पटना । स्कूल आ व्यावसायिक शिक्षा स वंचित बालक, बालिका आ वयस्क कए विद्यालयी शिक्षा क माध्यम स शिक्षा आ व्यावसायिक शिक्षा क मुख्य धारा स जोड़बा लेल बिहार मुक्त विद्यालयी शिक्षण आ परीक्षा बोर्ड गठित करबाक निर्णय ल लेल गेल अछि। प्राथमिक आ मध्य विद्यालय मे नियोजित 57109 पंचायत-प्रखंड आ नगर निकाय शिक्षक कए चालू वर्ष मे वेतन क लेल 268 करोड़ रिलीज करबाक सेहो मंजूरी द देल गेल। एससी-एसटी छात्र छात्रा क छात्रवृति दर मे एक अप्रैल 2011 स संशोधन कैल गेल अछि। कक्षा एक स चारि क विद्यार्थी कए 15 क बदला मे 50 टका, कक्षा 5-6 कए 30 क बदला मे 100, कक्षा 7 स 10 क लेल 55 क बदला 150 टका देल जाएत। एहि प्रकार स मुसहर-भुइयां कए कक्षा 1 स 6 तक 30 क बदला मे 100 टका मासिक देल जाएत। दस माह क लेल देय तकनीकी छात्रवृति क राशि 150 स 500 आ 12 माह क लेल छात्रावास मे रहनिहार कए 80 स बढ़ाकए 250 टका मासिक छात्रवृति देल जाएत। छह माह क लेल भेटएवाला खेल छात्रवृति क राशि 200 स बढ़ाकए 700 टका मासिक करि देल गेल अछि। चालू वित्तीय वर्ष स गैर योजना मद स संचालित एससी-एसटी क आवासीय स्कूल मे चरणबद्ध तरीका स हर वर्ग मे 40 सीट करबाक स्वीकृति दैत चालू वर्ष मे वर्ग 1 मे 40 सीट करबाक मंजूरी देल गेल।