पटना। पिछला 40 साल स आंखि मे बसल सपना आब जमीन पर उतरबाक क्रम मे अछि। राजधानी मे गंगा क कछैर मे सड़क क बहुप्रतीक्षित योजना अगिला तीन साल मे साकार भ जाएत। मंत्रिपरिषद एहि स संबंधित परियोजना प्रतिवेदन कए मंजूरी द देलक। संगहि निर्माण लेल 183 हेक्टेयर जमीन पथ निर्माण विभाग कए हस्तांतरित करबाक प्रस्ताव कए सेहो स्वीकृति द देलक। एहि मे केंद्र, राज्य सरकार आ निजी भूमि शामिल अछि। 2234.46 करोड़ क लागत स एकर निर्माण हेबाक अछि। 2016 तक निर्माण पूरा करबाक लक्ष्य अछि।
दीघा स दीदारगंज तक गंगा एक्सप्रेस-वे क लंबाई 21.50 किलोमीटर होएत। एहि फोर-लेन क एकटा सिरा एनचए-58 स जुड़ेत त पूरब मे एनएच-30 स। गोलघर स सिटी कोर्ट तक करीब सात किलोमीटर एलिवेटेड सड़क होएत। सातटा स्थान पर अंडर पास क सेहो व्यवस्था रहत।
एकर अलावा कैबिनेट एएन सिन्हा संस्थान कए एक करोड़ रुपए अनुदान, समस्तीपुर जिला मे पटोरी अनुमंडलीय अस्पताल क नाम जन नायक कर्पूरी ठाकुर क नाम पर करबाक स्वीकृति द देलक। नव स्वीकृत रामधारी सिंह दिनकर इंजीनियरिंग कालेज बेगूसराय क भवन निर्माण लेल 85.49 करोड़ टकाक सेहो मंजूरी देलक अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper