• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

गया क लेल ‘महाराजा’

October 4, 2009
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

esamaad--
गया/ नई दिल्ली। पैलेस ऑन व्हील्स क तर्ज पर एकटा आओर शाही ट्रेन ‘महाराजा एक्सप्रेसÓ अगिला साल स दिल्ली आ कोलकाता क बीच चलत। एकर फायदा बिहार क विश्व प्रसिद्ध पर्यटन स्थल गया कए सेहो भेटत। दिल्ली स कोलकाता क रास्ता मे इ आगरा, ग्वालियर, खजुराहो, बांधवगढ़, वाराणसी आ गया क रास्ता स गुजरत। आईआरसीटीसी क प्रबंध निदेशक राकेश टंडन कहलथि अछि जे ‘महाराजा एक्सप्रेसÓ ट्रेन बिहारक गया मे रूकत। ओ कहलथि जे यदि कोनो यात्री एहि स्टेशन स बिहारक अन्य स्थान पर जेबा लेल विमान सेवा कए पसंद करताह त हुनका इ सुविधा सेहो मुहैया कराउल जाइत। एहि सम्बंध मे विमान सेवा प्रदाता कम्पनी स चर्चा भ रहल अछि। आईआरसीटीसी क एक वरिष्ठ अधिकारी कहला जे एकर ट्रायल दिसंबर मे होयत। ओना देश क इ पहिल सुपर लक्जरी ट्रेन ‘महाराजा एक्सप्रेसÓ कए अगिला साल मुंबई स झंडी देखाउल जाइत। इ ट्रेन अक्टूबर स मार्च मे चलाउल जाइत। अधिकारी कहलथि जे शेष समय मे एकर इस्तेमाल चार्टर्ड सेवा क तौर पर भ सकैत अछि। आईआरसीटीसी धार्मिक आ पर्यटन स्थल क सैर क टूर पैकेज क लेल समय सारिणी अलग स घोषित करत।
एहि लक्जरी ट्रेन मे 23टा वातानुकूलित कोच होयत, जे 88टा पर्यटक कए ल कए दिल्ली क सात दिन छह राति क पहिल यात्रा पर नौ जनवरी कए निकलत। ट्रेन क सबटा कोच मे अलग-अलग तापमान नियंत्रण प्रणाली होयत आ एहि मे पर्यावरण हितैषी शौचालय सेहो रहत। एहन सुविधा पहिल बेर कोनो ट्रेन मे देखबा मे भेटत। महाराजा एक्सप्रेस मे टीवी क अलावा इंटरनेट, फिल्म देखबा आदि क सेहो सुविधा रहत। कोलकाता आ मुंबई दूनू बाट पर एहि ट्रेन मे यात्रा करिनिहार कए वन मे बाघ क झलक देखबाक मौका भेटत । मुंबई क रास्ता मे रणथंभौर आ कोलकाता क बाट पर बांधवगढ़ राष्ट्रीय अभयारण्य पड़ैत अछि। ट्रेन मे यात्रा क लेल चारिटा स्तर अछि। एहि मे प्रेसीडेंशियल सूट (2500 डालर) क अलावा 1400 डालर, नौ सौ डालर और आठ सौ डालर क टैरिफ वाला सूट होयत। महाराजा एक्सप्रेस में न्यूनतम टैरिफ 800 डालर (लगभग 40 हजार टका ) आओर अधिकतम 2500 डॉलर (करीब 125000 टका) तक होयत। कुल मिला कए ट्रेन मे यात्रा क लेल एकटा पर्यटक कए प्रति दिन एक लाख टका स किछु बेसी खर्च हेतेन।

Tags: Biharbihar. patnagayapatna
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

एनआरजीबीए क पहिल बैठक मे राखल गेल बिहारक पक्ष

आठ अक्टूबर कए खुलत सबस पैघ राज

Esamaad Epaper Website

चारिटा आईएएस आ नौटा आईपीएस क तबादला

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि