• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

केंद्र क उपेक्षा-1 : मनरेगा मे सबस कम मजदूरी बिहार मे

September 12, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । बिहार क मनरेगा मजदूर क एक दिन क मजदूरी जतए 122 टका अछि ओतहि हरियाणा मे दैनिक मजदूरी 191 टका देल जाइत अछि। केरल मे प्रतिदिन 164 टका त पंजाब मे 166 टका क भुगतान कैल जाइत अछि। केंद्र सरकार क इ योजना पूरा देश मे लागू अछि आ सबस कम मजदूरी बिहार-झारखंड क मजदूर कए देल जा रहल अछि। केंद्र सरकार एहि साल देश मे सबस न्यूनतम 122 टका मजदूरी बिहार लेल निर्धारित केलक अछि। भारत सरकार द्वारा निर्धारित श्रम बजट कए आधार मानल जाए, त सब दिन बिहार क मजदूर क 85 लाख टकाक भुगतान नहि भ पाबि रहल अछि। एहि साल एक करोड़ 78 लाख मजदूर क निबंधन कैल गेल अछि। एहि मे एखन 12 लाख 52 हजार 640 मजदूर रोजगार क मांग केलक अछि। केंद्र एकहि देशक दू ठामक मजदूर लेल अलग-अलग मजदूरी तय क बिहार क हकमारी क रहल अछि। ओना राज्य सरकार एहि मुद्दा पर केंद्र क समक्ष विरोध दर्ज करा देलक अछि, मुदा केंद्र क कहब अछि जे मनरेगा मजदूर लेल मजदूरी राज्‍यक आधार पर तय कैल जाइत अछि। जखन देश मे गरीबी नपबाक पैमाना एक अछि त मजदूरी देबा लेल अलग-अलग पैमाना किया, एहि सवालक उत्‍तर में केंद्रीय उद्योग आ वाणिज्‍यकर राज्‍यमंत्री ज्‍योतिरादित्‍य सिंधिया कहला जे मजदूरी क निर्धारण करब राज्‍य सरकारक अधिकार अछि। ओ कहला जे राज्‍यक तय मजदूरी क आधार पर केंद्र मजदूरी तय करैत अछि। देश मे एक समान मजदूरी संभव नहि अछि। दोसर दिस एहि संबंध मे बिहार क ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्र क कहब अछि जे पिछला साल सेहो बिहार सरकार न्यूनतम मजदूरी पर केंद्र क सामने आपत्ति दर्ज करा देने छल। एहि साल सेहो निर्धारित कैल गेल न्यूनतम मजदूरी पर केंद्र कए पत्र पठाउल गेल अछि। ओ कहला जे केंद्र स अनुरोध कैल जा रहल अछि जे मनरेगा क तहत देल जा रहल न्यूनतम मजदूरी मे वृद्धि कैल जाए। ज्ञात हुए जे मनरेगा पूर्णरूप स केंद्र प्रायोजित योजना अछि आ एहि मे राज्य सरकार क एक फीसदी क अंशदान नहि होइत अछि, मुदा किछु राज्‍य न्‍यूनतम मजदूरी कए अपन अंशदान द बढा लैत अछि। एहन मे बिहार सन गरीब राज्‍य लेल इ कमी क भरपायी करब संभव नहि रहल आ राज्य सरकार वित्तीय बोझ कए उठेबा स हाथ खींच लेलक अछि। बढैत वित्तीय बोझ आ महाधिवक्ता क सलाह क बाद राज्य सरकार मनरेगा मजदूरी क भरपायी करबा स इनकार क देलक अछि।
पिछला साल राज्य मे न्यूनतम मजदूरी 145 टका निर्धारित छल। केंद्र सरकार 122 टका दैत छल जखनकि न्यूनतम मजदूरी देबा लेल राज्य सरकार 22 टका अपन कोष स दैत छल। राज्य सरकार अगर मनरेगा मे अपन दिस स 22 टका क अतिरिक्त भरपायी नहि करैत अछि त एकटा मजदूर क मजदूरी मे प्रति दिन 29 टका कम भ जाएत। एक अप्रैल, 2012 स राज्य सरकार न्यूनतम मजदूरी 151 टका प्रतिदिन निर्धारित केलक अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

कोसी क कछैर मे जूट क मजार

Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा-2 : सिंगल लेन क एनएच सबस बेसी बिहार मे

Esamaad Epaper Website

अलीनगर मे साकार भ रहल अछि विकासक सपना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि