• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

कोनो भाषा कए भूगोल मे नहि बंधबाक चाही : नचिकेता

November 4, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

सुनील कुमार झा
नई दिल्‍ली।
प्रख्‍यात शिक्षाविद उदय नारायण सिंह ‘नचिकेता’ कहला जे मैथिल कए हिंदी लेल राग द्वेष क भाव नहि रखबा चाही, कोनो भाषा कए भूगोल मे नहि बंधबाक चाही। इंडिया हैबिटेट सेंटर मे आयोजित बोली भाषा महोत्सव ‘समन्वय-2012’ मे प्रेम क अनुरूप भाषा : भाषा क अनुरूप प्रेम विषय पर आयोजित संवाद कए संबोधित क रहल छलाह। एहि कार्यक्रम क मुख्य वक्ता उदयनारायण सिंह कहला जे कोनो लेखक कोनो खास भाषा आ संस्कृति टा पर नहि लिख सकैत अछि। ओ कहला जे एकटा लेखक अनेक भाषा मे लिख सकैत अछि, दोसरक संस्कृति आ समाज कए प्रस्तुति क सकैत अछि, मुदा अपन संस्कार कए संग ल कए सेहो इ काज भ सकैत अछि।
कर्यक्रम कए संबोधित करैत विभा रानी कहलथि जे मिथिला क महिला ‘सीता’ क कारण चुप छथि, सीता हुनका सब लग एकटा एहन चरित्र-चित्रण प्रस्तुत केने छथि जे मिथिला क महिला अपन भूमिका सेहो ओहने रहै चाहैत छथि। मैथिली मे महिला लेखन पर ओ कहलथि जे मैथिली क महिला लेखन अलग अलग रंग क साथ मुखर रहल अछि। ओ सागर राति दीप जरय पर सेहो चर्चा केलथि आ एकर महत्ता कए बतेलथि।
ओतहि गजेन्द्र ठाकुर विद्यापति क विभिन्‍न रूपक चर्चा केलथि। गजेन्द्र ठाकुर नव-नव कलाकार क काव्य क पाठ सेहो केलथि संगहि मैथिली मे संबोधन करनिहार एक मात्र वक्‍ता रहलाह। बहुभाषीय सभागार मे बाकी वक्ता हिंदी वा अंग्रेजी भाषा क प्रयोग केलथि।
देवशंकर नवीन प्रेम पर जतए विद्यापति क ‘देसिल बयना सब जन मिट्ठा पर’ प्रकाश देलथि आ कहला जे मैथिली क साहित्य एहि कम समय सीमा मे परिभाषित नहि कैल जा सकैत अछि मुदा फेर सेहो आयोजक कए आभार व्यक्त केलथि जे 60टा भारतीय भाषा आ बोली क बीच मैथिली कए जगह देल गेल, कर्यक्रम क अंत मे देवशंकर नवीन समन्वय टीम क आभार सेहो व्यक्त केलथि।
सूत्रधार क भूमिका मे अरविन्द बहुत जंचलाह, ओ नहि केवल, दर्शक क बीच दू-भाषिया क काज केलथि बल्कि वक्ता क प्रस्तुति कए सरल रूप मे श्रोता तक अनबाक सेहो काज केलथि।
एहि स पूर्व इंडिया हैबिटेट सेंटर मे आयोजित बोली भाषा महोत्सव ‘समन्वय-2012’ मे मशहूर नृत्यांगना शोभना नारायण मैथिली क महान कवि विद्यापति क पद पर अपन मोहक प्रस्तुति दकए दर्शक क मन मोहि लेलथि। कवि विद्यापति क लोकप्रिय मैथिली पद मे स एक भैरवी स्तुति आ राधा कृष्ण क प्रेम क गीत पर शोभना बेमिसाल प्रस्तुति देलथि। एहि मोहक प्रस्तुति स जतए दर्शक कए क्षेत्रीय भाषा स साक्षात रू-ब-रू करौलथि ओतहि हुनकर नृत्य शैली लोक कए भावविभोर क देलक। हुनकर प्रस्तुति ‘सरस बसंत भय भाल पावल’.. आ ‘हटलो न त्रिपुरारी हे, बिपति बर भारी’.. सन पद कए लोक खूब सराहलक।
कुल मिलकर ‘समन्वय-2012 बहुत नीक रहल। एक दिस जतए समय क कमी खलल ओतहि श्रोता क अनुपस्थिति एकर अस्तित्व पर सवाल ढार क देलक। श्रोता क उपस्थिति नगण्य छल आ किछु जे सभागार मे देखा रहल छलथि ओ अन्य भाषा क कार्यक्रम क बाट ताकि रहल छलथि। मैथिली क ललक लेल ओहि ठाम आंगुर पर गिनल लोक छल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

अधिकार रैली स उपजत पिछड़ल राज्‍य क गोलबंदी

पुण्‍यतिथि पर जनकवि यात्री कए नमन

Esamaad Epaper Website

वित्त निगम क रूप मे विकसित होएत बुडको

Comments 2

  1. dr dhanakar thakur says:
    11 years ago

    श्रोता क उपस्थिति नगण्य छल आ किछु जे सभागार मे देखा रहल छलथि ओ अन्य भाषा क कार्यक्रम क बाट ताकि रहल छलथि। मैथिली क ललक लेल ओहि ठाम आंगुर पर गिनल लोक छल।- Jakhan anek maithil waktaa me kewl ek maithilee me bajalaah ohen thaam maithilk upsthiti kiyaik ho?

    Reply
  2. बिनोद says:
    11 years ago

    भाषाविद सभ के अप्पन एक राय कायम करबाक चाही|

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि