• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मलंगिया महोत्‍सव देखबा लेल अउताह नेपालक राष्‍ट्रपति

December 17, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020


नई दिल्‍ली। मैथिली क लोकरंग संस्‍था मैलोरंग एकटा इतिहास रचबा लेल तैयार अछि। भारत में पहिल बेर कोनो मैथिल सांस्‍कृतिक संस्‍थाक कार्यक्रम मे कोनो आन देशक राष्‍ट्राध्‍यक्ष एबाक स्‍वीकृति देलक अछि। इ’समाद कए भेटल खास जानकारी क अनुसार मैलोरंग क प्रस्‍तावित महेंद्र मलंगिया नाट़य महोत्‍सव कए देखबा लेल नेपालक राष्‍ट्रपति महामहिम रामबरण यादव अउताह। नेपाल दूतावास एकर पुष्टि क देलक अछि। मैलोरंग स भेटल जानकारी क अनुसार महामहित राष्‍ट्रपति 28 तारीख कए महोत्‍सव मे देखबा लेल अउताह। ज्ञात हुए जे महामहित राष्‍ट्रपति 25 दिसंबर कए भारत आबि रहल छथि हुनकर दिल्‍ली सहित बनारस जेबाक सेहो कार्यक्रम अछि। मैलोरंग क अनुसार 28 तारीख कए महेंद्र मलंगिया नाट़य महोत्‍सव तहत हुनक लिखल ओकरा आँगनक बारहमासा नाटकक होएत। एहि नाटकक मंचन मिथिला नाट्यकला परिषद, जनकपुर, नेपाल करत तथा एहि नाटक क निर्देशन रमेश रंजन करताह। महेंद्र मलंगिया लिखित एहि नाटक कए देखबा लेल नेपालक राष्‍ट्रपति समेत नेपाल आ भारत क कईटा गणमान्‍य लोक प्रेक्षागृह मे उपस्थित रहताह। मैथिली नाटकक इतिहास मे इ एकटा पैघ उपलब्धि होएत।
नाटकक संबंध मे संस्‍थाक प्रमुख प्रकाश झा कहला जे ओकरा आँगनक बारहमासा मे मिथिला क दलित समुदाय क मजदूर क साल भरि यानी बारह महीना क दयनीय आर्थिक विप्पन्नता क स्थिति क चित्रण अछि। इ चित्रण ओहि समय क अछि जखन दिन भरि क मजदूरी मे मात्र तीन किलो (लगभग) धान आ कोनो दोसर अन्न भेटैत छल। मजदूरी क कार्य सेहो प्रति दिन नहि भेटैत छल। ओहि मजदूरी मे कपड़ा – लत्ता, दवाई – दारू, मर – मसाला कीनब कठिन नहि बल्कि असभंव छल। अत: बिछानक बदला मे पुआर पर सुतब, मालिक स फाटल – पुरान कपड़ा माँगब, दू – चारि सेर अन्न या दू – चारि टका लेल हाथ पसारब ओकर नियति भ गेल छल। जेकर उदाहरण नाटक क मुख्य पात्र मल्लर अछि। जेना मरुभूमि मे मृग पाइन तकबा मे अपस्यांत भ कए मरि जाइत अछि तहिना एहि समाज क लोक धन कमेबा लेल शहर जाइत अछि आ खाली हाथ लौट अबैत अछि। एहन विकराल परिस्थिति मे कम उम्र मे मल्लर सन लोक जे परिवार क मुखिया होइत अछि, मरि जाइत अछि। एहि दयनीय स्थिति मे सेहो गामक मालिक ओकर कनिया – बेटी क इज्जत हरण लेल ललायित रहैत छथि।
दुखित मल्लर जखन मरनासन्न अवस्था मे होइत अछि त ओकर मात्र एक टा इच्छा रहैत अछि जे ओ छौंकल दालि – भात खइते, मुदा ओकर इ अंतिम इच्छा सेहो पूरा नहि भ सकल। एतबे नहि मरलाक बाद जमीन, लकड़ी आ नकदी क अभाव मे मल्लर कए मुँह मे मुखबती मात्र लगा कए नदी मे भँसा देल जाइत अछि। यैह ओइ दलित समुदाय क लगभग प्रत्येक परिवार क बारह महीना छी।
ज्ञात हुए जे दिल्‍ली मे 24 स 30 दिसंबर, 2012 तक मलंगिया नाटय महोत्‍सव क आयोजन होएत। मैथिली रंगमंच मे एहि प्रकारक इ पहिल आयोजन थिक जे कि कोनो एकटा नाटककार महेंद्र मलंगिया क चर्चित कईटा नाटक देखबाक अवसर देत। एहि महोत्‍सवक आयोजन मैथिली लोक रंग (मैलोरंग) संस्‍था क रहल अछि। संस्‍थाक निदेशक प्रकाश झा क अनुसार नई दिल्‍ली क मंडी हाउस स्थित श्रीराम सेंटर मे प्रतिदिन सांझ 6.30 बजे स नाटक क आयोजन होएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

शेफालिका कए मैथिली लेल साहित्य अकादमी सम्मान

Esamaad Epaper Website

मिथिलाक बेटी शिल्पा मिस यूनिवर्स क दौड़ मे!

Esamaad Epaper Website

पीएचडी स पूर्व शोध पत्र क प्रकाशन अनिवार्य भेल

Comments 1

  1. prakash jha says:
    12 years ago

    Bahut bahut dhanyabad esamad ke je hamar sabahak prayas ke etek sthan daet chhath. Ashish ji, kumud ji aa bhai sunul ji ke mailorang pariwar aavari
    Chhani.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि