पर इ अशिक्षा आओर हस्यास्पद भ चुकल अछि। उदाहरण लेल अगर दरभंगा नगर निगम बोर्ड क बैसार मे शनिदिन भेल बहस कए ली, त बहुत किछु साफ भ जाएत। पांच घंटा स बेसी अवधि तक चलल मैराथन बैसार मे मेयर गौरी पासवान अधिकतर समय सदस्य कए संसदीय भाषा क पाठ पढ़बैत रहलाह, जखनकि पूर्व मेयर अजय पासवान आ डिप्टी मेयर बाबी खां छोडि कोनो पाषर्द तकनीकी मुद्दा पर बहस करबा लेल मुंह नहि खोलि सकलाह। महिला पार्षद क राजनीतिक शिक्षा स्वभाविक रूप स एखन कमजोर अछि, तथापित एतबा त उम्मीद कैल जा सकैत अछि हुनका बैसार क एजेंडा क ज्ञान हेबाक चाही। बैसार क दौरान महापौर क बेर-बेर एजेंडा पर बहस करबाक अपील बता रहल छल, जे राज्यक सबस पुरान निगम मे स एक दरभंगा नगर निगम क पार्षद एजेंडा पर बहस लैत तैयार नहि छथि। एतबे नहि, सकारात्मक राजनीति बिहार मे एखनो सपना अछि। जखनकि दक्षिण आ पश्चिम भारत इ साबित क चुकल अछि जे नकारात्मक राजनीति क प्रचलन विकास मे बाधक होइत अछि। निगम क बैसार मे एकर सेहो प्रमाण देखबा लेल भेटल। पहिने किछु पार्षद मेयर स पूछलथि जे प्रत्येक वार्ड मे पार्षद क अनुशंसा पर खर्च लेल साढ़े छह लाख टका कोना आनब। इ सवाल गंभीर आ जरूरी छल, कोनो स्रोत क बिना घोषणा करब बिहारक नेता क पुरान आदत रहल अछि। एहन सवाल पर हंगामा नहि हेबाक चाहैत छल, मुदा भेल। स्थानीय विधायक संजय सरावगी सेहो एहि हंगामा कए रोकबाक प्रयास केलथि। खुशी क गप जे मेयर सवालक उत्तर देलथि जे चतुर्थ वित्त आयोग क राशि स वार्ड मे पार्षद क अनुशंसा पर योजना चलाउल जाएत। कोनो आन राज्य मे एकर बाद पार्षद योजना प्रस्तुत करबा मे जुटि जइतथि, मुदा नकारात्मक राजनीति क लत एहन जे दरभंगा क पार्षद राशि कए बढ़ाकए दस लाख करबा लेल हंगामा शुरू क देलथि। किछु काल पहिने साढ़े छह लाख टका हुनका लेल बहुत छल आ एतबा पैघ रकम कोना आउत एकर चिंता छल, मुदा स्रोत भेटला पर चट दस लाख करबाक मांग करब मात्र टंगघिुच्चा राजनीति कहल जा सकैत अछि। टंगघिुच्चा राजनीति क अंत एहि ठाम नहि भेल। एहन एकटा मामला नहि अछि। कईटा अछि। कचरा रखबाक लेल जमीन कीनबाक मामला उठल त चट द एकटा पार्षद युग-युग स रटायल आरोप लगबैत कहला जे भूमि कीनबा मे घोटाला होएत। विधायक हुनका जिम्मेदारी क ज्ञान दैत पूछलथि जे इ फैसला अहीं करू जे जमीनक व्यवस्था कोना कैल जाएत। माथ पर जिम्मेदारी अबैत पार्षद क होश ठेकान पर आबि गेल आ चुप भ मुंह नुका लेलथि। एकटा सदस्य पूछला जे वार्ड नं. 21 मे सोलर लाइट कोन योजना स लागल। सवाल स बुझना गेल जे इ अपन वार्ड लेल चिंतित छथि। मेयर उत्तर दैत कहला जे नवाचार योजना क तहत वार्ड नं. 21 मे लाइट लागल अछि। एतबा सुनैत पार्षद तमसा गेलाह। विधायक सरावगी एहि पर हस्तक्षेप करैत कहला जे डीएम कए एक करोड़ भेटल छल। वार्ड नं. 21 क पार्षद क विशेष पहल पर नवाचार योजना स राशि देल गेल। वार्ड सेहो 20 प्रतिशत मार्जिन मनी जमा करैत अछि। एहि पर पार्षद रमेश झा विधायक पर चढ़ि बैसलाह। कहला जे बिना नगर आयुक्त क मार्जिन मनी जमा कोना भेल। विधायक चुप्प भ गेलाह। मुदा असली सवाल ठार रहल जे योजना क संबंध मे पार्षद कए जानकारी कोना भेटत। दोसर जे इ संस्कृति कहिया पनपत जे कोनो पार्षद अपन वार्ड लेल अगर सरकार स अतिरिक्त आवंटन करा लैत छथि त आन पार्षद कए हुनका स सीखबाक चाही नहि कि हुनकर विरोध हेबाक चाही। मुदा टंगघिुच्चा राजनीति एहन करबा लेल ककरो प्ररित नहि करैत अछि। लोकतंत्र मे जनप्रतिनिधि शासक वर्ग होइत अछि, ओकर विजन समाज क विकास कए गति दैत अछि। विजनविहीन जनप्रतिनिधि स विकास क उम्मीद नहि कैल जा सकैत अछि। नगर निगम क उदाहरण एहि कारण महत्वपूर्ण अछि जे इ सबस छोट इकाई छी। जे समाज एकटा विजन वाला वार्ड पार्षद क चुनाव नहि क सकैत अछि ओ विधायक आ सांसद क चुनाव केतबा गंभीरता स करत। दोसर गप जे जनप्रतिनिधि एकटा वार्ड लेल विकास योजना नहि तैयार क सकैत छथि ओ शहर जिला या राज्य लेल आगू जा कए कोन योजना तैयार क सकताह, किया त बहुत राष्टÑीय नेता अपन राजनीतिक जीवन वार्ड पार्षद क रूप मे शुरू केने छथि। राजनीतिक गंभीरता आ दूरदर्शिता क शुरुआत छोट इकाई स करबाक इ सही समय अछि। त आउ पंचायत आ वार्ड स्तर पर राजनीतिक परिवर्तनक शुभारंभ करि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

कीर्ति करताह गुंडागर्दी

Esamaad Epaper Website

माछ क बाट तकैत अछि दरभंगाक 13 हजार पोखरि

Esamaad Epaper Website

नीतीश देलथि भागलपुर स हवाई सेवा कए मंजूरी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि