कोलकाता। मिथिला विकास परिषद् (कोलकाता) द्वारा आयोजित मिथिला महोत्सव 2012 क अगिला आयोजन अछि ‘गीतगाइन प्रतियोगिता’। एकर आयोजन रविदिन 12 अगस्त 2012 कए महाजाति सदनक संयुक्त भवन प्रेक्षागृह मे होएत। प्रतियोगिता मे प्रथम तीन प्रतियोगी कए पुरस्कार (रिवार्ड) देल जाएत। संगहि अन्य प्रतिभागी कए सेहो सांत्वना पुरस्कार देल जाएत। उक्त जनतब देइत परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे ई एक विशेष प्रकारक प्रतियोगिता अछि। लुप्त होइत गीत आ गीतगाइन कए बढ़ाबा देबाक हेतु ई डेग उठाओल गेल अछि। अपन संस्कार आ संस्कृति कए आगां बढायब हमर सभक कर्त्तव्य अछि। 9 दिवसीय कार्यक्रमक दोसरे दिन ‘गीतगाइन प्रतियोगिता’ पर ओ कहलनि जे उद्घाटन क पश्चात् पहिने हम माय-बहिन लेल कार्यक्रम करब तखन आगुक किछु होएत। ओ जोर देलनि जे एहन प्रतियोगिता समूचा भारतवर्ष ओ नेपाल जतए मिथिला-मैथिली-मैथिल पसरल छथि होयबाक चाही। अशोक झा कहलनि जे प्रतियोगिता मे भाग लेबाक हेतु फॉर्म उपलब्ध अछि। इच्छुक गीतगाइन फॉर्म मंगा अपन पंजीकरण करा सकैत छथि। संगहि भारी संख्या मे एहि विलक्षण प्रतियोगिता मे एबाक हेतु दर्शक लोकनि सं अपील कयलनि।
ज्ञातव्य अछि जे मिथिला विकास परिषद् क महिला मंच द्वारा साल मे किछु कार्यक्रम मैथिलानी सभ हेतु होइत अछि। परिषद् रंगमंच सं ल गायन क्षेत्र मे बहुत मैथिलानी कए आगां बढ़यबाक काज कैलक अछि। मिथिला महोत्सवक उद्घाटन समारोह मे सेहो तीन गोट मैथिल ललना नृत्य-गीत सं प्रशंसा बटोरने छलीह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
Maithili bhasha ke badhava debak lel ehi tarhak karyakram avasyak achhi. Aayojak ke ehi hetu dhanyabaad.