• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

छुतहा घैल मे देखा गेल दामिनी क दर्द

December 28, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्‍ली। रंगमंच पर सबदिन समाज क परछाई दिखाइत रहल अछि। मैथिली नाटक क समृद्धता क एकटा आर प्रमाण दिल्‍ली क श्रीराम सेंटर मे देखबा लेल भेटल। महेंद्र मलंगिया नाटय महोत्‍सवक दोसर दिन नाटक छुतहा घैल मे निर्देशक संजय चौधरी दिल्‍ली क दामिनी कए दर्द समेट नाटक कए वर्तमान स जोडबा मे पूर्णत: सफल रहलाह। नीक नाटकक सबस पैघ गुण होइत अछि ओकर समकालीन होएब आ छुतहा घैल एहि मे सफल रहल। छुतहा घैल स्त्री विमर्श क चित्रण अछि आ एहि मे अझुका समय क अनुसार दामिनी क दर्द देखा कए निर्देशक नाटक कए आओर आत्मिक बना देलथि। प्रख्‍यात रंगकर्मी किशोर केशव क अनुसार समय क अनुसार दृश्‍य आ संवाद मे परिवर्तन क संजय चौधरी कमाल क देलथि।
स्त्री क सामाजिक आ दयनीय स्थिति पर लिखल एहि नाटक क आजुक परिवेश मे ढालि निर्देशक संजय चौधरी एकरा आर बेहतरीन आ मनोरंजक बना देलथि। आधुनिक सामान जेना मोबाइल, लैपटॉप आदिक प्रयोग संगे एकर किछु संवाद जेना ग्रामपति बनल अनिल दास जखन कहलि‍थ “पोलिथिन त हमर राज्य मे प्रतिबंधित अछि एकरा समकालीन बनेबा मे सहायक रहल। हास्‍य-विनोद क बीच चलि रहल नाटकक बीच नटी बनल कल्पना मिश्रा क संवाद “स्त्री कवि क लेल फुल, भोगी क लेल मांस क लोथड़ा, योगी क लेल पापक खान, आ पति क लेल वंश वृद्धि क मशीन बनि क रहि जाएत अछि आ ओहियो हिनका बस मे ल जा कए बलात्कार कैल जाइत अछि।’ त पूरा प्रेक्षागृह मे सन्‍नाटा छा गेल। दामिनी क संग भेल अन्याय कए मंच स उल्‍लेख पूरा प्रेक्षागृह कए गंभीर क देलक। संजय चौधरी इ सिद्ध करबा मे सफल रहलाह जे समय क संग नाटक मे बदलाव क ओकर प्रासंगिता बढा दैत अछि।
ओना मिथिला क लोक चरित्र गोनू झा पर आधारित नाटक छुतहा घैल मे मुख्‍य रूप से ई देखाओल गेल अछि जे समाज मे स्त्रीक अहम भूमिका रहितो ओ मात्र भोगक वस्तु बनल अछि। नाटकक मुख्य पात्र मिथिलाक लोककथा मे अतुल्य नायक गोनू झा अपन बुद्धिमताक प्रमाण दैत स्‍त्री कए सोझ बाट स भुतला कए ओहि बाट पर ल गेलथि जतए स्त्रीक अपन वास्तविक अधिकारक आभास होइत अछि आ ओ ई मूल मंत्र सेहो ग्रहण करैत अछि जे नारी अपन मर्यादाक निर्वाह करैत अड़ब, लड़ब आ मरब सन बाट पर ज्‍यों चलत त ओकरो अपन जीवन अपन मर्जी स लेबाक अधिकार भेट सकैत अछि।
मिथिलांगन कए एहि प्रस्‍तुति कए दिल्ली क दर्शक बेर बेर देखला अछि आर एकर प्रशांसा केलथि अछि, मुदा एहि बेरक मंचन आन बेरक मंचन स हज़ार गुना बेहतर छल। प्रकाश क एहेन समायोजन, एतेक बेहतरीन प्रयोग शायद मैथिली क कोनो आन नाटक मे पहिने नहि देखायल छल। नट-नटी बनल केशव झा आर कल्पना मिश्रा नहि केवल जबरदस्त अभिनय केलथि, बल्कि बीच मे नाटक क उद्देश्य आ सार दर्शक क बुझबैत रहलथि। ओतहि भगत बनल शुभनारायण झा क चुटीला संवाद दर्शक कए उछलबा पर मजबूर कए देलथि। हिनकर मिथिलइया हिंदी क एक एक पांति पर दर्शक पेट पकडि क हँसबा पर मजबूर छल। शुभ नारायण मांजल कलाकार छथि आ दिन प्रतिदिन हिनकर अभिनय क परिपक्त्वा देखबा मे आबि रहल अछि। अंजली आर मुकेश दत्त क्रमशः कबूतरी देवी आ बेपारीलाल क किरदार मे अपन अभिनय क संग न्याय केलथि। शुरू स अंत धरि हिनकर दुलकि-दुलकि कए चलब लोकक मन मे कहारक छाप छोड़बा मे सफल रहल। ओतहि मास्टर अनुज कर्ण अपन बाल मुख आ अनुशासन स दर्शक कए मुग्ध केने रहलाह। राजेश कर्ण आ आन कलाकार सेहो गोनू झा आ विभिन्न रूप मे नीक अभिनय केलथि। अभिनेता क पूर्वाभ्यास क मेहनत एहि नाटक मे साफ़ देखार भेल। नाटक इ साबित करबा मे सफल भेल जे नारी अपन मर्यादाक निर्वाह करैत रहल अछि, मुदा अड़ब, लड़ब आ मरब क मूल मंत्र पर चलब ओकरा लेल एखनो मुश्किल अछि। ओकरा स्वतंत्र श्वास लेब एखनो समाज मे सपना अछि। कुल मिला कए एकटा बेहतरीन नाटक जेकर प्रकाश, संगीत आ अभिनय सबटा विलक्षण छल।
मंच संचालन क जिम्मा मैलोरंग रेपर्टरी क चीफ मुकेश झा केलथि। कर्यक्रम क अंत मे मुख्य अतिथि मुस्ताक काग मिथिलांगन क निर्देशक संजय झा कए मैलोरंग क स्मृति चिन्ह आ सब कलाकार कए प्रशस्ति प्रमाण पत्र देलथि। एहि अवसर पर श्री काग कहला जे भाषा क अपन वजूद होइत अछि। एकटा पुरान कहावत अछि जेकरा हम स्‍वीकार करैत छी जे कोनो समाज कए खत्‍म करबा लेल सबस पहिने ओकर संस्‍कृति आ भाषा कए खत्‍म कैल जाइत अछि, एहन मे अगर मैथिली संस्‍कृति आ भाषा एतबा मजबूती स देखा रहल अछि त इ विश्‍वास अछि जे एहि समाज कए किया खत्‍म नहि क सकैत अछि। कर्यक्रम क अंत मे मुकेश झा कल्हुका नाटक “ओकर आंगनक बारहमासा” क संग राष्ट्रपति क स्वागत क न्योत द दोसर दिनक कार्यक्रम समाप्ति क घोषणा केलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

92 हजार प्लस टू शिक्षक क नियुक्ति लेल प्रक्रिया शुरू

Esamaad Epaper Website

दरभंगा स्‍टेशन पर कोनो सुविधा नहि : चौधरी

Esamaad Epaper Website

दरभंगा समेत 28टा शहर लेल सिटी बिजनेस प्लान तैयार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि