• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

चीनी आ कागज उद्योग मे निवेश करत वेदांता

September 15, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

बिहार मे आब निवेश लेल सही माहौल : अग्रवाल
एफएमसीजी मे भारी ग्रोथ देखेलक बिहार : विनीता बाली

पटना। वेदांता ग्रुप बिहार मे पैघ पैमाना पर चीनी आ कागज उद्योग मे निवेश करबा लेल तैयार अछि। इ गप आइ वेदांता ग्रुपक प्रमुख अनिल अग्रवाल बिहार राज्य औद्योगिक विकास सलाहकार परिषद क पहिल बैसार मे कहला अछि।
राजधानी मे आइ भेल बिहार राज्य औद्योगिक विकास सलाहकार परिषद क पहिल बैसार मे उद्योग जगत क कईटा दिग्गज शामिल भेलथि। इ दिग्गज सब राज्य सरकार कए विकास क गुर सिखेलथि। एहि बैसार मे बुनियादी ढांचा, पर्यटन आ ऊर्जा क विकास पर खास चर्चा भेल। औद्योगिक निवेश सलाहकार परिषद बिहार क विकास मे सहयोगी क भूमिका निभेबाक अपन प्रतिबद्धता जाहिर केलक अछि।
बैसार मे वेदांता ग्रुपक प्रमुख अनिल अग्रवाल कहला जे बिहार मे आब इंडस्ट्री लेल सही माहौल अछि आ अगर बिजली क हालत ठीक भ जाए त राज्य मे इंडस्ट्री लगेबा लेल हुनका संग कईटा उद्योपति तैयार बैसल छथि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल बीएसआईआईएसी क पहिल बैसार मे इंफोसिस क अध्यक्ष आ आईसीआईसीआई क गैर कार्यकारी अध्यक्ष केवी कामत कहला जे एहि बैसार मे उद्योग आ आधारभूत संरचना पर बिहार क रोड मैप पर चर्चा भेल। ओ बिहार मे भेल विकास पर खुशी जता कहला जे कानून-व्यवस्था मे बदलाव आयल अछि, आर्थिक विकास दर मे वृद्धि भेल अछि जे 12-13 प्रतिशत अछि आ एहि मे उद्योग क विकास सेहो 15 प्रतिशत अछि। कामत कहला जे उद्योग क मामला मे कृषि आधारित उद्योग क बारे मे गप भेल आ एकरा लेल एकटा कमेटी बनाउल जाए।
ओ कहला जे बिहार मे पिछला छह साल क दौरान सड़क निर्माण आ विद्युत उत्पादन क क्षेत्र मे सरकार जे काज केलक अछि बैसार मे ओहि पर गंभीर चर्चा भेल।
कामत कहला जे बैसार क मुख्य आकर्षण विद्युत उत्पादन छल आ मुख्यमंत्री एहि दिस भ रहल काज कए विस्‍तार स जानकारी देलथि अछि। ओ कहला जे विद्युत उत्पादन पर आगू सेहो चर्च होइत रहत आ एहि संबंध मे समय समय पर समीक्षा सेहो कैल जाएत।
एहि अवसर पर एचडीएफसी क दीपक पारीख बैसार कए उपयोगी कहला। ओ कहला जे बिहार वर्तमान मे देश क सबस तेजी स विकास क रहल राज्य अछि मुदा प्रति व्यक्ति विद्युत क उपलब्धता बहुत कम अछि ताहि लेल उद्योग नहि लागि पाबि रहल अछि। ओ कहला जे ओ विद्युत उत्पादन क क्षेत्र मे निवेश लेल तैयार छथि आ बैसार क दौरान आधारभूत संरचना क अन्य क्षेत्र पर सेहो सार्थक चर्च भेल। पारीख कहला जे बैसार क दौरान गृह निर्माण क्षेत्र पर सेहो चर्चा भेल आ मकान क संख्या मे कोनो वृद्धि होएत, एहि पर सेहो विचार-विमर्श कैल गेल। पारीख कहला जे मध्यम वर्ग कए सस्‍ता दर पर मकान लेल भूखंड क उपलब्धता पर सेहो चर्चा भेल।
बैसार क बाद भारतीय स्टेट बैंक क अध्यक्ष प्रतीप चौधरी कहला जे हुनकर बैंक, बिहार क विकास लेल समर्पित अछि। चौधरी कहला जे इ सही अछि जे आब बिहार क विकास मे सबस पैघ बाधा बिजली अछि आ अगिला दू साल मे मुख्यमंत्री आश्वस्त केलथि अछि जे प्रदेश ‘सरप्लस’ स्थिति मे भ जाएत। प्रतीप चौधरी कहला जे हमरा सब कए एखने स उद्योग क स्थापना क एहन योजना तैयार करबाक चाही ताकि 2014-15 मे बिहार मे आवश्यकता अनुरूप उपलब्ध विद्युत क खपत भ सकए।
चौधरी कहला जे हम अपन बैंक दिस स विद्युत उत्पादन,गृह निर्माण सहित अन्य क्षेत्र मे हर संभव सहायता देबा लेल मुख्यमंत्री कए आश्वासन द चुकल छी।
ओतहि मैक्स न्ययार्क लाईफ क महाप्रबंधक अनलजीत सिंह कहला जे राज्य सरकार स अनुमति भेटला पर शीध्र वेदांता क पटना मे सेहो 300 शैय्या वाला एकटा आधुनिक अस्पताल क स्थापना कैल जाएत। एकर निर्माण मे साढ़े तीन सौ करोड़ निवेशक योजना अछि।
हिंदुस्तान यूनीलिवर क मुख्य कार्यपालक पदाधिकारी आ प्रबंध निदेशक नितिन प्रांजपे कहला जे हुनकर कंपनी छोट शहर आ ग्रामीण इलाका क युवा सब कए खुदरा क्षेत्र, होटल व्यवसाय आदि क्षेत्र मे रोजगार क अवसर लेल सरकार सहित अन्य समान विचार रखनिहार संस्था क संग मिलकए वोकेशनल ट्रेनिंग देत।
बिहार मे बैंक क साख जमा अनुपात कए कम रहबाक पर एक्सिस बैंक क महाप्रबंधक आ सीईओ शिखा शर्मा कहलथि जे हुनकर बैंक क साख जमा अनुपात बिहार मे करीब 98 प्रतिशत अछि आ हुनकर बैंक एहि ठाम दस हजार करोड़ निवेश केलक अछि।
ब्रिटानिया क मैनेजिंग डायरेक्टर विनीता बाली क कहब छल जे एफएमसीजी मे बिहार मे भारी ग्रोथ आबि रहल अछि आ हुनकर कंपनी कए राज्य मे 25 फीसदी तक ग्रोथ भेट रहल अछि। एहि लेल ब्रिटानिया राज्य मे निवेश आओर निवेश करत। ब्रिटानिया एखनधरि बिहार मे मात्र 65 करोड़ टका क निवेश केने अछि।
एहि स पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे बिहार ज्ञानक केंद्र रहल अछि आ एकरा फेर स ज्ञान क केंद्र बनेबा लेल प्रयास कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे हुनकर सरकार शिक्षा क विकास लेल सतत प्रयासरत अछि। मुख्‍यमंत्री कहा जे अगिला 5 साल मे राज्य क सबटा 8,500 गाम मे हाईस्कूल खोलि देल जाएत।
नीतीश कुमार कहला जे पिछला 6-7 साल मे बिहार क तस्वीर तेजी स बदलल अछि। राज्य सरकार अगिला पांच साल मे कृषि क कायाकल्प करबा लेल पैघ योजना बनेलक अछि। राज्य क हर शहर कए शानदार सड़क स जोडि देल गेल अछि। कृषि सेक्टर लेल महत्वाकांक्षी 5 साल क योजना पर जल्द अमल शुरू क देल जाएत। अंत मे मुख्यमंत्री परिषद क सदस्य क रूप मे योगदान लेल सबटा सदस्‍य क प्रति आभार प्रकट केलथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

इ राजनीति बिहार क हित मे अछि

Esamaad Epaper Website

लोकल माइग्रेंट्स स दबल जा रहल अछि मुंबई

Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा 4: बिहार कए अपन सूची स बाहर केलक पर्यटन मंत्रालय

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि