पटना। राज्य सरकार जयप्रकाश विश्वविद्यालय (छपरा) आ डा.बीआर अम्बेदकर बिहार विश्वविद्यालय (मुजफ्फरपुर) मे छात्र संघ क चुनाव करेबाक आदेश द देलक अछि। उच्च शिक्षा निदेशक डा.सीताराम सिंह विभागीय बैसार मे दूनू विश्वविद्यालय क कुलसचिव स कहला अछि जे आब एहि मामला मे देरी नहि कैल जाए।
सर्वोच्च न्यायालय द्वारा गठित लिंगदोह कमेटी क अनुशंसा क आलोक मे छात्र संघ क चुनाव करा लेल जाए। शिक्षा विभाग पहिने एहि संबंध मे दूटा पत्र सबटा विश्वविद्यालय कए पठा चुकल अछि। उच्च शिक्षा निदेशक क अनुसार सबटा विश्वविद्यालय कए एहि आदेश कए गंभीरता स लेबाक चाही। बिहार क विश्वविद्यालय मे पिछला तीस वर्ष स छात्र संघ क चुनाव नहि कराउल गेल अछि।
हाल मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो एहि पर आपत्ति दर्ज करौने छलाह। शिक्षा विभाग क आदेश क बाद एहि मामला मे विश्वविद्यालय मे प्रशासनिक सरगर्मी बढ़बाक उम्मीद अछि। विभिन्न छात्र संगठन लगातार एकर मांग क रहल अछि। छात्र संघ क चुनाव नहि भेला स छात्र क सीनेट मे प्रतिनिधित्व नहि भ रहल अछि आ छात्र कल्याण स जुड़ल मसला पर हुनकर राय नहि लेल जा रहल अछि। बहरहाल, जेपी विश्वविद्यालय आ बीआर अम्बेडकर बिहार विश्वविद्यालय सरकार कए कहलक अछि जे ओ शीघ्र एहि संबंध मे तारीख क घोषणा करत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper