• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

कहल नहि जंगलराज, सुनल नहि बबुलक गाछ, गला मिली कए उठेलथि हाथ

August 11, 2014
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

समदिया
हाजीपुर । बिहार क राजनीतिक इतिहास मे आजुक दिन महत्‍वपूर्ण रहल। करीब 20 साल क अंतराल क बाद राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद आ जदयू नेता नीतीश कुमार एक मंच पर एलाह। आइ जंगलराज और बबूलक गाछ क शब्‍दावलीक आदन-प्रदान नहि भेल। बाकी मंडल स ल कए महादलित तक क चर्च भेल। काल्हि तक एक दोसर कए आलोचना केनिहार आइ एक दोसर कए अभिनंदन केलथि। हाजीपुर उपचुनाव लेल आयोजित रैली मे मंच पर पहिने नीतीश कुमार पहुंचलाह आ हुनकर एलाक करीब 20 मिनट क बाद लालू मंच पर पहुंचलाह। दूनू नेता हाथ मिलेलथि आ फेर गला मिला अपन अपन समर्थक कए समाद देबाक कोशिश केलथि। सभा में भीड़ अपेक्षाक अनुसार नहि देखायल, मुदा मीडियाक भीड अपेक्षाक अनुरूप छल। मंच पर शुरुआती काल में लालू बेसीकाल मंत्री वृषण पटेल से गप करैत रहलाह, जखन कि नीतीश श्‍याम रजक से गप करैत रहलाह। ओना लालू किछु किछु अंतराल पर नीतीश कए टोकैत देखेलाह।

राजनीतिक शिष्‍टाचार क तहत इ देखल जाइत रहल अछि जे चुनावी सभा क मुख्‍यवक्‍ता सबस अंत में सभा कए संबोधित करैत छथि। एहि पर बहुत राजनीतिक विश्‍लेषक कए ध्‍यान छल। जखन लालू स पूर्व नीतीश सभा कए संबोधित करबा लेल उठलाह त एकटा सवालक उत्‍तर भेट गेल। सभा कए संबोधित करैत नीतीश सबस पहिने पत्रकार कए संबोधित केलथि जे बहुत लोक कए इ संदेह छल जे हम लालू से हाथ मिलायब, मुदा आइ अहांसब देख रहल छी जे हम सब एक मंच पर छी।  किछु लोक लोक हमरा सब कए मजाक उडा रहल अछि मुदा ओ सत्‍ता क नशा मे डूबल छथि। भाजपा पर वार करैत ओ कहला जे जनता हुनका जनादेश देलक, मुदा ओ केहन सरकार चला रहल छथि इ हम सब देख रहल छी।  नीतीश कहला जे तरह तरह स अफवाह फैला कए वोट हासिल कैल गेल। पता नहि आम लोक लेल नीक दिन पता नहि कहिया आउत। हम कहैत छी जे हम सब एक संग किया एलहुं, सत्‍ता पैघ चीज नहि अछि, मुदा देश आ समाज लेल हम सब अपन मतभेद बिसरी एक भेलहुं अछि। दिल्‍ली क सत्‍ता पर बैसल जे लोक छथि ओ या हुनकर आदर्श कहियो देशक आजादी लेल नहि काज केलक। इ धरती त एकर साक्ष्‍य रहल अछि जे गणतंत्र आ स्‍वतंत्रता क की मतलब अछि। आजादी क लडाई में जिनकर कोनो हिस्‍सेदारी नहि अछि ओ सरकार चला सकैत छथि मुदा देश चलेबाक हुनकर मंशा संदेह में अछि।

अपन 30 मिनटक भाषण में नीतीश मुख्‍यरूप स भाजपा पर निशाना साधलाह। ओ कहला जे हम अगडा आ महादलित कए संग ल कए चलैत छी। हम मजबूत बिहारक निर्माण मे लागल छी जखन कि दोसर दिस समाज कए तोडबा लेल तैयारी चलि रहल अछि। जहिया कांग्रेस स खतरा छल हम सब कांग्रेस क खिलाफ आंदोलन केलहुं, आइ कांग्रेस स खतरा नहि अछि। खतरा जेकरा स अछि ओ आजादीक लडाई में कोनो योगदान नहि देने अछि। ओ देश में भगवाकरण करबा लेल तत्‍पर अछि। आजादीक मूल्‍य आ सिद्धांत कए तिलांजलि देल जा रहल अछि। पिछला चुनाव मे ओ गरीब गुरबा स धोखा स वोट ल लेलथि, मुदा आब सब कए स पता चलि गेल अछि। ओ महंगाई खत्‍म नहि करताह, रोजगार नहि देताह, भ्रष्‍टाचार खत्‍म नहि करताह। पत्रकार कए एक बेर फेर संबोधित करैत नीतीश कहला जे हम सब देखैत रही जे की की लिखल जा रहल अछि। मुदा हमरा सब कए भाजपा क राजनीतिक सोच कए विफल करबाक अछि। ताहि लेल हमर सबहक एकजुटता सामने आयल अछि। जतय नीतीश अपन भाषण मे उत्‍साह क संचार नहि क सकलाह आ पूरा भाषण गठबंधनक सफाई देबा मे चल गेल ओतहि लालू अपन भाषण अपन अंदाज में देलथि। ओ भाषणक शुरुआत सीधा मोदी पर निशाना लैत केलथि आ कहला जे मोदी राज मे सबटा अशुभ भ रहल अछि। मोदीक नेपाल यात्रा पर कटाक्ष करैत कहला जे मोदी जतय जाइत छथि ओहि ठाम आफत आबि जाइत अछि। लालू कहला जे देश गलत हाथ मे चल गेल अछि। कमंडल कए रोकबा लेल मंडल कए एकजुट हेबाक अछि। अल्‍पसंख्‍यक कए संबोधित करैत ओ कहला जे एकटा नेता सब कए पाकिस्‍तान पठा रहल छल, मुदा ओकर घर से करोडो टका बरामद भेल, रुपया पर गुजरात क बैंक क परची लागल छल। लालू कहला जे बिहार पुलिस अदभुत अछि हजार क चोरी क रपट पर करोड बरामद करैत अछि। बुलेट ट्रेन क सपना देखा इ सरकार ट्रेन क किराया बढा देलक। नीतीश क भांति लालू सेहो मीडिया क आलोचना केलथि आ कहला कि‍ चीन आ जापानक बुलेट ट्रेन देखा जनता कए भ्रमित करबाक काज केल‍क। गंगा सफाई कए भ्रष्‍टाचार आ नौटंकी कहैत लालू कहला जे जा धरि गंगाक धारा खोलल नहि जाएत गंगा क सफाई संभव नहि अछि। मोदी पर झूठक नारा देबाक आरेाप लगबैत लालू कहला जे भारत में संघार्इ कहियो नहि बनि सकैत अछि। इ सरकार सपना देखा गरीब कए ठगबाक काज क रहल अछि। लालू कहला जे सरकार मे जा धरि मोदी नहि छलाह ओ कांग्रेस क नीति क विरोध करैत छलाह, मुदा सरकार मे जखन स छथि ओ चुप भ कांग्रेसक नीति कए लागू क रहल छथि। चुप चुप बैसल छथि जरूर कोनो गप अछि…मुदा जनता कए सबकिछु खबरि अछि। लालू मोदी सरकार पर सीसैट क मसला पर गरीब जनता कए पीटबाक आरोप लगेलथि आ कहला जे गरीब बच्‍चा आब आएइएस नहि बनि सकत। हमर बच्‍चा सब कए दिल्‍ली मे इ सरकार पीट रहल अछि। देसी भाषा क गप करनिहार आइ सरकार मे बैसल छथि मुदा देसी भाषा लेल आवाज उठा रहल बच्‍चा पर लाठी चला रहल अछि। रामविलास कए मौसम वैज्ञानिक कहैत लालू कहला जे ओ पूसा वाला वैज्ञानिक नहि छथि बल्कि इसरो वाला छथि जेकर भविष्‍यवाणी फेल नहि होइत अछि। ओ हाजीपुरक जनता स कहला जे इ लडाई आम लडाई नहि अछि मौसम वैज्ञानिक क गप पर नहि जाउ। भाजपा अध्‍यक्ष अमित साह क एहि बयान पर कि नीतीश कुमार लालू क गोद मे जा बैसलाह अछि पर लालू कहला जे बड भाई हम छी त नीतीश हुनकर गोद मे ज कोना बैइसताह। अपन भाषणक अंत करैत लालू कहला जे ओ टूइट सकैत छथि मुदा कहियो सांप्रदायिक शक्ति स हाथ नहि मिला सकैत छथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना देखलक दरभंगा क रंगत

Esamaad Epaper Website

दू दशक बाद कांग्रेस केलक भागलपुर पर कब्‍जा

Esamaad Epaper Website

बिहार मे शुरू भेल हीरो साइकिल क उत्पादन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि