• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बहुत किछु होएत दरभंगा क तारामंडल मे

October 19, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020


दरभंगा। शहर मे करीब 50 करोड स प्रस्‍तावित बिहार क दोसर तारामंडलक डिजाइन सामने आबि गेल अछि। इ तारामंडल उत्‍तर भारत मे सबस आधुनिक होएत। संगहि एहि परिसर मे विज्ञान संग्रहालय आ आन तरहक गतिविधि लेल सेहो प्रयाप्‍त जगह होएत। इ तारामंडल 2015 तक बनेबाक लक्ष्‍य राखल गेल अछि। ज्ञात हुए जे दरभंगा मे तारामंडल खोलबाक घोषणा 2006 मे मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार केने छलाह। मिथिला मे इ पर्यटन कए बढाबा देत।
तारामंडलक डिजाइन क संबंध मे जानकारी भेटल अछि जे विज्ञान संग्रहालय क इ योजना मुख्यतः एकटा दूरबीन क आइडिया पर आधारित अछि, मुदा एकर बाहरी स्‍थापत्‍य नालंदाक अवशेष पर आधारित राखल गेल अछि। इमारत क पूर्वी छोर छोट आ पातर अछि आ जेना जेना इ पश्चिम दिस जाइत अछि इ फैलैत जाइत अछि। एकर मुख आकाश दिस आओर उठि जाइत अछि। इमारत कए एहि तरह स व्यवस्थित कैल गेल अछि जे एकर अंदर स प्रशस्त ब्रह्माण्ड क नज़ारा अन्दर वेधशाला मे बैसकए देखल जा सकैत अछि।
विज्ञान केंद्र आ मुख्य गैलरी प्रकाश कए एकटा माध्यम स दोसर माध्यम मे गमन कए देखबैत अछि जे ठीक कोनो दूरबीन जेकां अछि। विज्ञान भवन आ साईट मे आगन्तुक क आवागमन एन्जल्ड वाल द्वारा संचालित होएत। कार्यक्रम पाँच खंड मे विभाजित अछि 1. प्रांगण, परिदृश्य चौक टिकट, आ प्रशासन
2. कैफे लॉबी, आ उपहार क दुकान क रूप मे सार्वजनिक कार्य
3. विज्ञान संग्रहालय दीर्घा, आओर लेजर थिएटर
4. तारा घर
5. ऑडिटोरियम आओर वेधशाला

विज्ञान भवन क मुख्य गैलरी अतिरिक्त शोध कार्य लेल अछि। एहि गैलरी क स्थापना बिग-बैंग, ब्रह्मांडीय विकास, आ विज्ञान क क्षेत्र इंटरैक्टिव दृष्टिकोण क अनुमति देबा लेल अछि।
लेजर थियेटर एकटा छोट सन गुम्बददार भवन अछि जाहि मे पचास गोटे बैस सकताह। इ विज्ञान केंद्र आ मुख्य गैलरी लग अछि। इ एकटा 14 मीटर चौड़ा गोलाकार तारामंडल क छोटा स्वरूप अछि जे विज्ञान भवन क मुख्य आंगन केंद्र क पुल को प्रदर्शित करैत अछि। इ गोलाकार चिन्ह संग्रहालय क बीचो बीच ह्रदय स्थल मे बसल अछि जे मुख्य गैलरी स नजर आउत। आंगतुक तारामंडल क प्रथम तल स एहि मे प्रवेश करताह जे एहि गोलाकार गुम्बद क हिस्सा अछि। आओर एहि हाल क भीतर गद्देदार सीट पर बैस कए लेजर शो क मज़ा लेताह। रात्रि क समय तारामंडल कए देखबा लेल दर्शक साईट कए पश्चिमी हिस्‍सा स चलि कए सभागार तक पहुंचेबाक व्‍यवस्‍था अछि। एहि क्षेत्र क निचला तल मे एकटा लोबी अछि जे वेधशाला क प्रवेश द्वार पर खुलैत अछि। वेधशाला तक पहुचबा लेलइ छत काफी खुलल अछि जाहि स दर्शक कए वेधशाला तक पहुँचबा मे कोनो दिक्कत नहि होएत संगहि दर्शक आकाशीय नज़रा क दर्शन सेहो क सकताह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मधुबनी मे पत्रकार सबहक प्रति फूटल आक्रोश, ब्‍यूरोचीफ निलंबित

Esamaad Epaper Website

नवीनगर स अगिला साल भेटत बिजली

Esamaad Epaper Website

पीपीपी मोड पर नहि बनि सकल गंगा एक्सप्रेस वे

Comments 6

  1. Prakash Kumar Jha says:
    13 years ago

    6 saal me design saamne ayal achhi, ehi hisabe banba me kam sa kam 60 saal lagat.

    Reply
  2. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    नीक आ स्वागत योग्य गप्प ।

    पर, घोषना सँ ६ वर्ष लागल प्रदर्श (मॉडेल) बनबा मे ।

    तँ की ‍१२ वर्ष लागत निर्माण शुरु होयबा आ ३६ वर्ष लागत बनबा मे ?

    Reply
  3. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    बिहार सरकार सँ विनम्र निवेदन जे २०‍१४ ऐ॰क चुनाव सँ पुर्व निर्माण प्रक्रिया केँ सुनिश्चित चरण धरि लऽ जाथु, जाहि सँ हमर आ आन मिथिलाबासी सभक उपरोक्त टिप्पणी सभ फूसि प्रमाणित हो ।

    नहि तँ ई चुनावी आश्वासनहि बूझल जायत ।

    शुभमस्तु ।

    Reply
  4. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    बिहार सरकार सँ विनम्र निवेदन जे २०‍१४ ई॰क चुनाव सँ पुर्व निर्माण प्रक्रिया केँ सुनिश्चित चरण धरि लऽ जाथु, जाहि सँ हमर आ आन मिथिलाबासी सभक उपरोक्त टिप्पणी सभ फूसि प्रमाणित हो ।

    नहि तँ ई चुनावी आश्वासनहि बूझल जायत ।

    शुभमस्तु ।

    Reply
  5. jai parkash jha says:
    13 years ago

    hamra t bujha rahal ahi loksabha chunab najdik ahi tahi l k e bisay akhan charcha mai ahi jabtak mithlanchal ke kono neta cm nai banta mithlanchal ke bikas nai het?

    Reply
  6. अंकुर कुमार says:
    10 years ago

    ye kaha banega darbhanga me ?

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि