पटना । बिहार स्टेट (होल्डिंग) पावर कंपनी लिमिटेड मे अगिला तीन वर्ष मे 2800 कर्मचारी क नियुक्ति करत। सहायक आ कनीय अभियंता स ल कए मीटर रीडर सहित अन्य श्रेणी क कर्मचारी क नियुक्ति होएत। एहि वर्ष एक नवंबर स पांचटा कंपनी मे पुनर्गठित भेलाक बाद कंपनी बिजली आपूर्ति व्यवस्था मे सुधार क मद्देनजर इ निर्णय लेल गेल अछि। कंपनी क अधीन फिलहाल 8585 कर्मचारी आ अधिकारी छथि। वित्तीय वर्ष 2015-16 तक 11,385 कर्मचारी क नियुक्ति करबाक अछि। तीन वित्तीय वर्ष मे 2800 कर्मचारी क नियुक्ति क मकसद विद्युत आपूर्ति व्यवस्था मे आओर सुधार करब अछि। अधिकारी क मानल जाए त चरणबद्ध तरीका स कर्मचारी क नियुक्ति कैल जाएत। वर्तमान मे कर्मचारी क कमी क कारण कंपनी कईटा कार्य कए ठेका पर द रखने अछि। फ्यूज कॉल क समस्या हुए या फेर तार खसबाक, पटना सन शहर मे सेहो एहि तरहक गड़बडी कए ठीक करबा मे कई घंटा लागि जाइत अछि। निचला स्तर क पद पर कर्मचारी क कमी क कारण बिजली आपूर्ति मे भ रहल परेशानी कए देखैत कंपनी निर्णय लेलक अछि जे नियुक्ति कैल जाए। इ नियुक्ति स्थायी वेतनमान मे होएत। पिछला साल समीक्षा क बाद कंपनी (बिजली बोर्ड) मे नव नियुक्ति कैल गेल छल। 287 कनीय सारिणी पुरुष (मीटर रीडर), 77 तकनीशियन फीटर, 10 डाटा इंट्री ऑपरेटर, 16 लेखाधिकारी क नियुक्ति भेल छल। 133 गोटे कए अनुकंपा क आधार पर नौकरी भेटल, त 1792 गोटे कए प्रोन्नति देल गेल। जखनकि 178 सहायक अभियंता आ 160 कनीय अभियंता क नियुक्ति क प्रक्रिया चलि रहल अछि। सेवानिवृत्ति क बाद कंपनी मे काज क चुकल अनुभवी लोक मे 41 कए अनुबंध पर राखल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna