• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कुलपतिक बाट तकैत बिहार क विश्‍वविद्यालय

August 19, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार मे उच्‍च शिक्षा पर काफी बहस भ रहल अछि। केंद्रीय विवि लेल मांग पर मांग उठि रहल अछि, मुदा बिहार मे स्‍थापित विश्‍वविद्यालय क हालत इ अछि जे राजभवन सबटा विश्‍वविद्यालय लेल एकटा कुलपति तक नहि नियुक्‍त क रहल अछि। बिहार क कईटा विश्‍वविद्यालय एकटा कुलपतिक बाट ताकि रहल अछि। राज्‍यपाल क एहि रवैया स विश्‍वविद्यालय प्रशासन पंगु होइत जा रहल अछि। ओना राजभवन आ सरकार क बीच मतभेद एकर कारण बताउल जा रहल अछि, मुदा दोसर दिस राजभवन क एहि सुस्‍ती स शिक्षा प्रशासनक क्षेत्र में कईटा रिकार्ड सेहो बनि रहल अछि। एकटा सथानीय दैनिक मे छपल समाचार क अनुसार देश मे बिहार शायद पहिल एहन प्रांत अछि जाहि ठामक तीनटा विश्वविद्यालय क कुलपति पद क जिम्मेदारी एकटा व्यक्ति क हाथ मे अछि। राज्‍यपाल सह कुलाधिपति क बिहार संग इ व्‍यवहार कोनो तानाशाही स कम नहि अछि जे ओ प्रो.अरुण कुमार कए एकटा नहि, दूटा नहि बल्कि तीनटा विश्वविद्यालय क एक संग कुलपति बना देने छथि। प्रो.कुमार अगस्त 2010 स बीएन मंडल विश्वविद्यालय (मधेपुरा) क स्थायी कुलपति छथि। राजभवन क कृपा कही या दंड मुदा हुनका मई 2011 स मगध विश्वविद्यालय (बोधगया) आओर जून 2012 स नालंदा खुला विश्वविद्यालय (पटना) क कुलपति पद क सेहो प्रभार सौंप देल गेल अछि। एहन मे जतए एकटा विश्‍वविद्यालयक प्रबंधन देखब कुलपति लेल मुश्किल होइत अछि ओतहि तीनटा क प्रबंधन एक संग देखब उच्‍च शिक्षा प्रबंधन क संग मजाक कहल जा सकैत अछि। किया त मधेपुरा स बोधगया क दूरी 299 किलोमीटर अछि जखनकि पटना स बोधगया क दूरी 130 किलोमीटर अछि। एहन मे श्री कुमार की देखताह आ की करताह इ त सब जनैत छी।
दैनिक क अनुसार कुलाधिपति कार्यालय एहि संबंध मे किछु कहबा स मना क रहल अछि। किछु एहने कहब शिक्षा विभाग क सेहो अछि। उच्च शिक्षा क जिम्मेवारी देख रहल नौकरशाह क कहब अछि जे कुलपति क नियुक्ति करब कुलाधिपति कार्यालय क जिम्मेवारी छी। एहि पर कोनो टिप्पणी नहि कैल जा सकैत अछि।
सवाल अछि जे राज्‍यपालक एहि प्रकारक तानाशाही रवैया स बिहार क उच्‍च शिक्षा तबाह भ रहल अछि। एक आदमी लग तीन तीन टा विश्‍वविद्यालयक जिम्‍मेदारी देला स ओ कोनो विश्वविद्यालय कए सही प्रकार स प्रशासनिक कार्य लेल समय नहि द पाबि रहल अछि। बिहार मे मजाक बनि चुकल कुलपति पद स सबस बेसी समस्या जरूरतमंद छात्र, शिक्षक आओर कर्मचारी कए भ रहल अछि जेकरा कुलपति सन लोक स भेंट त दूर दर्शन तक नहि भ पाबि रहल अछि।
दैनिक दावा केलक अछि जे जरूरतमंद विद्यार्थी क अति आवश्यक ‘डिग्री’ आ संचिका पर हस्ताक्षर लेल मगध विवि स विशेष दूत संचिका ल कए राजधानी पटना स्थित प्रो.कुमार क आवास पर जाइत अछि। इ ओ जरूरतमंद छथि जिनका नौकरी स ‘काल लेटर’ अबैत अछि आ फेर डिग्री लेल भागल-भागल विश्वविद्यालय मुख्यालय मे पहुंचैत छथि मुदा कुलपति नहि रहला स हस्‍ताक्षर नहि भ पबैत अछि। ओना प्रो.कुमार क कहब छैन जे ओ तीनू ठाम प्रयाप्‍त समय दैत छथि। सवाल उठैत अछि अगर ओ सब ठाम प्रयाप्‍त समय दैत छथि, एकर मतलब इ त नहि जे हुनका दू-चारिटा आओर विश्‍वविद्यालयक प्रभार द देल जाए। ओना हुनक कार्यकाल समीक्षा त बाद मे कैल जाएत, मुदा राजभवन जेना विश्‍वविद्यालय कए पंगु बनेबाक प्रयास मे अछि ओ काफी गंभीर मामला अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

प्रोन्नति मे आरक्षण क प्रावधान वाला बिहार देशक पहिल प्रदेश बनल

Esamaad Epaper Website

पूर्णिया स शुरू करबा कए रहब हवाई सेवा : सांसद

Esamaad Epaper Website

2015 तक तैयार भ जाएत समस्‍तीपुर मे गैस आधारित बिजली संयंत्र

Comments 1

  1. Aamrnath Jha Bakshi says:
    13 years ago

    Students should revolt as it impacts them and we all should support. Why such a governor, who is ante Bihar, still there. Can we all work to get rid of him?

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि