• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

गुप्त काल सन बनबाक चाही भवन : मुख्यमंत्री

November 13, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि बिहार मे नव भवन बुलंद हेबाक चाही, ताकि भविष्‍य मे लोक एकरा देखबा लेल बिहार आबथि, भवन क पैघ भूमिका अछि, इ निर्माण क समय क स्थापत्य कला क ज्ञान दैत अछि। ओ कहला जे एहन काज हेबाक चाही जाहि स लोक एकरा कालखंड ज्ञात क सकए। ओ कहला जे गुप्त काल जेकां स्थापत्य कला क क्षेत्र मे काज हेबाक चाही। गुप्त काल कए स्वर्णिम काल कहल जाइत अछि। बिहार कए फेर स पुरान गौरव क स्थान पर पहुंचेबा क हमरा सब कए संकल्प लेबाक चाही। गौरवशाली अतीत क संगहि बिहार कए नव ऊंचाइ पर पहुंचेबाक अछि। श्री कुमार अधिवेशन भवन, पटना मे बिहार राज्य भवन निर्माण निगम लिमिटेड क स्थापना दिवस समारोह क अवसर पर एकटा महती सभा कए संबोधित क रहल छलाह। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे गुणवता क संग ससमय भवन निर्माण पूरा हुए। सबटा मकान भूकम्परोधी बनए आ मकान मे ऊर्जा क कम खपत हुए।  मुख्यमंत्री कहला जे कोनो संगठन क निर्माण क प्रारंभिक दौर मे कईटा कठिनाइ अबैत अछि। भवन निर्माण निगम एतबा कम समय मे चालीसटा भवन क निर्माण कार्य पूरा केलक आ एहि समारोह मे लोकार्पण करा लेलक। निगम द्वारा विगत एक वर्ष मे कईटा परियोजना कए पूरा कैल गेल अछि आ इ निगम मुनाफा मे चलि रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे ओ चंचल कुमार कए अपना कार्यालय स सचिव भवन निर्माण बनेलथि, किया त भवन निर्माण विभाग द्वारा विधानमण्डल आ मुख्य सचिवालय कए विस्तारित करबाक योजना छल। विधानमण्डल आ मुख्य सचिवालय दूनू एक-दोसर स जुड़ल जा रहल अछि। आब नव-नव भवन क निर्माण क काज शुरू भ रहल अछि। स्वास्थ्य विभाग क 63टा प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र कए सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र मे उत्क्रमण क योजना मे स दसटा योजना कए पूर्ण कैल गेल अछि। बिहार राज्य भवन निर्माण निगम 2200 करोड़ टका क विभिन्न विभाग क परियोजना यथा- कृषि महाविद्यालय, गोदाम निर्माण, प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र क सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र मे उत्क्रमण, स्टेडियम आ कला भवन क निर्माण, आधारभूत संरचना क कार्य, एडीआर भवनक निर्माण कार्य, पयर्वेक्षण गृह, रिमाण्ड होम आदि क निर्माण कार्य क रहल अछि। एकर अतिरिक्त अन्तर्राष्टीय मानक पर बिहार म्यूजियम क स्थापना कैल जा रहल अछि। म्यूजियम क भवन देखबा मे साधारण लागत मुदा ओ असाधारण होएत। अन्तर्राष्टीय कन्वेंशन भवन क स्थापना कैल जा रहल अछि। एकर नाम ज्ञान भवन अछि। एहि मे कईटा कक्ष होएत। पांच हजार क क्षमता क प्रेक्षागृह बनि रहल अछि। पांच सौ करोड़ टकाक  लागत स एहि भवन कए बनाउल जाएत। हम जरूरत कए ध्यान मे रखैत भवन क निर्माण करा रहल छी, एहन भवन क निर्माण करा रहल छी जे हमर सभ्यता कए परिलक्षित करत। आधुनिक तकनीक क प्रयोग करैत अन्तर्राष्टीय कन्वेंशन सेन्टर एकटा सिग्नेचर भवन बनत। ओ कहला जे  किशनगंज मे कृषि महाविद्यालय बनि रहल अछि, जेकर  दूनू भाग नदी बहत। इ भवन अतिसुंदर भवन होएत। बिल्डिंग क नक्शा आ डिजाईन भवन निर्माण निगम लिमिटेड लेल चुनौतीपूर्ण काज होएत। ओ कहला जे एहिना पुलिस क अलग मुख्यालय बनि रहल अछि। आपदा प्रबंधन क दृष्टिकोण स आ नव कंसेप्ट कए ध्यान मे रखैत  पुलिस भवन क निर्माण भ रहल अछि। इ भवन सिग्नेचर भवन होएत। एहि अवसर पर मंत्री भवन निर्माण  दामोदर रावत कहला जे बिहार राज्य भवन निर्माण निगम अल्प समय मे अनेक महत्वपूर्ण कार्य केलक अछि। विगत एक वर्ष मे भवन निर्माण निगम अपन कार्यक्षमता स लाभ क स्थिति मे आ पहुंचल अछि, इ प्रसन्नता क गप अछि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री भवन निर्माण निगम क एजीएम रामबाबू प्रसाद कए बेहतर कार्य लेल पुरस्कृत केलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

दरभंगा मे खुजत आईटी पार्क

13 साल बाद चालू भेल कांटी

मिथिला महोत्सव 2013 संपन्न्

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

गामे-गाम गृह उद्योग स्थापित करबाक अछि योजना : अमरनाथ

by संपादक
May 28, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि