पटना : बिहार क 11टा शहर मे बिजली बनेबा लेल कचरा प्रोसेसिंग प्लांट लगेबाक निर्णय त बहुत पहिने लेल गेल छल, मुदा बिहार अरबन इन्फ्रास्ट्रक्चर डेवलपमेंट प्राइवेट लिमिटेड (बुडको) आब एकरा लेल इच्छुक एजेंसी स 30 अप्रैल तक एक्सप्रेशन आॅफ इंट्रेस्ट (इओआइ) क तहत आवेदन मंगलक अछि। मई मे एजेंसी चयन क प्रक्रिया पूरा क काज क आवंटन क देबाक उम्मीद अछि। जानकारी क अनुसार कचरा क उठाव आ एकटा निश्चित स्थान तक ओकरा पहुंचा देबाक जिम्मेवारी निगम प्रशासन लग होएत। ओहि निश्चित स्थान स प्लांट तक कचरा ल जेबाक जिम्मेवारी एजेंसी क होएत।
योजना क अनुसार पहिल चरण मे इ योजना राज्य 11टा निगम निगम क्षेत्र मे लागू होएत। बाद मे 42टा नगर परिषद आ 86टा नगर पंचायत मे सेहो पब्लिक-प्राइवेट-पार्टनरशिप (पीपीपी) मोड पर कचरा प्रोसेसिंग प्लांट लगाउल जाएत। योजनाक अनुसार कचरा स बनल बिजली क सप्लाइ सेहो ओहि शहर मे कैल जाएत, ताकि ओहि शहर बिजली समस्या कए दूर कैल जा सकए। एकर संगहि वैज्ञानिक तरीका स बर्बाद कचरा क उपचार कैल जाएत, ताकि कचरा प्रोसेसिंग प्लांट क आसपास रहनिहार कए कोनो प्रकारक परेशानी नहि हुअए।
राज्यक पहिल प्लांट पटना नगर निगम क्षेत्र मे लागत, किया त पटना शहर स निकलिरहल कचरा कए डंप करबा लेल बैरिया मे 72 एकड़ भूखंड क अधिग्रहण आठ वर्ष पहिने भ चुकल अछि। फिलहाल ओतहि कचरा डंप कैल जाइत अछि। मुदा कचरा क प्रोसेसिंग नहि कैल जा रहल अछि। एहि स आसपास रहनिहार लोकक जीवन मुश्किल भ गेल अछि। निगम प्रशासन कई साल पहिने एहि ठाम बिजली उत्पादन आ कंपोस्ट बनेबाक योजना बना लेने छल, जे एखन धरि मूर्तरूप ल लेलक अछि। आब विभागीय निर्देश क बाद बुडको प्लांट लगेबाक प्रक्रिया शुरू केलक अछि। एकर संगहि शेष नगर निगम मे भूमि अधिग्रहण कैल जा रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
E prakriya jaldi murt roop liye takar kamana rahat. Samachar nik achhi.