• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

गंगा स बूढ़ी गंडक कए जोड़बा क डीपीआर तैयार

January 8, 2014
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना : उत्तर बिहार मे बाढ़ स भ रहल तबाही पर नियंत्रण आ पाइन क उपयोग सिंचाई लेल बूढ़ी गंडक-नोन-बाया-गंगा लिंक योजना क विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन (डीपीआर) स्वीकृति लेल केंद्रीय जल आयोग क सुपुर्द क देल गेल अछि। योजना कए तेरहम वित्‍त आयोग मे वित्‍तीय सहायता लेल शामिल क लेल गेल अछि। डीपीआर, नेशनल वाटर डेवलपमेंट एजेंसी तैयार केलक अछि। केंद्रीय जल आयोग क स्वीकृति क बाद प्रस्ताव योजना आयोग कए पढाउल जाएत। ओकर स्तर स जांचोपरांत स्वीकृति क बाद कार्य प्रारंभ भ जाएत । योजना लागू भेला पर पर 4214 करोड़ व्यय अनुमानित अछि। एकर तहत 71 किलोमीटर लंबाई मे चैनल निर्माण होएत। चैनल क माध्यम स बाढिक दौरान बूढ़ी गंडक नदी क 492 क्यूसेक पाइन नोन आ बाया नदी होइत गंगा नदी मे जाएत। नेपाल स आयल नदी मे मानसून क शुरुआत मे बाढ़ आबि जाइत अछि। एहि अवधि मे गंगा नदी क जलस्तर काफी नीचे रहैत अछि। एहन स्थिति मे बूढ़ी गंडक नदी क जलस्तर बेसी रहबा पर पाइन गंगा मे देल जा सकैत अछि। एहि स बूढ़ी गंडक क प्रवाह कम होएत आ बाढि स भ रहल तबाही कए नियंत्रित कैल जा सकत। योजना क मूर्त रूप देबा पर बेगूसराय, समस्तीपुर आ खगड़िया जिला क 1 लाख 26 हजार हेक्टेयर मे सिंचाई भ सकत। एहि स गरमा क खेती कए बढ़ावा भेटत। जल संसाधन मंत्री विजय कुमार चौधरी क कहब अछि जे राज्य क नदी सब कए एक दोसर स जोडबा क देशभरि मे इ पहिल योजना होएत। एहि सअतिरिक्त सिंचाई क्षमता सृजित कैल जा सकत संगहि बाढि नियंत्रित सेहो भ सकत। नदी जोड़ योजना क स्थिति: कोहरा -चंद्रावत लिंक : प्री फीजिवलिटी रिपोर्ट तैयारी क प्रक्रिया मे । प्रस्तावित लागत 168.89 करोड़। पश्चिम आ पूर्वी चंपारण जिला कए भेटत लाभ। बागमती-बूढ़ी गंडक वाया बेलवाधार : पीपीआर तैयार । लागत 125.96 करोड़। शिवहर,सीतामढ़ी आ मुजफ्फरपुर जिला कए भेटत लाभ। कोसी-गंगा लिंक : चैनल निर्माण 10 किलोमीटर , लागत 88.93 करोड़, पीपीआर क तैयारी। खगड़िया,भागलपुर जिला कए भेटत लाभ। कोसी बेसीन क पानी कोसी-मेची लिंक केनाल क माध्यम स महानंदा बेसीन मे ट्रांसफर । लागत 88.93 करोड़। पीपीआर क तैयारी। चैनल निर्माण 120.15 किलोमीटर। लाभान्वित जिला सुपौल, सहरसा, अररिया, किशनगंज आ पूर्णिया।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

भागलपुर मे मेगा फूड पार्क क शिलान्यास फरबरी मे

Esamaad Epaper Website

फेर स छपत प्रतिष्ठित जर्नल्‍स 'मिथिला भारती'

Esamaad Epaper Website

टाउन प्लानर बिना कोना सुधरत शहरक संरचना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि