पटना : सूचना प्रावैधिकी आ अल्सपंख्यक कल्याण मंत्री शाहिद अली खान कहला अछि जे छह मास मे स्टेट डाटा सेंटर बनि कए तैयार भ जाएत। एहि पर 20 करोड़ टका खर्च भ रहल अछि। खान स्टेट डाटा सेंटर क शिलान्यास क बाद पत्रकार कए संबोधित क रहल छलाह। खान कहला जे एहि डाटा सेंटर स राज्य क सबटा विभाग जुडत। इ सेंटर डाटा आ सूचना कए स्टोर क रूप मे विकसित होएत। कोनो विभाग कए अलग स डाटा सेंटर क स्थापना क जरुरत नहि रहत। सूचना आ प्रावैधिकी क क्षेत्र मे डाटा सेंटर मील क पाथर साबित होएत। बिहार क विकास मे आइटी क अहम भूमिका अछि। एहि अवसर पर बेल्ट्रान क प्रबंध निदेशक अतुल सिन्हा, प्रधान मुख्य वन संरक्षक बी.ए. खान आ प्रदूषण पर्षद क अध्यक्ष डा. सुभाष चन्द्र सिंह विधायक पूनम देवी आदि उपस्थित छलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna