पटना। कैमूर जिला क दुर्गावती प्रखंड क कर्मनाशा गाम मे सालाना 10 लाख टन उत्पादन क्षमता वाला सीमेंट फैक्टरी क उद्घाटन करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे फ्लाई एश क अपार संभावना क कारण राज्य मे सीमेंट उद्योग क जाल बिछउल जाएत। ओ कहला जे राज्य मे कईटा बिजली संयंत्र स्थापित भ रहल अछि जाहि स फ्लाई एश प्रचूर मात्रा मे उपलब्ध होएत। ओ कहला जे बिहार कए यदि केंद्र स मदद भेट जाए त इ बीमारू राज्य क वर्ग स त निकलि चुकल अछि जल्द स जल्द विकसित राज्यक कतार मे ढार भ जाएत।
करीब 100 करोड़ टकाक लागत स बनल इको सीमेंट इंडिया लिमिटेड क फैक्टरी क उद्घाटन करैत ओ कहला जे राज्य मे औद्योगिक निवेश कए प्रोत्साहित करबा लेल बहुत सार डेग उठाउल गेल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार क औद्योगिक प्रोत्साहन नीति देश मे सर्वश्रेष्ठ अछि। औद्योगिक निवेश प्रोत्साहन परिषद क गठन भ गेल अछि। बहुत जल्द मुंबई मे एकटा निवेश आयुक्त बैसताह। एहि स उद्योग लगेनिहार कए काफी सुविधा भेटत। ओ कहला जे भविष्य मे 800 करोड़ टका क निवेश स 600 औद्योगिक इकाइ लागब तय अछि। नीतीश कहला जे जाहि मास पांचटा सोम होएत ओहि दिन ओ उद्यमी क लेल पंचायत करताह जाहि मे उद्यमी क शिकायत सुनल जाएत।
ओ कहला जे बिहार कए अगर विशेष राज्य क दर्जा भेट जाइत अछि त उद्यमी कए कर मे भारी छूट भेटत। केन्द्र हमरा सब कए कोल लिंकेज नहि द रहल अछि ताहि लेल कईटा निजी विद्युत इकाइ स्थापित नहि भ पाबि रहल अछि। मुदा बिजली क कमी जल्द दूर होएत। उन्होंने केन्द्र को भेदभाव बंद करने की नसीहत दी।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper