• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

केंद्र क उपेक्षा 4: बिहार कए अपन सूची स बाहर केलक पर्यटन मंत्रालय

September 18, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्‍ली। पर्यटन मंत्रालय लेल बिहार शायद एखनो पर्यटक योग्‍य जगह नहि अछि ताहि लेल मंत्रालय अपन सूची मे बिहार कए शामिल करबा स परहेज करि रहल अछि। इ आरोप कोनो 10-20 साल पहिने कैल गेल व्‍यवहार पर नहि लगाउल जा रहल अछि, बल्कि हाल मे कनाडा मे भेल एकटा आयोजन मे बिहार कए भारत क सूची स हटेबा पर लागि रहल अछि। पर्यटन मंत्रालय, भारत सरकार पिछला सप्‍ताह कनाडा आ अमेरिका मे एकटा रोड शो क आयोजन केने छल। दूनू देश मे भारतीय पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल आयोजित कैल गेल एहि रोड शो मे बिहार कए छोडि कए सबटा प्रमुख राज्य कए निमंत्रण देल गेल। ओना त पर्यटन मंत्रालय क बिहार संग पक्षपात करबाक लंबा इतिहास रहल अछि, मुदा इ ताजा उपेक्षा कोनो नजरि स तर्कसंगत नहि लागि रहल अछि। केंद्र क इ उपेक्षा तखन अछि जखन बिहारक चर्च पूरा दुनिया मे भ रहल अछि आ बिहार मे पर्यटकक संख्‍या मे पिछला पांच साल स सर्वाधित बढोतरी देलखल जा रहल अछि। एकर बावजूद केंद्रीय पर्यटन मंत्रालय क उपेक्षाक हद अछि जे टूरिस्म स्‍पॉटक टॉप-टेन स बिहार गायब करि देल गेल अछि। जखनकि बोधगया आ राजगीर अंतरराष्ट्रीय आ राष्ट्रीय स्तर पर 23 फीसदी स बेसी पर्यटक कए अपना दिस आकर्षित केलक अछि। वेबसाईट पर बिहार क हाल इ अछि जे एकर ट्रेवल डाइरेक्ट्री मे बिहार क एकटा होटल क नाम सर्च नहि होइत अछि, आइटीडीसी क होटल आन राज्‍यक अपेक्षा बिहार मे काफी कम अछि। उत्‍तर बिहार आ पूर्वी बिहार मे त पर्यटन मंत्रालयक एक टकाक निवेश नहि देखल जा सकैत अछि। उपेक्षाक हालत इ अछि जे बेवसाइट पर बिहार राज्य सर्च करब त केवल पाँचटा शहर बाँका, बोधगया, पटना, राजगीर, सिकंदरा आ वैशाली क नाम अबैत अछि। एहि पांचटा शहरक चुनाव कोन आधार पर भेल इ बुझब कोनो बिहारी लेल कठिन अछि। एहि सूची मे यूनेस्को क विश्व विरासत क सूची मे आयल नालंदा आ दुनियाक सबस पुरान विश्‍वविद्यालय मे स एक विक्रमशिला विश्‍वविद्यालय एहि सूची स बाहर क देल गेल अछि। जखन कि पावापुरी आ सीतामढी सन जगह कए सेहो एहि मे शामिल करबाक चाहैत छल। मुदा महल आ पोखरिक शहर दरभंगा हुए बा सिल्क सिटी भागलपुर एहि मे कोनो शहर शामिल नहि कैल गेल। ओना राज्‍य सरकार अपन प्रयास स बिहार पर्यटन मे एहि वर्ष 10 फीसदी क विकास दर दर्ज केलक अछि। 2011 क सर्वे क अनुसार 2011-12 मे कुल 1.27 करोड़ पर्यटक बिहार एलथि जाहि मे 5.27 लाख पर्यटक केवल बुद्ध सर्किट लेल आयल छलाह। पिछला पांच साल स बिहार मे गोवा स बेसी पर्यटक आबि रहल छथि। एहन मे एक दिस बिहार कए देखबा लेल बिहार मे विहार करबा लेल देश-विदेश क लोक बिहार कए प्रमुखता द रहल अछि मुदा पर्यटन मंत्रालय लेल बिहार विहार योग्‍य नहि अछि। भारत सरकार क पर्यटन मंत्रालय क उपेक्षापूर्ण व्यवहार स बिहार मे पर्यटनक विकास कए समुचित गति नहि भेट रहल अछि। बिहार मे करीब 20टा एहन स्‍थान अछि जे विश्‍व स्‍तर पर पर्यटक कए आकर्षित क सकैत अछि, एकर विकास करबाक बदला मे पर्यटन मंत्रालय बिहार क पर्यटन कए अंतरराष्ट्रीय मानचित्र स गायब करबा मे लागल अछि। पर्यटन मंत्रालय बिहार क पर्यटन विभाग कए अपन सूची स बाहर जरूर क सकैत अछि, मुदा बिहार केंद्र क भरोस स कोनो योजना तैयार नहि क रहल अछि ताहि लेल पर्यटनक विकास तेज गति स नहि मुदा धीरे-धीरे जरूर भ रहल अछि। एहन मे सवाल अछि भारत क इतिहास बिहार भ कए जाइत अछि, भारत क नक्‍शा मे बिहार क स्‍थान दिल क जगह पर अछि, दिल क बिना सम्पूर्ण शरीर क कोनो अस्तित्व नहि होइत अछि, बिहारक इतिहास कए नजरअंदाज कए भारतक कोनो इतिहास लिखल नहि जा सकैत अछि, एहन मे केंद्र सरकार क पर्यटन मंत्रालय कोन आधार पर अपन सूची स बिहार पर्यटन कए बाहर क देलक अछि इ बुझब कठिन अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

एस्सार पावर कए झटका, नहि भेटत पटना क फ्रेंचाइजी

Esamaad Epaper Website

फातमी केलथि बांध निर्माणक विरोध

Esamaad Epaper Website

बिका गेल मिथिलाक सबस पूरान धरोहर!

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

बेसी पढ़ल गेल

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

by संपादक
December 22, 2017
0

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

by संपादक
September 4, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि