पटना । उत्तर बिहार मे अटकल पड़ल दूटा पैघ रेल परियोजना पर आखिरकार केंद्र सरकार जगल आ प्रत्यक्ष विदेशी निवेश कए आखिरकार मंजूरी द देलक। रेलवे मधेपुरा क इलेक्ट्रिक इंजन आ मढ़ौरा मे डीजल इंजन कारखाना लगेबा पर कई साल स जारी असंमंजस कए खत्म करैत वित्तीय बोली कए अंतिम रुप द देलक अछि। । दूनू कारखाना क अनुमानित लागत 12-12 सौ करोड़ टका होएत। रेलवे क अनुसार दूनू संयंत्र लेल वित्तीय बोली दस्तावेज वाला प्रस्ताव लेल आग्रह तैयार क लेल गेल अछि आ छांटल कंपनी कए एकर सूचना द देल गेल अछि। सब किछु ठीक रहल त अगिला पांच-छह मास मे कंपनी क निर्धारण भ जाएत। उल्लेखनीय अछि जे इ दूनू कारखाना तत्कांलीन रेलमंत्री लालू प्रसाद क कार्यकाल मे उत्तर बिहार कए भेटल छल। जानकारी क अनुसार मधेपुरा क प्रस्तावित इलेक्ट्रिक इंजन कारखाना लेल चारि टा वैश्विक कंपनी अल्टास, सीमंस, जीई आ बाम्बार्डियर कए चुनल गेल अछि । रेलवे खास विलंब क बाद मधेपुरा क इलेक्ट्रिक इंजन कारखाना आ मढ़ौरा क डीजल इंजन कारखाना कए चलि रहल असमंजस कए समाप्त करैत बेसी मूल्य क संयुक्त उद्यम परियोजना कए वित्तीय बोली कए अंतिम रुप द देलक अछि। ओतहि मढ़ौरा डीजल इंजन कारखाना लेल दूटा बहुराष्ट्रीय कंपनी जीई आ इएमडी नाम छांटल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa