• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कीर्ति करताह गुंडागर्दी

July 15, 2013
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

आशीष झा
दरभंगा। पग-पग पोखरि माछ मखन, सरल बोल, मुस्की मुख पान…दरभंगा थिक। जी, हां मिथिला आ खास क दरभंगा क परिचय किछु एखने देल जाइत छल। मुदा आब दरभंगाक परिचय दरभंगाक जनप्रतिनिधि बदलि देलथि अछि। नीक आ मधुर भाषा, सभ्य सुसंगत संस्कार स ख्यात दरभंगा क सांसद कीर्ति आजाद दरभंगा मे गुंडागर्दी करताह। ओ पत्रकार सम्मेलन मे घोषणा केलथि अछि जे दरभंगा क जनता ओकरे पैघ नेता बुझैत अछि जे बेर-बेर जेल जाइत अछि। चुनाव जीतलाक बाद दरभंगा कए चारि साल तक अपन फार्म हाउस जेकां बुझनिहार कीर्ति आब शांतिप्रिय एहि शहर मे अनुशासनहीन कार्रवाई करबाक चेष्टा करताह। ओ जिला प्रशासन कए धमकी दैत कहला अछि जे अफसर संग बिना मारि-पीट केने काज नहि भ सकैत अछि। जाहि क्षेत्र स विनोदानंद झा, ललित नारायण मिश्र आ हरिनाथ झा सन ब्राह्मण सांसद भेल अछि ओहि ठाम इ कहब जे जेल जेनिहार कए पैघ नेता बुझल जाइत अछि। कीर्ति एक प्रकार स दरभंगाक जनता क अपमान केलथि अछि। दरभंगाक संस्कार स उलट कीर्ति क इ बयान साबित करैत अछि जे ओ एहि क्षेत्र स दू बेर जीतबाक बावजूद एहि ठामक संस्कार नहि ग्रहण क सकलाह अछि। चुनाव जीतलाक बाद सांसद मे कीर्ति क मुंह स कहियो दरभंगा क समस्या नहि उठाउल गेल, ओ दरभंगाक नाम तक नहि लेलथि। कीर्ति क चर्च दरभंगा क नाम स दू बेर जुड़ल। एक बेर दरभंगा स्टेशन पर गारि-मारि करैत आ दोसर बेर मुख्यमंत्री संग असभ्यता करबाक कारण। दरभंगा बिजली विभाग मे तोड़-फोड़ क मुख्य अभियुक्त बनल कीर्ति आजाद कए भले एहि पर गर्व हो जे ओ जेल जा चुकल छथि मुदा दरभंगाक समाज एखनो जेल जेनिहार कए सम्मान नहि दैत अछि आ जेल भ्रमण केनिहार कए इज्जत नहि दैत अछि। कीर्ति अपन नाकामी कए नुकेबा लेल दरभंगाक संस्कार कए बदलबाक प्रयास जुनि करथि। राजनीतिक बयान आ कार्यशैली अपन स्थान रखैत अछि, मुदा मिथिलाक सांस्कृतिक अपमान करोलबाग क एहि क्रिकेट खिलाड़ी कए चुनावी बैतरनी पार करा सकत एकर गारंटी नहि देल जा सकैत अछि। दरभंगाक इतिहास रहल अछि जे ओ 1952 क बाद देशक आधी मे कम बहल अछि। 1984 मे कांग्रेसक आंधी मे दरभंगा स दमकिपा उम्मीदवार विजय कुमार मिश्र जीतल छलाह। एहन मे कीर्ति कए आभाष अछि जे मोदी आंधी हुनका असगर नहि जीता सकैत अछि। कीर्ति ताहि लेल स्वीकार क रहल छथि जे हुनका स गलती भेल। चुनाव लग एला पर करोलबाग कए बिसरि एक बेर फेर अपना कए दरभंगाक प्रतिनिधि साबित करैत ओ अपन इलाका क विकास लेल सक्रिय भ सडक पर उतरबाक घोषणा केलथि अछि। दरअसल, कीर्ति बुझि रहल छथि जे एहि बेर हुनक संसद जेबाक बाट आसान नहि अछि, मुदा ओ जे बाट एहि बेर चुनलथि अछि ओ मिथिला कए बदनाम आ दरभंगा कए अशांत क सकैत अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

माछ क बाट तकैत अछि दरभंगाक 13 हजार पोखरि

Esamaad Epaper Website

नीतीश देलथि भागलपुर स हवाई सेवा कए मंजूरी

Esamaad Epaper Website

बेतिया मेडिकल कालेज मे 100टा सीट पर नामांकन क अनुमति

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि