• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

जंग लडबा लेल जंग छोडेबाक कोशिश

June 17, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

ज्ञानेश्‍वर
पटना।
परिस्थिति भले एखन धरि संग नहि दैत रहै,मुदा पटना क एसएसपी अमृत राज जंग छोडेबा लेल कोशिश शुरु क देलथि अछि। ओ अपन पुरान फार्म मे लौटबाक कोशिश मे सेहो लागि गेलथि अछि, जेकरा लेल हुनका पटना क कमान सौंपल गेल अछि। पूर्व मे एसपी (सिटी) क रुप मे ओ पटना मे नीक पारी खेलेने छलाह। मुदा जखन एहि बेर पटना एलाह त हुनका पटना पुलिस क पुलिसिंग अपने बुझबा मे नहि आयल।
इ हकीकत अछि जे पिछला कई साल मे पटना क पुलिसिंग कए रीयल इस्‍टेट क कारोबार निगलि गेल अछि। जाहि प्रकार स दाम पहाड क उंचाइ कए छुबि रहल अछि,सब लाल भ गेलथि अछि। डीजीपी अभयानंद गलत नहि कहैत छथि जे बढैत अपराध क मूल मे जमीन क कारोबार/झगड़ा बेसी अछि। मुदा,एहि मे पुलिस क भूमिका पर कियो बजबा लेल तैयार नहि अछि। सच कही त पुलिस क इच्‍छा अपराध-नियंत्रण स बेसी एहि कारोबार मे देखबा आ सुनबा लेल भेटैत अछि। पूर्व मे पदस्‍थापित किछु अधिकारी एहि धंधा कए संरक्षण दैत रहलाह अछि, नतीजा भेल जे अपराध बढैत च गेल। कमाई आओर हिस्‍सेदारी क जानकारी सब गोटे लग अछि मुदा चुप्‍पी एहन जे टूटत नहि।
इ सही अछि जे अमृत राज कनि दोसर तरहक अधिकारी छथि। एखन धरि ओ एहन कोनो धंधा मे नहि घुसलाह अछि। एहन मे,पटना एला पर आ अपन विरासत कए देख माथा पीट लेब हुनका लेल स्‍वाभाविक छल।
पाटलिपुत्र कालोनी क एसबीआई कांड क बाद स हुनकर तामस सातम आसमान पर छल। तखने मनेर मे हिरासत मे एकटा कैदी क मौत भ गेल। ताबड़तोड़ भ रहल अपराध एक दिस चुनौती बढ़ा देने छल,त दोसर दिस इ भय सेहो बढैत जा रहल छल जे अपन पुरान ‘इमेज’ कए बट्टा लगबा स कोना रोकल जाए। कहल जा रहल अछि जे आब ओ हार मानबा लेल तैयार नहि छथि। ओ अपन सब करीबी कए कहि देलथि अछि जे कार्रवाई होएत। पैघ अधिकारी स सेहो कहि देलथि अछि जे हुनका टीम क फील्डिंग अपने तय करबा लेल छूट भेटबाक चाही। फेर नतीजा क प्रतीक्षा करू। कहल जा रहल अछि जे हुनकर इ मांग मानि लेल गेल अछि आ अमृत राज कए पूरा छूट द देल गेल अछि।
एकर बाद ओ अपन आपरेशन अपन अंदाज मे प्रारंभ करि देलथि। थानेदार जेल गेल,बाकी सब सस्‍पेंड। मन-मिजाज स काज करबा लेल लगभग सबटा नव डीएसपी हुनका भेट गेलथि अछि। रविदिन ओ बचल-खुचल कसर थाना क व्‍यवस्‍था बदलि कए पूरा क देलथि। एक संग सातटा थानाध्‍यक्ष (पाटलिपुत्र/एसके पुरी/ अगमकुआं/ कंकड़बाग/ परसा बाजार/ बहादुरपुर/ बाइपास/) लाइन हाजिर करि देल गेलाह अछि। पाटलिपुत्र क थानाध्‍यक्ष किछु दिन पहिने जिम्‍मेवारी सम्‍हारने छलाह,मुदा एसबीआई कांड हुनकर बलि ल लेलक। अगमकुआं क थानाध्‍यक्ष क नपब त साकेत गुप्‍ता-प्रेम सिंह हत्‍या-कांड क बाद तय छल। कंकड़बाग आ एसके पुरी क थानाध्‍यक्ष सेहो एसएसपी कए अपन मिजाज क हिसाब स फिट नहि बुझा रहल छलाह।
कुल 17टा थाना क कमान नव लोक कए सौंपल गेल अछि। जाहि मे-गिरिदेव तिवारी (सचिवालय),बी के सिंह (आलमगंज),प्रवणेंद्र भारती (पाटलिपुत्र),अरुण गुप्‍ता (कंकड़बाग),गजाधर मिश्रा (दानापुर),पूर्णेन्‍दु सिंह (मसौढ़ी),ज्‍योति प्रकाश (हथीदह),उत्तिम सिंह (अगमकुआं),संजय कुमार-1 (एसके पुरी),एसके शाही (फतुहा),मनीष कुमार (बाईपास), बी के मेधावी (शाहपुर),मुकेश चंद्र कुंवर (परसा),प्रमोद कुमार राय (गौरीचक),अविनाश कुमार (धनरुआ),राकेश कुमार (नदी) व सुजीत कुमार (बहादुरपुर) शामिल छथि।
एसएसपी क एहि बदलल मिजाज क असर सेहो देखा रहल अछि। एक दिस जतए साकेत गुप्‍ता हत्‍या-कांड मे फरार चलि रहल गोगो कए टीम जाकए जमुई स गिरफ्तार क लेलक अछि ओतहि सुल्‍तानगंज थाना क्षेत्र मे सेहो कईटा अपराधी दबोचल गेलाह अछि। हिनका सब पर हाल मे धनबाद जाकए एकटा ज्‍वेलरी शाप कए लूटबाक आरोप अछि। पटना कए अपराध मुक्‍त करबा लेल भ रहल एहि प्रयास मे तखन आओर धार भेटत जखन एसएसपी-एसपी (सिटी) क ट्यूनिंग जल्‍द स जल्‍द ठीक भ जाए। अगर एहन नहि भेल त एक गोटाक तबादला तय अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार लेल 531 करोड़

Esamaad Epaper Website

इ गठबंधन टूटत किया

Esamaad Epaper Website

विद्यापति पुरस्कार क घोषणा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि