• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

चमडा उद्योग लेल प्रसिद्ध सकरी क भेल उपेक्षा, सरकार द रहल पटना आ बक्‍सर मे जमीन

February 22, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

यूपी स बिहार दिस विदा भेल टेनरी उद्योग
पटना/ कानपुर ।
कानपुर क चमड़ा उद्योग आब बिहार क रुख क रहल अछि। अगर कानपुर स पैघ टेनरी घराना बिहार आबि जाइत अछि त उत्तर प्रदेश क उद्योग कए करीब 4000 करोड़ टकाक कारोबार कए झटका लागत । बिहार सरकार कानपुर क टेनरी मालिक कए बिहार मे टेनरी उद्योग खोलबा लेल तीनटा स्थान सुझेलक अछि । गौरतलब अछि जे तीनूटा स्‍थान दक्षिण बिहार मे अछि, जखन कि खंडहर भ चुकल सकरी क चमडा उद्योग अपन उद्धार क बाट ताकि रहल अछि। सकरी कए नजरअंदाज क सरकार चमडा उद्योग लेल पहिल स्थान पटना स 15 किलोमीटर क दूरी पर देखेलक अछि, जखनकि दोसर स्थान बक्सर जिला मे अछि आ तेसर स्थान उत्तर प्रदेश क वाराणसी स सटल अछि ।
एहि संबंध मे जानकारी दैत उत्तर प्रदेश लेदर एसोसिएशन क महामंत्री आ एकटा पैघ टेनरी क मालिक इफ्तखारुल अमीन कहला अछि जे चमड़ा उद्योग क एकटा प्रतिनिधिमंडल बिहार सरकार क आला अधिकारी स भेंट केलक अछि आ बिहार सरकार स मदद क अपील केलक अछि। बिहार सरकार सेहो टेनरी खोलबा लेल हुनका हर संभव मदद करबाक आश्वासन देलक अछि। कानपुर क टेनरी व्यापारी बिहार सरकार क आला अधिकारी संग 15 मार्च कए निर्णायक बैसार करताह जाहि मे संभवत: बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो शामिल हेताह । इफ्तखारुल अमीन कहला अछि जे कानपुर स बिहार गेल प्रतिनिधि मंडल मे कानपुर क प्रमुख चमड़ा घराना जेना सुपर हाउस (सालाना टर्नओवर करीब 450 करोड़ ) रहमान टेनरी (सालाना टर्नओवर करीब 300 करोड़) , सुपर टेनरी (सालाना टर्नओवर करीब 450 करोड़), जेएस एक्सपोर्ट (सालाना टर्नओवर करीब 500 करोड़ ) आ चारिटा अन्य छोट टेनरी क मालिक शमिल छलाह जिनकर कुल सालाना टर्नओवर करीब 400 करोड़ टका अछि।
यूपी लेदर एसोसिएशन क महासचिव अमीन कहला जे बिहार क अधिकारी क संग बैसार बहुत सौहार्दपूर्ण वातावरण मे भेल। बिहार सरकार कानपुर क टेनरी मालिक कए बिहार मे टेनरी उद्योग खोलबा लेल तीनटा स्थान सुझेलक अछि। एकर अतिरिक्त बिहार सरकार कहलक अछि जे ओ चमड़ा उद्योग स्थापित करबा लेल 400 एकड़ क क्लस्टर जमीन उपलब्ध कराउत आ एहि ठाम कॉमन एफ्लुएंट ट्रीटमेंट प्लान (सीईटीपी) संयुक्त उत्प्रवाह शुध्दीकरण संयत्र स्वयं स्थापित करत। एकर अलावा ओ उत्तर प्रदेश क टेनरी उद्योग कए उत्तर प्रदेश स कम दर पर 24 घंटा बिजली उपलब्ध कराउत, एकरा लेल टेनरी लेल अलग स 30 मेगावाट बिजली क व्यवस्था कैल जाएत।
अमीन कहला जे एकर अलावा उत्तर प्रदेश क टेनरी उद्योग लेल बिहार मे सिंगल विंडो क्लियरंस सिस्टम होएत। सुपर टेनरी क इफ्तखारुल अमीन आ जेएस एक्सपोर्ट क जावेद सलोजा बिहार सरकार क एहि प्रस्ताव स बहुत उत्साहित आ संतुष्ट छथि। अमीन क कहब अछि जे 15 मार्च स पहिने ओ सब एक बेर आओर पटना जेताह। 15 स पहिने तीनू प्रस्तावित साइट क निरीक्षण करबाक संग संग मुख्यमंत्री नीतिश कुमार संग बैसार लेल प्रसताव कए अंतिम रूप सेहो देबाक कोशिश कैल जाएत। प्रतिनिधि मंडल मे शामिल एकटा टेनरी मालिक क कहब अछि जे ओ सब पिछला कई साल स कानपुर मे चमड़ा क कारोबार क रहल छथि आ उत्तर प्रदेश कए करोड़ क करोड राजस्व देलथि अछि, मुदा बिहार जेका कहियो उत्‍तरप्रदेश क सरकार हुनका संग सहयोगात्‍मक व्‍यवहार नहि केलक ।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

स्त्रीवादी नज़रिया स बिहार क सौ साल

Esamaad Epaper Website

कटहलबाडी रेल उपरिपुल पर लागत स्‍ट्रीट लाइट : सरावगी

Esamaad Epaper Website

बिहार मे बनत भारत क पहिल नदी सुरंग

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि