• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

गर्व स कहू हम बिहारी छी

March 22, 2015
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

भारतेंदु दास

मुंबई । जहां धरि बिहार क गौरव क गप अछि त एहि मे 103 साल नहि बल्कि एहि धरती क प्राचीन गौरव क सेहो गप हेबाक चाही, मुदा जखन हम बिहार क 103म वर्षगांठ मना रहल छी त वर्तमान राज्य क निर्माणक बाद क उपलब्धि पर चर्चा करब चाहब। हम सब जनैत छी जे 1912 मे बिहार राज्य क निर्माण बंगाल स अलग भ क भेल। बिहार अपन निर्माण क पचास साल पहिने क समय मे दूटा भयंकर अकाल क सामना केलक आ देश क आजादी क किछु समय पहिने सेहो एहने भयंकर अकाल कए झेललक। सब बेर एहि अकाल मे लाख स बेसी लोक मरैत रहल । मुदा बिहार क इ उपलब्धि कहल जाये जे बिना केन्द्र स बेसी मदद भेटने बिहार क किसान आ एहि ठामक सरकार अपन सीमित संसाधन आ व्यवस्था मे आमूल चूल सुधार केलक, जाहि स फेर कहियो हमरा सब कए ओहन स्थिति नहि देखबा लेल भेटल । बिहार क राजनयिक आजादी क बाद सम्पूर्ण देश क राजनीति कए नव दिशा देलथि । कॉग्रेस क खानदानी राजनीति क अश्वमेध घोडा कए एकटा बिहारी नेता क नेतृत्व मे 1977 मे रोकल गेल । जेकर नतीजा आजुक दिन कॉग्रेस क ध्वस्त होइत स्थिति मे देखल जा सकैत छी । कला क्षेत्र मे बिहार क निर्माणक उपरांत एकर अलग पहचान भेटल । मिथिला चित्रकला एकटा विश्व स्तरीय लोक कला क ब्रांड मे स्थापित भेल, इ एहि ठाक क लोक कलाकार क अद्वितीय प्रतिभा क द्योतक अछि । एहिना देखल जाये त पिछला 10 साल मे केन्द्र क गहीर भेदभावपूर्ण रवैया क बावजूद बिहार देश मे सब राज्य स बेहतर विकास दर हासिल केलक अछि । इ गप बिहार मे उपलब्ध असीम सम्भावना कए देखा रहल अछि । बिहार मे लोकक आत्मबल आन राज्य क मुकाबले बहुत मजबूत अछि। बिहार क गरीब किसान खेती मे नुकसान भेला पर कहियो महाराष्ट्र जेकां आत्महत्या नहि केलक अछि आ नहि बंगाल जेकां राशन क दुकाने लूटैत अछि । इ हिम्मत नहि हारनिहार लोग अछि बल्कि वैकल्पिक उपाय तकबाक माद्दा रखैत अछि। देश क कोन कोन मे जाकए अपन मजबूत देह आ इरादा स अपन, परिवार आ राज्य क विकास करैत अछि। हमरा बिहार पर गर्व अछि । साहित्य क क्षेत्र मे सेहो बंगाल स अलग पहचान बनेबा मे बिहार सफल रहल अछि । बिहार क साहित्यकार हिन्दी साहित्य कए नव उर्जा आ दिशा प्रदान केलथि । नागार्जुन सन विद्रोही जमीनी कवि बिहार देलक, दिनकर सन देदिप्यमान वीर रस क कवि देलक, रेणु सन उपन्यासकार सेहो बिहार देलक । बिहार लग युवा साहित्यककार क सेहो बेस लंबा सूची अछि । सामाजिक सरोकर कए उद्यम स जोडबा क जे मॉडेल बिन्देश्वर पाठक देलथि, ओ पूरा विश्व मे अनुकरणीय अछि । एतबे नहि बिहार क विद्यार्थी आ युवा देश क सब प्रदेश आ सब जिला मे प्रशासनिक क्षमता क परिचय देलथि आ ब्रांड बिहार कए प्रज्वलित केलथि अछि । एहन मे इ कहबा मे संकोच नहि जे 103 साल पुरान बिहार मे गर्व करबा लेल बहुत रास बिंदू अछि आ बिहार अपना आप मे एकटा ब्रांड बनि चुकल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

‘’गोल्डेन फाइबर’’ भेल ‘’गोल्डेन हिस्ट्री ’’

Esamaad Epaper Website

केंद्र-राज्य मे झगडा आ रामविलास शर्मा क जिद

Esamaad Epaper Website

2019 तक शुरु भ जाएत बरौनी फर्टिलाइजर मे उत्पादन

Comments 1

  1. vikash sharma says:
    8 years ago

    Bari neek lakhla he

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि